मैथिली जिन्दाबाद केर होली पर प्रस्तुतिः शैली सिंह केर मिथिलाक गीतनाद

image description

विराटनगर, मार्च १३, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

image description
image description

आइ सुशीला कोइराला नाच घर – आरोहण गुरुकुल मे अपराह्न ३ बजे सँ ६ बजे धरि ‘मिथिलाक गीतनाद सह शास्त्रीय गीत-संगीत साँझ’ केर आयोजन संपूर्ण मिथिलाक समग्र समाचार – मैथिली जिन्दाबाद द्वारा होलीक शुभकामना आदान-प्रदान करबाक क्रम मे आयोजित कैल गेल अछि।

विदित हो जे नेपालक सर्वथा पुरान विकसित नगर – ऐतिहासिक एवं औद्योगिक पृष्ठभूमि सँ सुसंपन्न विराटनगर जे मोरंग केर मुख्यालय सेहो थीक – जतय आधा सँ बेसी आबादी मैथिलीभाषी छथि, ताहि ठाम एहि कार्यक्रमक आयोजन सँ जनमानस मे अपन मूल संस्कार केँ कहियो नहि बिसरबाक संदेश देबाक संग-संग मातृभाषा व मातृभूमिक सेवा प्रति समर्पण रखबाक संदेश सेहो भेटय ताहि लेल ई कार्यक्रम आयोजित कैल गेल अछि।

मैथिल नारी मे संस्कारक पूर्णता हुनका लोकनि द्वारा गाओल जायवाला विभिन्न अवसर पर अलग-अलग गीतक बोल संग ओहि धून आर लय सँ सेहो परिलक्षित होएत अछि। वर्तमान आधुनिक संगीत केर आक्रमण मे ई पौराणिक सुन्दरता कतहु न कतहु हेराएत बुझा रहल छल। मुदा बनैली राज केर किछु दिग्गज स्रष्टा लोकनि बहुत संघर्षपूर्ण शोध सँ एकरा फेर सँ ताकिकय संगीतबद्ध करैत आम जनमानस धरि परैस रहला अछि। कुमार गिरिजानन्द सिंह द्वारा एहि दिशा मे गंभीर शोधकार्य संपन्न केलाक बाद हुनकहि शिष्या सुश्री शैली सिंह द्वारा एहि गीत सब केँ आवाज देल गेल अछि। एकर सीडी सेहो हालहि संपन्न मैथिली लिटरेचर फेस्टिवल पटना मे विमोचन कैल गेल छल। पद्मश्री गजेन्द्र नारायण सिंह द्वारा विमोचित ओहि सीडीक बिक्री-वितरण सेहो तीव्र गति सँ होमय लागल अछि। आइ विराटनगर मे सेहो ई सीडी किनबाक लेल उपलब्ध होयत।

आजुक कार्यक्रम मे होलीक शुभकामना सेहो उपस्थित दर्शक व अतिथि लोकनि संग आदान-प्रदान कैल जायत। कार्यक्रम केर पहिल सत्र मे मिथिलाक गीतनाद अछि, तहिना दोसर सत्र मे शास्त्रीय गीत-संगीत सेहो स्वयं कुमार गिरिजानन्द सिंह एवं संगीत गुरु अमर नाथ झा केर स्वर मे होयत। एहि अवसर पर विशिष्ट उपस्थिति विराटनगर समाज केर विभिन्न वर्ग सँ होयत ई आशा कैल जा रहल अछि।