डा. तारानन्द वियोगी केर नव मैथिली पोथीः बहुवचन

नव मैथिली पोथीः बहुवचन

लेखकः डा. तारानन्द वियोगी

bahuwachanआगामी मैथिली लिटरेचर फेस्टिवल – पटना मे फरबरी मास मे डा. तारानन्द वियोगीक ई नव पोथी ‘बहुवचन’ उपलब्ध होयबाक जानकारी करबैत डा. वियोगी फेसबुक स्टेटस मार्फत निम्न जानकारी सेहो करौलनि अछि।

आलोचनाक ई किताब मैथिली लिटरेचर फेस्टिवल (12-14 फरबरी) मे स्टाल पर उपलब्ध रहत। विषय नवजागरण, अद्यतन विमर्श-सहित। संदर्भ आधुनिक मैथिली साहित्य। निष्कर्ष मैथिली साहित्य कें बढ़बाक चाही, निरंतर बढ़बाक चाही। मैथिली साहित्य कें जं अहां गंभीरता सं बुझबाक लेल उत्सुक होइ, तं ई किताब अहांक लेल अछि।”

डा. तारानन्द वियोगी द्वारा पूर्वहु मे अनेकानेक रचना सब प्रकाशित कैल जा चुकल अछि। मैथिली भाषा आर साहित्य केँ डा. वियोगी समान अनेकों स्वयंसेवी सपुत केर सौभाग्य प्राप्त छन्हि, यैह मूल बात भेल जे बिना राज्य केर समुचित संरक्षणहु केँ ई भाषा नित्य अपन नव उपलब्धि हासिल करैत आगाँ बढि रहल अछि। मैथिली जिन्दाबाद तऽ कृति बनेनहिये संभव छैक। डा. वियोगी केँ एहि नव पोथीक सफलता लेल हार्दिक बधाई!