Search

हरि मोहन झा केर उपन्यास पर आधारितः ‘कन्यादान’ धारावाहिक

मैथिली केर अमर साहित्यकार स्वर्गीय हरि मोहन झाक प्रसिद्धउपन्यास पर आधारित अछि डीडी बिहार केर नवका धारावाहिक ’’कन्यादान’’ 

– राजु बोहरा, वरिष्ठ फिल्म एवं टीवी पत्रकार, नई दिल्ली

kanyadan1साहित्यिक कृति आदि पर धारावाहिक बनेबाक परंपरा बहुत पुरान अछि। मुंशी प्रेमचंद, शरदचंद्र, रविंद्र नाथ टैगोर, बाबा नागार्जुन, भीष्म साहनी जेहेन अनेको साहित्यकार छथि जिनकर कृति सब  पर दूरदर्शन द्वारा एखन धरि एक सँ बढिकय एक धारावाहिक केर निर्माण कैल गेल अछि। एहि कड़ी मे बिहार दूरदर्शन द्वारा सेहो आब साहित्य अकादमी प्राप्त मैथिली केर अमर साहित्यकार स्वर्गीय हरि मोहन झाक प्रसिद्ध उपन्यास ’’कन्यादान’’ पर धारावाहिक बनेबाक फैसला कैल गेल। पटना दूरदर्शन केर निदेशक श्री पी.एन. सिंह द्वारा एहि दिशा मे पहल भेल आर एहि उपन्यास पर धारावाहिक बनेबाक स्वीकृति प्रदान कैल गेल।

कन्यादान एगो एहेन लड़कीक कथा अछि जेकर अनपढ़ होयबाक कारण ओकर पति ओकरा छोड़िकय चलि जाएत अछि। उपन्यास केर नायिका अपन अशिक्षाक चलते भैर जिनगी एकाकी जीवन बितेबाक लेल मजबूर भऽ जाएछ। उपन्यास मे मिथिkanyadan2लांचल केर कला संस्कृति आर  परंपरा आदिक बहुते उमदा ढंग सँ प्रस्तुत कैल गेल अछि। ई उपन्यास जतय महिला शिक्षा पर जोर दैत अछि, ओत्तहि मिथिलांचल केर विकास लेल सेहो संदेश दैत अछि।
धारावाहिक केर निर्माण “यूके फिल्म्स एंड टीवी नेटवर्क” केर बैनर मे कैल जा रहल अछि। वृहस्पति तथा शुक्र दिन केँ प्राइम टाइम मे राति 8 बजे सँ 8.30 बजे धरि डीडी बिहार पर ई धारावाहिक देखायल जा रहल अछि। ई धारावाहिक दर्शक सब केँ खूब पसिन पड़ि रहल अछि, कियैक तऽ एहि मे मिथिलांचल केर छवि केँ बहुते नीक जेकाँ परोसल गेल अछि।
kanyadan3एहि चर्चित धारावाहिक मे जे कलाकार विभिन्न किरदार मे अभिनय  केलनि अछि ताहि मे गिरीश शर्मा, मुस्कान सिंह, आरिफ शेख, स्वर्लिण कौर, सुनील गुप्ता, नीलाक्षी, विकास सिन्हा, नीलम दुबे जेहेन कलाकार सबहक नाम मुख्य रूप सँ शामिल अछि।
एहि धारावाहिक केर पटकथा आर संवाद लिखलनि अछि सुधांशु गुप्त एवं राजीव गुप्त। ”कन्यादान” केर निर्माता छथि उदय कुमार आर धारावाहिक केर कुशल निर्देशन कय रहला अछि जानल-मानल धारावाहिक डायरेक्टर चंद्रसेन सिंह जे दूरदर्शन राष्ट्रीय चैनल डीडी नेशनल केर ”मंगलसूत्र-एक मर्यादा”, ”एक किरण रौशनी की”, ”जज्बात” तथा ”लेडी इस्पेक्टर” जेहेन लोकप्रिय धारावाहिक सबकेँ सेहो निर्देशित कय चुकल छथि।
kanyadan producer uday kumarछोट पर्दाक दर्शक वास्ते निर्माता उदय कुमार केर नाम सेहो कोनो खास परिचय केर मोहताज नहि अछि। निर्माता उदय कुमार मूलरूप सँ गिरिडीह झारखण्ड केर रहनिहार आर ओ बतौर निर्माता दिल्ली तथा मुंबई मे रहिकय पैछला बीस वर्ष सँ छोट पर्दाक धारावाहिक आर विभिन्न कार्यक्रमक निर्माण मे लगातार सक्रिय छथि। दूरदर्शन केर नेशनल चैनल ”डीडी वन” सँ लैत ”डीडी उर्दू”, ”डीडी काशीर”, ”डीडी सह्याद्रि”, ”दूरदर्शन नॉर्थ ईस्ट” सहित दूरदर्शन केर लगभग सब रिजनल चैनल्स वास्ते अनेक मनोरंजन व सामाजिक प्रधान सोशल जागरूक करयवला धारावाहिक और कार्यक्रम आदिक निर्माण कय चुकल छथि जाहिमे कतेको धारावाहिक और कार्यक्रम सबकेँ दर्शक द्वारा खूब सराहल सेहो गेल अछि।
उदय कुमार द्वारा निर्मित चर्चित धारावाहिक आर कार्यक्रम मे “कन्यादान” केर अलावा “आईना”, “उपहार”, “मारे गये गुलफाम”, “रहनुमा”, “लगन”, “और कौन”, “आदाब अर्ज”, “तर्ज-ए-बया”, “फिक्र-ए-मुस्तकबिल” जेहेन जागरूक करयवला धारावाहिक और कार्यक्रम मुख्य रूप सँ शामिल अछि।
kanyadan4“कन्यादान” केर अलावा वर्तमान समय मे मुंबई दूरदर्शन यानी “डीडी सह्याद्रि” मे सेहो हिनकर प्राइम टाइम मे राति 9 बजे सोम, मंगल आर बुध दिन केँ एकटा आरो चर्चित डेली शो “सुशिलेचा देव” सुशीला केर देवता नाम सँ चलि रहल अछि जे मराठीक सुप्रसिद्ध साहित्यकार वामन मल्हार जोशीक मशहूर उपन्यास पर आधारित अछि।
एकरा संगहि ओ दूरदर्शन केर राष्ट्रीय चैनलक वास्ते बांग्लाक मशहूर लेखिका सुचित्रा भट्टाचार्य केर प्रख्यात उपन्यास पर एकटा बड़का धारावाहिक “अपने लोग” सेहो बना रहला अछि जेकर पायलट ऐपिसोड केर निर्माण कैल चुकल अछि। कुल मिलाकय दूरदर्शन बिहार केर ई धारावाहिक “कन्यादान” शिक्षा केर महत्व केँ बेहद गंभीरता सँ दर्शाबैत अछि। संगहि मैथिली साहित्यक ओज आ समाजक सब वर्ग सँ जुड़ल मर्म केँ देश भरि मे परिचित करेबाक नीक अवसर बना रहल अछि।

Related Articles