बुरारी, दिल्ली। दिसम्बर २७, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
काल्हि शनि दिन २६ दिसम्बर दिल्लीक बुरारी मे संपन्न विद्यापति समारोह हर दृष्टि सँ सूपर हिट साबित हेबाक बात एतय जुटल दर्शक, अतिथि, कलाकार, आयोजक सब कियो कहैत भेटेलाह।
संपूर्ण राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्र मे ओना तऽ कतेको जगह पर महाकवि विद्यापति केर स्मृतिगान मे समारोहपूर्वक आयोजन कैल जाएछ, परंच बुरारी मे एहि आयोजनक अपन अलगे रूप आर रंग देखल जाएछ।
एहि बेरुक आयोजनक उद्घाटन सुप्रसिद्ध मैथिली गीतकार रविन्द्र नाथ ठाकुर द्वारा दीप्ति प्रज्वलनक संग कैल गेल। कवि विद्यापति केर तैल्यचित्र पर फूल-माला अर्पण करैत सबहक आदरणीय गीतकार महाकविक स्मृति मे स्वयं एकटा गीत गेलनि, संगहि ओ मैथिली मे अपन किछु कविता सेहो वाचन केलनि।
आयोजक विश्व मैथिल संघ केर अध्यक्ष हेमन्त झा सहित समस्त पदाधिकारी लोकनि मिलिकय सामूहिक रूप सँ भैरवि वंदना ‘जय जय भैरवि असुर भयाउनि’ केर गान केलनि जाहि समय समस्त सभागार मे उपस्थित करीब पन्द्रह हजार लोक ठाढ भऽ कय भगवतीक आराधना केलनि। वातावरण मे भगवती अवतरण होयबा समान भाव उत्पन्न भऽ गेल छल।
भैरवि वंदना उपरान्त श्रद्धेय स्वामी मौनी बाबा द्वारा स्वस्ति वाचन आर संस्कृतक श्लोक गान कैल गेल, संगहि ओ शुभकामना संदेश मे आयोजक, दर्शक केँ धन्यवाद करैत महाकवि विद्यापति केँ स्मरण केलनि।
बुरारी विधानसभा क्षेत्रक विधायक संजीब झा द्वारा एहि आयोजन सँ क्षेत्रक लोक मे सजगता प्रसार होयबाक बात कहल गेल, संगहि जनताक सेवा मे सदैव आगाँ रहबाक प्रतिबद्धता प्रकट कैल गेल। यैह क्षेत्र सँ भाजपा नेता गोपाल झा सहित अन्य वरिष्ठ समाजसेवी ओ नेतृत्वकर्ता लोकनि सेहो अपन-अपन संछिप्त मंतव्य राखने छलाह। कार्यक्रम मे मैथिली ओ हिन्दी साहित्यक अगाध हस्ती मे शेफालिका वर्मा एवं निवेदिता मिश्रा झा केर उपस्थिति रहल। मैथिल समाजक नाक कहेनिहार आइपीएस संजय कुमार झा सेहो एहि कार्यक्रम मे सहभागी छलाह। आम आदमी पार्टी दिल्लीक प्रदेश अध्यक्ष दिलीप पांडे सेहो एहि अनमोल कार्यक्रम मे उपस्थिति दर्ज करौलनि। मैथिली फिल्म जगत् सँ सुधा झा सहित विभिन्न अभिनेत्रीक उपस्थिति एहि कार्यक्रम विशेषता रहल। एहि समारोह मे बुरारीक प्रसिद्ध ‘माछ-भात’ केर भोजनक ‘भंडारा’ कैल गेल छल।
एहि समारोह मे आयोजक विश्व मैथिल संघ द्वारा वार्षिक स्मारिकाक विमोचन आगन्तुक विशिष्ट अतिथि लोकनिक हाथ सँ करायल गेल छल। हर तरहें एकटा संपूर्ण कार्यक्रम जेकर यादगारी बहुत दिन तक रहत, से कहलैन कार्यक्रम पर पूरा गहिंर नजरि रखनिहार मैथिली कवि ओ गीतकार भाइ विमलजी मिश्र। समूचा दिल्ली सँ मैथिली-मिथिला लेल सक्रिय योगदान कएनिहार अनेकानेक व्यक्तित्व लोकनि एहि समारोह मे सहभागिता देलनि, अमर नाथ झा, विजय झा, संजीव सिन्हा, सुनित ठाकुर, निरज पाठक, विभय कुमार झा, शरत झा, झा चंदन व विभिन्न अभियानी लोकनिक उपस्थिति सँ आयोजनकर्ता संस्थाक समस्त अधिकारी लोकनि उत्साहपूर्वक समारोह केँ समापन कएलनि। 