विराटनगर, दिसम्बर २२, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
दहेज मुक्त मिथिला द्वारा सूचना कैल गेल अछि जारी। आगामी अप्रैल ९ आ १० केँ होयत अन्तर्राष्ट्रीय मैथिल सामाजिक अभियन्ता सम्मेलन विराटनगर मे। जारी कैल गेल सूचना अनुरूप निम्न प्रस्ताव राखल गेल अछि। विदित हो जे पैछला वर्ष अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन केर आयोजन कैल गेल छल जाहि अवसर पर मैथिली जिन्दाबाद केर आरंभ भेल छल।
मिथिला के हर गाम छै सुन्दर
बचाउ एहि ठामक सब धरोहर
दहेज मुक्त मिथिलाक एहि नारा पर भारतीय एवं नेपाली पुरातत्त्वविद् केर ध्यानाकर्षण भेल अछि। आगामी अप्रैल मास मे विराटनगर मे एहि विषय पर अन्तर्राष्ट्रीय सेमिनार केर आयोजन करबाक नियार अछि। भारतीय मिथिलाक्षेत्रक लगभग सब कार्य पूरा कय लेल गेल अछि। नेपाली मिथिलाक जानकारी जुटेबाक आवश्यकता अछि। एहि वास्ते एकटा कार्यसमितिक प्रस्ताव राखि रहल छी। आशा करैत छी जे अपने सब केओ एहि वास्ते अपन उत्कृष्ट योगदान दैत कार्य केँ आगाँ बढायब।
कार्यसमिति मे ओ सब केओ सदस्य छथि जे अपन क्षेत्रक विभिन्न ऐतिहासिक-पुरातात्त्विक धरोहरक जानकारी जुटबैत ओकरा साहित्यिक भाषा मे लेखन करता वा करौता, संगहि फोटो तथा डक्युमेन्ट्री विडियो आदि तैयार करबैत अन्तर्राष्ट्रीय सेमिनार मे प्रदर्शनी लेल उपलब्ध करौता। एहि मे स्वेच्छा सँ सब कियो अपन नाम जोड़ि सकैत छथि। जिनकर सूचना ओ जानकारी आगामी समय मे प्रकाशन होमय योग्य पुस्तक मे समेटल जेतैन, हुनका लेल समुचित पारितोषिक तथा अन्य समस्य सदस्य लेल लगानी कैल गेल खर्चक वहन करबाक प्रयास कैल जायत। एतबा नहि, पुरातात्त्विक महत्व पर आगामी समय मे भारत ओ नेपाल सरकार केर पुरातत्त्व सर्वेक्षण विभाग द्वारा शोध कार्य सेहो करायल जायत। एहि सब लेल हरेक सदस्यक योगदान एकटा आधारशिलाक कार्य करत।
आउ, अपना केँ एहि मुहिम संग जोड़ू आर अपन नाम, क्षेत्र तथा सम्पर्क नंबर शीघ्रातिशीघ्र उपलब्ध कराउ। वर्तमान समय मे झापा, मोरंग, सुन्सरी, सप्तरी, सिरहा, धनुषा, महोत्तरी, सर्लाही, रौतहट, परसा ओ बारा जिला केँ ऐतिहासिक मिथिलाक्षेत्र मानिकय कार्य करबाक अछि। एहि मे किछु पहाड़ी क्षेत्र सेहो पड़ि सकैत अछि। पौराणिक, ऐतिहासिक वा श्रुति आधारित कथा ओ ऐतिहासिक धरोहरक चर्चा करैत ओहि स्थलक फोटो आ विडियो – स्थानीय लोक संग बातचीत आ जानकारी जुटेबाक साक्ष्य सहित कार्य जनबरी, फरबरी तथा मार्च कुल ३ महीना मे पूरा करबाक अछि। अप्रैल ९-१०, २०१६ केँ विराटनगर मे दुइ-दिवसीय अन्तर्राष्ट्रीय मैथिल समाजिक अभियंता सम्मेलन केर आयोजन मे अहाँ सबहक योगदान केर प्रदर्शन व चर्चाक संग विभिन्न संभावना पर विचार कैल जायत।
आउ, अपन मिथिला अपनहि बनाबी!!
मिथिलाक सनातन पहिचान कायम राखी!!
जय मैथिली – जय मिथिला!!
हरिः हरः!!
प्रस्तावकः
प्रवीण नारायण चौधरी
अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक,
दहेज मुक्त मिथिला
नेपाल तथा भारत – दुनू देश मे सक्रिय!!
सम्पर्कः ००९७७-९८५२०२२९८१
ईमेलः [email protected]