दरिभंगाक मिथिला विभूति पर्व समारोहः मधेसी मैथिल केर चिन्ता

दरिभंगा, मिथिला। नवम्बर २५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! 

(फोटो फीचर)

vsps darbhanga1
प्रातःकालीन शोभायात्राक दृश्य

दरिभंगा मे २३ नवम्बर सँ आरम्भ विद्यापति स्मृति पर्व समारोह विभिन्न सत्रक कार्यक्रम करैत दुइ दिवस संपन्न कय चुकल अछि। आइ समारोहक तेसर व अन्तिम दिन थीक।

शुरुआत भव्य शोभा यात्राक संग नगर परिक्रमा करैत विद्यापतिक प्रतिमा पर माल्यार्पण सँ भेल। तदोपरान्त समारोहक विधिवत् उद्घाटन पूर्व केन्द्रीय मंत्री एवं पद्मश्री डा. सी. पी. ठाकुर द्वारा दीप्ति प्रज्वलन करैत कैल गेल। एहि अवसर पर दरिभंगा सँ सांसद कीर्ति झा आजाद व हालहि चुनल गेला एकमात्र भाजपा विधायक संजय सरावगी सहित विभिन्न विद्वान् तथा साहित्यकार लोकनिक झमटगर उपस्थिति छल।

vsps darbhanga2
मंचासीन अतिथि सहित भैरवि वंदनाक सामूहिक गान

डा० ठाकुर सभाकेँ संबोधन करैत कहला जे मैथिलीभाषीक मौलिक व संवैधानिक अधिकार छैक अपन मातृभाषा मैथिलीक माध्यम सँ प्राथमिक शिक्षा ग्रहण करय, ताहि नींब पर साक्षरतामे उल्लेख्य वृद्धिक संग-संग उच्च शिक्षा तथा बिहार लोक सेवा आयोग तथा संघ लोक सेवा आयोग  केर तैयारी करैत राज्य तथा देशक सेवा करबा मे आगू बढबाक अवसर बढत। ओ सरकार सँ माँग केला जे शिक्षा नीति मे आवश्यक सुधार आनैत मैथिलीक माध्यम सँ प्राथमिक शिक्षाक गारंटी करय।

vsps darbhanga3
सांसद कीर्ति आजाद केर सम्मान-स्वागत तथा बैच प्रदान

सांसद कीर्ति आजाद अपन संबोधन मे मिथिलाक पौराणिक गरिमाक बखान करैत हाल नेपालक मधेस आन्दोलन पर नेपाल सरकारक बेरूखी व मधेसीक हालत पर दुःख प्रकट करैत सुगौली संधिक चलते मिथिलाक भूभाग जे नेपाल मे मिला देल गेल तेकरा वापस लेबाक लेल केन्द्र केँ नेपाल सँ वार्ता करबाक आवश्यकता रहबाक बात कहलनि। मिथिलाक करीब ११ जिला सुगौली संधि व नेपालक राणा शासन द्वारा अंग्रेज शासक केँ सहयोग करबाक कारण उपहारस्वरूप दऽ देल गेल छल, जेकरा पुनः भारतक मिथिलाक संग एकीकरण करबाक जरुरत अछि, नहि तऽ जाहि तरहें वर्तमान समय मे नेपाली शासक द्वारा ओहि पारक मैथिल केँ मधेसी कहैत दोसर दर्जाक नागरिक केर रूप मे दमन आ शोषण कैल जाएत अछि ओ सदिखन चलिते रहत आर अपन अधिकार केर लड़ाई लड़ैत कतेको मैथिल (मधेसी) शहीद होइत रहत। ओहि पारक मिथिलाक लोकजीवन अस्त-व्यस्त अछि आर नेपाली हुकुमत ओकरा सबहक माँग हाल धरि पूरा नहि केलक अछि। एकर अन्तिम समाधान लेल ओ भारत सरकार केँ नेपाल सँ खुलस्त वार्ता करबाक अनुरोध केलनि।

vsps darbhanga4
शोभा यात्रा मे मिथिलाक पहिरन तथा पाग मे सहभागिता

विधायक संजय सरावगी एहि क्षेत्रक भाषा, संस्कृति, शिक्षा आ समाज सबहक लेल समर्पित रहैत सेवाक वचनबद्धता प्रकट केलनि। संगहि मैथिली मे प्राथमिक शिक्षाक अधिकार लेल सदन मे आवाज उठेबाक बात कहैत सब सँ एकजुट बनि क्षेत्रक पहिचान आर सामर्थ्य लेल संघर्ष केँ आगू बढेबा पर जोर देलनि।

vsps darbhanga5
दोसर दिनक उद्घाटन सत्र मे डा. बैद्यनाथ चौधरी बैजुक संग अन्य स्रष्टा व विद्वान् मंच पर आसीन

एम एल एस एम कालेज, दरिभंगाक प्रांगण मे आयोजित एहि भव्य समारोह मे संस्कृतक प्रकांड विद्वान डा. उदय कांत मिश्र केँ शिक्षा तथा समाजिक क्षेत्र मे उत्कृष्ट योगदान देबाक लेल मुख्य अतिथि डा० सी पी ठाकुर केर हाथ सँ “मिथिला विभूति” केर सम्मान-पत्र हस्तान्तरण कैल गेलनि।

vsps darbhanga6
मुख्य अतिथि डा. सी. पी. ठाकुर व मंचासीन विभूति लोकनि द्वारा पोथीक विमोचन

संस्थानक अध्यक्ष डा. बैद्यनाथ चौधरी बैजु द्वारा विद्यापति स्मृति केर सही दिशा मे अग्रसर रहबाक बात पर प्रसन्नता व्यक्त कैल गेल। ओ कहलनि जे समाज मे लोक बैसिकय सम-सामयिक विषय पर चर्चा करय, अपन राजनैतिक अधिकार केर हालत पर समीक्षा करय, विद्यमान् कूरीति व समस्या आदिक निदान ताकय – ई सब पक्ष समारोह मे भेटैत खुशी होइत अछि। नाच-गाना सँ इतर गंभीर वैचारिक मंथन मिथिलाक आदि-संस्कृति रहल अछि जाहि दिशा मे फेर मैथिल समाज आगाँ बढि रहला अछि।

दोसर दिनक मिथिला विभूति पर्व समारोह मे सामाजिक सरोकारक चिकित्सक गणपति मिश्र विषयक संगोष्ठी संपन्न भेल जाहि मे हालहि दिवंगत चिकित्सक केँ श्रद्धाञ्जलि देबाक संग हुनक जीवन व समर्पण पर विभिन्न वक्ता लोकनि प्रकाश देने छलाह। संध्याकाल मे सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन सेहो कैल गेल।