मधेस मे स्थिति युद्ध समानः भारदह झड़प मे २ जन केर मृत्यु

भारदह, सप्तरी, नेपाल। अक्टुबर २२, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

bhardah ghatna
फोटो-समाचारः साभार कान्तिपुर

राजनीतिक आन्दोलन सँ परिणत जनआन्दोलन बनल मधेस आन्दोलन आब युद्ध समान प्रतीत होमय लागल अछि।

एक तरफ राजनीतिक माँग यथावत अछि, दोसर तरफ सरकारी पक्ष द्वारा अनेकानेक घूर्री-फिर्री तर्ज पर वार्ता सेहो कैल जा रहल अछि, मुदा समाधानक कोनो मनसाय दुनु पक्ष मे सँ केम्हरौ सँ अबैत नहि देखा रहल अछि।

समस्या बढैत-बढैत आब राज्य तथा आन्दोलनकारी बीच पूर्ण अविश्वास तथा तनावग्रस्त संबंध निर्माण भऽ गेल अछि।

एहि क्रम मे आन्दोलनकारी द्वारा राजमार्ग जाम करबाक कार्य कैल जाएत अछि तऽ राज्य द्वारा प्रहरी बल खटबैत राजमार्ग सुचारू रखबाक कार्य कैल जाएत अछि।

काल्हि भारदह मे प्रदर्शनकारी कर्फ्यू आदेश तोडिकय राजमार्ग अवरुद्ध केने छल। करीब २५०० केर संख्या मे प्रदर्शनकारी प्रहरीक माइकिंग केँ सेहो अवमानना केने छल। एहेन सन अवस्था मे प्रहरी द्वारा बल प्रयोग करैत प्रदर्शनकारी केँ भड़कायल गेलाक बाद दुतर्फी झड़प शुरु भऽ गेल, परिणामस्वरूप प्रहरीक गोली सँ दुइ जन ज्ञात आर किछु अज्ञात जन मारल जेबाक खबैड़ चारूकात चर्चा मे आबि गेल अछि। हाल धरि २ जनक शव प्राप्त भेल अछि आ किछु शव पूलिस बल द्वारा गायब करबाक आरोप सेहो स्थानीय लोक द्वारा लगायल जा रहल अछि। ज्ञात मृतक केर नाम वीरेन्द्र राम तथा नागेश्वर यादव केर रूप मे सोझाँ आयल अछि। जखन कि दर्जनों लोक दुतर्फी घायल छथि जाहि मे किछु गोटाक हालत नाजुक कहल जा रहल अछि। घायलक इलाज बीपी कोइराला स्वास्थ्य प्रतिष्ठान, धरान मे चलि रहल अछि।

पूलिस कप्तान द्वारा जारी वक्तव्य मे कर्फ्यू आदेश केर उल्लंघन आर बेर-बेर माइकिंग केलाक बादो प्रदर्शनकारीक नहि हंटबाक कारण दुतर्फी झड़प मे एहि तरहक घटना घटबाक बात कहल गेल अछि।

घटनाक बाद स्थिति आरो बेसी खराब भऽ गेल अछि। समूचा नेपाल मे मधेसी आन्दोलनकारी आक्रोशित बनि जेबाक समाचार भेटय लागल अछि। प्रशासन द्वारा अनिश्चितकालीन कर्फ्यू आदेश भोरे ६ बजे सँ लगायल गेल अछि। भारदह, रुपनी, राजविराज मुख्यालय – सब ठाम दंगाग्रस्त क्षेत्र घोषित कय कर्फ्यू लगायल गेल अछि। प्रदर्शनकारी सब कर्फ्यू आदेश केँ तोड़ि उग्र प्रदर्शन जारी रखने अछि।

ओम्हर देशक प्रधानमंत्री के पी ओली द्वारा सर्वदलीय बैसार बजाओल गेल अछि जे आइ संध्या ६ बजे करीब मे होयत। सीमांकन सहित अन्य माँग पर आन्दोलित मधेस केँ कोना संबोधन कैल जाय एहि पर ई बैसार निर्णय करबाक समाचार प्राप्त भेल अछि।