बिहार मे पाँचम बेर मुख्यमंत्री पद केर शपथ लेलनि नीतीश कुमार

अक्टुबर २०, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

nitish cm biharबिहार केर नव मुख्यमंत्रीक रूप मे नीतीश कुमार पाँचम बेर पदक जिम्मेवारी आर गोपनीयताक शपथ लेलनि। हालहि संपन्न बिहार केर विधानसभा चुनाव मे नीतीश कुमार केर नेतृत्वक महागठबंधन भारी बहुमत सँ जीत हासिल कएने छल। करीब १७ वर्ष केर भाजपाक संग छोड़ि नीतीश कुमार पहिले तऽ असगरे नरेन्द्र मोदी केर विरोध मे राजनीति करब शुरु केलनि, लेकिन असगरे हुनका सँ मोदीक विरुद्ध बिहार मे पर्यन्त कोनो तरहक प्रभाव नहि पड़ैत देखि बिहारक गद्दी केँ अपना पास सुरक्षित रखबाक लेल महागठबंधन केर तर्ज पर कार्य करैत भाजपा व मोदीक लोकप्रियताक अविजीत रथ केँ बिहार मे रोकय लेल सफल बनलाह। कुल २४३ मे जतय जदयू नेतृत्वक महागठबंधन १७८ सीट पर जीत हासिल केलक, ओतहि भाजपा नेतृत्व राजग गठबंधन मात्र ५८ टा सीट अपना हिस्सा मे पाबि सकल।

नीतीश कुमार केर संग हुनक कैबिनेट मे कुल २८ मंत्री शपथ लेलनि जाहि मे सबसँ पैघ विजेता दल राष्ट्रीय जनता दल (राजद) केर सुप्रीमो लालू यादव केर दुनू पुत्र तेजस्वी तथा तेज प्रताप यादव सहित दरिभंगा सँ काँग्रेसक विधान पार्षद् मदन मोहन झा, जदयू केर मदन सहनी आर राजद केर वरिष्ठ नेता अब्दुल बारी सिद्दिकी सेहो मंत्रीमंडल मे शामिल छथि। मंत्री पद केर संग जिम्मेवारी बाद मे देल जेबाक समाचार भेटल अछि। कहल जा रहल अछि जे राजद सँ लालू-पुत्र तेजस्वी केँ उप-मुख्यमंत्री पद देल जायत।

कहियो मोदी द्वारा देल गेल नारा जे देश मे तेसर मोर्चा वा पक्ष केर कारण सँ मतक विभाजन स्पष्ट जनादेश निर्धारित नहि करैत अछि तेकर प्रत्यक्ष उदाहरण बनल बिहार विधानसभा चुनावकेर परिणाम जाहि मे तेसर पक्ष केँ जनता जैड़ सँ नकारैत केवल भाजपा या फेर गैर भाजपा – मात्र दुइ गठबंधन लेल मतदान केलक। एक बेर फेर बिहार मे नीतीश कुमार केर विचार, विकास आर व्यवहार पर बिहारक बहुमत सँ सरकार बनल अछि जेकरा सँ नीक आशा निश्चिते कैल जा सकैत छैक।

मिथिला लेल कि रहल खासः

एकमात्र दरिभंगा सँ तीन गोट मंत्री बनब एकटा नीक सूचना दय रहल अछि। उत्तरी बिहार केर उपेक्षा दूर करबाक लेल आरो-आरो दल सँ अधिकांश मंत्री यैह क्षेत्र सँ बनायल गेल अछि। एहि तरहें हालहि उठय लागल जोरदार माँग जे बिहार सँ अलग हो मिथिला राज्य तेकरा संबोधन करबाक नीक अवसर बिहार सरकार केँ भेटल अछि। ई मात्र पद केर बँटवारा धरि सीमित नहि रहैत धरातलीय वातावरण मे विकास केर प्रवेश करेबा मे सफल होयत सेहो आशा कैल जा सकैत अछि।

मिथिला काँग्रेस सँ सेहो नीक उम्मीद जनता मे पुनः बढय लागल छैक। एक बेर फेर मिथिलाक्षेत्र मे काँग्रेस नेतृत्व द्वारा बेहतरी अनबाक उम्मीद कैल जा सकैत अछि।

बिहार चुनाव सँ देश भरि मे विपक्षक राजनीति कएनिहार मे एकजुटताक संदेश

उपरोक्त शपथ-ग्रहण समारोह पटनाक गाँधी मैदान मे एकटा मेगा शो समान प्रस्तुत भेल। एहि मे देश भरिक गैर-भाजपाई सरकार केर मुख्यमंत्री सब एक मंच पर देखेला। हलांकि एहि मे राहुल गाँधी केर समय सँ नहि आयब एकटा रहस्यमयी संदेश देलक, तथापि काँग्रेस केर सहभागिता अन्य स्तर पर आर एहि संग तृणामुल काँग्रेस, आम आदमी पार्टी व अन्य दल केर नेता तथा मुख्यमंत्रीक सहभागिता सँ देश भरि मे एकटा नीक संदेश देल गेल अछि जाहि सँ आगामी समय मे सेहो हंग एसेम्बली या पार्लियामेन्ट केर परिणाम पर अंकुश लागत आर अटल बिहारी वाजपेयी समान प्रखर नेतृत्वकर्ता द्वारा शुरुआत कैल गठबंधन राजनीति बल पाओत ई स्पष्ट भेल अछि। एहि कार्यक्रम मे ममता बनर्जी, तरुण गोगोई, अरविन्द केजरीवाल, सिद्धिरमैया सहित विभिन्न दलक प्रमुख राजनीतिज्ञ लोकनि सहभागिता देलनि। तहिना प्रधानमंत्री मोदीक खास प्रतिनिधि केन्द्रीय मंत्रीमंडल सदस्य वेंकैया नायडू सेहो सहभागी बनलाह।

स्पष्ट अछि जे आगामी समय मे एहि तरहें दुइ प्रमुख राजनीतिक शक्ति द्वारा देश मे गठबंधन केर राजनीति कैल जायत। नहि तऽ मोदी समान अनेकानेक लोकप्रिय नेता केँ टक्कर देब आसान नहि होयत ई स्पष्ट अछि। एहि क्रम मे उत्तर प्रदेश केर मुख्यमंत्री द्वारा पर्यन्त २०१७ केर चुनाव गठबंधन बनाकय लड़बाक घोषणा पर एखनहि सँ हामी भरल गेल अछि। हर तरहें एकजुटता सँ देशक भविष्य आरो बढियां हेबाक अपेक्षा कैल जा सकैत अछि।