मैथिलानी वंदना चौधरीक सम्मान: जीतिया पर्व समारोह २०७२

विराटनगर, १४ अक्टुबर, २०१५। मैथिली जिन्दाबाद।

vandana choudhary honorविगत ३ अक्टुबर २०१५ शनि दिन विराटनगर मे मनाओल गेल वृहत् मिथिला सांस्कृति उत्सव – जितिया पर्व समारोह २०७२ मे मैथिल महिला केन्द्रित विभिन्न कार्यक्रमक आयोजनक संग-संग सक्रिय समाज सेवाक कद्र करैत आयोजक समिति द्वारा विभिन्न महिला समाजसेवी-अभियानी लोकनिक संग-संग मैथिल पत्रकार सबकेँ सेहो सम्मानित कैल गेल छल। एहि कार्यक्रम मे श्रीमती वंदना चौधरीक अनुपस्थितिक कारण ओ सम्मान आइ एकटा संछिप्त भेंटघांट कार्यक्रम करैत संयोजिका सह अध्यक्षा वसुन्धरा झा द्वारा सम्मान पत्र हस्तान्तरण कैल गेल अछि।

एहि अवसर पर वन्दना चौधरी द्वारा सम्मानक असल हकदार स्वयं वसुन्धरा झा रहबाक बात कहल गेल आर संगहि मैथिलानी महिला सब मे समाजसेवा प्रति ललक पैदा करबाक लेल हुनकर भूरि-भूरि प्रशंसा सेहो कैल गेल छल। असगरो वसुन्धरा झा हजारों महिला केँ तऽ एकत्रित करिते छथि, संगहि हुनका सब मे अपन अधिकार आ कर्तब्य प्रति जागरुक सेहो बनबैत छथि ताहि प्रति वन्दना चौधरी ओ सम्मान पर पहिल अधिकार वसुन्धरा झा केर होयबाक बात कहलनि। परन्तु कार्यक्रम संयोजिका आ समारोह केर अध्यक्षता सेहो केनिहाइर समाजसेवी एवं राजनीतिकर्त्री वसुन्धरा झा वन्दना चौधरीक योगदान आ सदिखन सहयोग करबाक – संग देबाक प्रेरणा सँ अभिभूत रहैत एतेक पैघ-पैघ कार्यक्रमक सफलतापूर्वक आयोजन कए सकबाक भावना व्यक्त करैत सब सहयोगी अग्र भूमिका निर्वहन केनिहाइर केँ उचित सामाजिक सम्मान होयब आवश्यक कहैत वन्दनाजी केर सम्मान कैल जेबाक बात कहलनि।

निश्चित रूप सँ विराटनगर मे जाहि तरहें सांस्कृतिक, भाषिक, सामाजिक सब तरहक कार्यक्रम मे हिनका लोकनिक सक्रियता सँ उत्कर्ष बढि रहल अछि ई एकटा शुभ केर द्योतक मानल जा सकैत छैक। सम्मानक मूल्य ओना तऽ किछुओ नहि मुदा समाज केँ आरो आगाँ बढेबा मे एकर भूमिका बड महत्वपूर्ण होएत अछि। मैथिली एवं मिथिलाक झंडा सदैव फहराइत रहय। मैथिल महिला कथमपि पुरुष सँ पाछाँ नहि छथि। वसुन्धरा जी केर योगदानक सराहना चारू तरफ होएत अछि।