विचार अपन अपन मे ‘हमर विचार’

किछु अपन हृदयसँ कही!

vidyapatiविद्यापति हमर आदर्श छथि, समारोह हमर जीवनक अंग थीक। धन्य यैह समारोह जे हमरा में जोश आ उत्साह देलक जे अपन मिथिला प्रति सजग बनी, नहि तऽ एहि संस्कृतिकेँ विस्मृति में फेकबाक भरपूर सरकारी उपेक्षा आ षड्यन्त्र अपन मारूख असर देखबय लागत।

महादेव आ काली – बाबा आ मैया सदिखन सुन्दर सलोना सियारामजी केर संग समस्त देवी-देवताक मण्डली मिथिला लेल लालायित रहलाह छथि, एहि मिथिलाकेँ कोनो शक्ति नहि हरा सकैत अछि से हमर आत्मविश्वास कहि रहल अछि।

तखन दुर्जनक अस्तित्व से सज्जन संग सनातन रहल छैक आ आय विपन्नता राजनैतिक संरक्षण नहि रहलाक कारणे हमरा सभ पर हावी अछि, ताहि हेतु भारत व नेपाल दुनू गणतंत्र लेल मिथिला राज्यक माँग जायज व अति शीघ्र संबोधन करबाक योग्य छैक।

एकता मुद्दा पर बनल छैक, अकर्मण्यता आ बहन्नाबाजीक किछु चाप छैक जे शीघ्रहि समयक सूनामीमें बहि जेतैक, कर्मठ आ समर्पित सेवक सदैव छोट-छोट लक्ष्यक संग विकासशील रहैत मिथिला निर्माण में लागल छथि।

एक रहस्यक बात छैक जे बिना कोनो काज केलहा अनुभव रखने दोसरक कार्य-कलाप पर टिप्पणी करब मिथिलाक हर क्षेत्रमें एक तवकाक भूमिका रहलैक अछि – ओहि लोकवर्गकेँ नामकरण हम निकम्मा-ढोंगी केर विशेषण संग करैत छी, करैत रहब आ छूछ आलोचना मिथिलाक शिथिलापंथी लेल जिम्मेवार अछि से बुझबाक लेल कठोर वाणीक उपयोगकेँ हम जायज मानैत छी। बिना साम-दाम-दंड-भेद नीतिकेँ राजनीति आ समाजिक विकास संभव नहि छैक से आत्मसात करैत छी।

आउ, हमर एक छोट साक्षात्कार आय एक बेर अपने लोकनि सँ शेयर करी: हमर एहि विडियो शेयर करबाक लक्ष्य अछि युवा जनचेतना, मैथिल युवा जागि गेल छथि आ एहि वैचारिक क्रान्तिमें हुनकर संग काफी आह्लादकारी अछि। दाकियानूस-झाडफानूस-द्वेषीक चिन्ता महादेव करैत छथि।

नम: पार्वती पतये हर-हर महादेव!!

http://youtu.be/ZugX31vIZkI

हरि: हर:!!