Search

कते मोहक रहै तिरहुत राम के पुछियौ – विकास झा रचित गजल

335 भ्यूज

गजल

– विकास झा

vikash jhaकते मोहक रहै तिरहुत राम के पुछियौ
कोना बिलटलै तिरहुत रैयाम के पुछियौ

मुँह ठोर देसी एकर बगय् बिलाएँत केर
अगत्ती छै छौंरा थुर्री लताम के पुछियौ

हवेली मे नून नै इ चर्चा अछि चौक पर
घरभेदीक नाउ भुटन हजाम के पुछियौ

नढ़िया हुकरतै अहि उजरलहा डीह पर
अछैते पूतक टुगर भेल गाम के पुछियौ

कोना अखरै छै मालिकक नेत अधलाह
हरसठ्ठे कोनो अछोपक चाम के पुछियौ

फुसिये लोक बाझल टोपी आ चानन मे
दाहा-दशहरा एके छै कलाम के पुछियौ

बढ़ कठिन छै अरजब विकाश इ अट्ठनी
इ साँच अपन हरबाहक घाम के पुछियौ

Related Articles