सितम्बर ३०, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
समाचार: साभार कान्तिपुर समाचार
दक्षिणी सीमामे अघोषित नाकाबन्दी केर अवस्थाक चलते भूकम्पक कारण पाँच महीना सँ बन्द चीनसंग जोड़ल तातोपानी नाका मार्फत सड़क यातायात सुचारू करबाक कार्य तीब्र कैल गेल अछि। एकतर्फी ट्रैक मितेरी पुलक करीब डेढ सय मिटर नजदीक पहुँचायल जा चुकल अछि। बड़का-बड़का चट्टान सडक मे जमा भऽ गेला सँ सीमा नजदीक लिपिङ बाजार मे बेसी समस्या देखल गेल अछि।
एखन सड़क विभाग, स्थानीय प्रशासन आर व्यापारिक संघसस्था सबकेँ मरम्म संभार मे सहयोग करबाक लेल सीमा क्षेत्र मे केन्द्रित कैल गेल अछि। सडक विभागक महानिर्देशक माधव कार्कीक अनुसार बाह्रविसे—तातोपानी खण्डकेर २६ किमी सड़कमे ब्रेकर, डोजर, स्क्याभेटर, लोडर तथा जेसीभीसमेत नौ टा मेशिन द्वारा पहाड़ी बाढिक मलबा हँटेबाक आर चट्टान फोरबाक काज कय रहल अछि।
बुधबार प्रमुख जिल्ला अधिकारी बलभद्र गिरीकेर अध्यक्षता मे लिपिङमे भेल बैसार मे स्थानीय द्वारा तत्काल सड़क खुलेबाक लेल ओहो सब यथायोग्य सहयोग करता से कहलनि।
नोट: दक्षिण मे मधेशवादी द्वारा कैल जा रहल नाकाबन्दी आ ताहि कारण सँ भारत सँ परिवहन सुविधा सुचारू नहि होयबाक विकल्पक रूप मे ई रस्ता बहुत काजक सिद्ध होयत, विज्ञ सबहक मानब अछि।
फोटो फीचर: