अगस्त ३१, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
भ्वाइस अफ इंडिया – एण्ड टेलिविजन पर चलल अत्यन्त लोकप्रिय म्युजिक-सिंगिंग टैलेन्ट शो केर आखिर फैसला बितल राति आबि गेल। मिथिलाक शान परंपरा ठाकुर अन्तत: तेसर स्थान प्राप्त करबा मे सफल भेलीह। भाग्य हुनकर संग अन्तिम दौर मे शायद नहि देलकैन, जखन कि वोट आ एसएमएस केनिहारक संख्या हुनकहु पक्ष मे लाखों छल।
फाइनल मे प्रवेश सँ पूर्व करीब १५ लाख एसएमएस आ ओतबे संख्या मे कौल द्वारा परंपरा ठाकुर केर पक्ष मे वोटिंग कैल गेल। प्रतियोगिताक एकमात्र फिमेल प्रतियोगी आ ताहू मे मैथिली गीत-संगीतक महान हस्ती दादा रविन्द्र नाथ ठाकुर आ ओतबे प्रखर माता संगीता ठाकुर आ पिता अवनिन्द्र ठाकुर केर सुपुत्री जिनका विरासत मे संगीत आ गायन विद्या भेटल छन्हि ओ फाइनल धरि अपन प्रतिभाक जोरदार प्रदर्शन आ प्रशंसक केर समर्थन सँ स्थान बनाबय मे सफल रहलीह।
फेसबुक पर परंपराक बुआ आ मैथिली तथा हिन्दी साहित्यक एक प्रखर स्तम्भ जिनका द्वारा परंपराक पक्ष मे समर्थन जुटेबाक लेल बेर-बेर आह्वान कैल गेल छल, ओ अपन प्रतिक्रिया मे कहली अछि जे “हमरा सब लेल परंपरा विजेता थीक।” आ तहिना ओ अपन विशेष संदेश मे परंपरा सँ एहि प्रतिभाक जबरदस्त गतिशील प्रदर्शन केँ आगुओ पूर्ण जोश एवं उत्साह सँ बनाकय राखबाक लेल हौसला बढेली, तेसर स्थान प्राप्त करबाक कारणे कनिको मोन छोट नहि करबाक लेल सेहो पीठ ठोकली अछि।
निश्चित रूप सँ प्रतिभाक प्रदर्शन केकरो प्रथम या द्वितीय या तृतीय बनबैत छैक, मुदा आइ-काल्हिक टेलिविजन टैलेन्ट शो केर एकटा तकनीकी पक्ष ‘एसएमएस या कौल वोटिंग’ होइत छैक जेकर उद्देश्य नितान्त मनि-मेकिंग होइत छैक। एक दिशि देश मे अनेको छूपल प्रतिभा केँ समुचित मंच भेटैत छैक तऽ दोसर तरफ भौतिकवादी युग केर रीति मुताबिक कोनो भी कार्यक्रम आ चमक-दमक लेल पैसाक खुलेआम खेल होइत छैक। उदाहरणक तौर पर, मात्र परंपराक प्रशंसक-समर्थक केर एसएमएस आ कौल सँ करोड़ों रुपयाक असूली कैल गेलैक। तहिना एहि कार्यक्रम मे जतेक प्रतियोगी भाग लेलक ताहि सबहक प्रशंसक आ समर्थक सँ तहिना असूली कैल गेलैक। एकटा एसएमएस केर खर्च ३ टाका, आ फाइनलिस्ट्स सबहक पक्षमे करोड़ सँ ऊपर कुल वोटिंग भेलैक। हिसाब सहजहि लगायल जा सकैत छैक जे प्रतिभाक खोजीक संग-संग कोन तरहें व्यवसाय कैल जाइत छैक। खैर, एतय अपन पसिनक कोनो भी वस्तु, मान या सम्मान या मनोरंजन आदि लेल खर्च करब मानवीय स्वभाव होइत छैक, आ तेकरा वर्तमान युग मे टैलेन्ट शो केर वोटिंग सिस्टम द्वारा असूली करब वर्तमान समयक दस्तुर टा मानि आगू बढी हम सब।
परंपरा ठाकुर मे जे संभावना छैक से हुनकर प्रदर्शन सँ, हुनक गायकी केर शैली आ प्रस्तुति सँ होइत छैक। संपूर्ण मिथिलाक लोक सहित देश भरिक लोक केर जे परंपराक लेल समर्थन देखल गेलैक, ई उर्जा साधारण नहि भेलैक। कतेको परंपरा हमरा लोकनिक समाज आ भाषाभाषीक बीच सँ आगू बढत यैह आशाक संग परंपराक एहि प्रतियोगिता मे शिखरतम विन्दु धरि जाय तृतीय रहबाक बातक सेहो उच्च मूल्यांकन करैत आगामी भविष्य लेल आरो नीक हेबाक शुभकामनाक संग मैथिली जिन्दाबाद द्वारा चलायल मुहिम मे सहभागिता देनिहार प्रति आभार प्रकट करैत धन्यवाद ज्ञापन कैल जा रहल अछि। धन्यवाद! मैथिली जिन्दाबाद!!