पूर्व विधायक संजीव झा केँ जेल चलान कैल गेल: राजनीतिक षड्यन्त्रक शिकार, कहला विधायक

समाचार साभार: सहरसा टाइम्स

अगस्त २८, २०१५ केर समाचार

पूर्व भाजपा विधायक भेजल गेला जेल……….

पूर्व भाजपा विधायक संजीव कुमार झा आइ सहरसा न्यायालय मे केलनि  आत्मसमर्पण…..
*वर्ष 1999 मे जबरदस्ती डीएम केर कुर्सी पर बैसबाक आरोप पर एकटा मोकदमा छलनि दर्ज ..
*जमानत याचिका भेलनि खारिज, भेजल गेला जेल……
*राजनीतिक साजिश केर भेलहुँ शिकार, स्वयं केँ बतौलनि बेकसूर……
*कहला न्यायालय पर पूरा भरोसा, फैसलाक करैत छी सम्मान …………..

सहरसा टाईम्स केर लेल मुकेश सिंह केर रिपोर्ट :- सहरसाक पूर्व भाजपा विधायक संजीव कुमार झा आइ पूर्व सँ लंबित एकटा मामिला मे सहरसा न्यायालय मे आत्मसमर्पण केलनि जतय हुनकर वकील माननीय न्यायालय मे जमानत केर अर्जी लगेला मुदा जमानत केँ रद्द करैत हुनका जेल पठा देल गेलनि.

ई छथि सहरसाक पूर्व भाजपा विधायक संजीव कुमार झा. हिनका ऊपर सहरसा समाहरणालय मे तोड़फोड़ करबाक, सरकारी काज मे बाधा पहुंचेबाक और जबरदस्ती डीएम केर कुर्सी पर बैसबाक आरोप सहित एकटा मामिला सदर थाना मे वर्ष 1999 मे दर्ज कराओल गेल छल. लम्बा समय सँ ई मामिला लंबित छल जाहि मे आइ पूर्व विधायक प्रथम श्रेणीक न्यायायिक दंडाधिकारी माननीय सतीश कुमार झा केर न्यायालय मे आत्मसमर्पण केलनि. पूर्व विधायक केर वकील विधायक केर जमानत हेतु अर्जी लगेलनि मुदा सुनवाई उपरान्त हिनकर जमानत केर माँग केँ रद्द करैत माननीय न्यायाधीश हुनका जेल पठा देलनि.

सूत्र सँ भेटल जानकारीक मुताबिक़ पूर्व विधायक कोर्ट केर सख्त रुखि और पुलिस केर दबिश केर वजह सँ आत्मसमर्पण करबा लेल मजबूर भेला. एहि मौका पर पूर्व विधायक कहला जे जंगल राज केर समयक ई मामिला छी. भारतीय जनता पार्टी केर युवा मोर्चाक ओ जिलाध्यक्ष छलाह. ओ डीएम कार्यालय केर सामने आक्रोश प्रदर्शन केने छलाह. लेकिन ताहि समय मामिला तीन दिनक बाद दर्ज कराओल गेल छल. जाहिर तौर पर ओहि समयक राजनीतिक चक्रव्यूह केर तहत ई मामिला दर्ज कराओल गेल छल. लेकिन ओ न्यायालय केर फैसलाक सम्मान करैत छथि. न्यायालय सभक लेल समान छैक. न्यायालय केर आदेश पर हम किछु नहि बाजब. ओ न्यायालय पर प्रश्न नहि ठाढ करय चाहैत छथि.