प्रकाश कमती संगे राम नरेश शर्मा, मुम्बई। अगस्त २५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
पैछला रवि दिन २३ अगस्त, २०१५ मुम्बई केर उपनगर नालसोपाराक वाकनपाडा स्थित श्याम इंडस्ट्रियल एस्टेट मे एहि वर्षक ‘विश्वकर्मा पूजा समारोह’ मनेबाक लेल “सुच्चा मैथिल” समूह केर बैसार संपन्न भेल। ज्ञात हो जे ओना तऽ वर्षों-वर्ष सँ ई पूजा मुम्बई मे मैथिल बंधु लोकनि द्वारा आयोजित होयत आबि रहल अछि, मुदा ‘सुच्चा मैथिल’ संस्था केर अस्तित्व मे एलाक बाद आब पिछला साल सँ ई पूजा एहि बैनर केर निचाँ में नालासोपाराक संतोषभुवन मे आयोजित कैल जा रहल अछि।
सुच्चा मैथिल संस्थाक स्थापना ‘निम्नवर्गक आवाज’ केँ मुखर करबाक लेल भेल अछि, जाहि मे मूलत: गैर-ब्राह्मण वा कायस्थ वा अन्य उच्च जातिक लोक बिना मात्र आ मात्र मिथिलाक सुच्चा माटि आ पानि सँ आजीवन जुड़ल रहनिहार सुच्चा वर्गक लोक केँ जोड़िकय बनायल गेल अछि। सामान्यतया मैथिली व मिथिला सँ जुड़ल कोनो संस्थागत प्रयास मे उच्च जातिक एकाधिकार वा बहुल्य उपस्थिति रहबाक एकटा परंपरा बनैत देखि ‘सुच्चा मैथिल’ नामक संस्था मे गैर-उच्चजातिक लोक केँ जोड़ि अपन मातृभूमि ओ मातृभाषा तथा मूल संस्कृति प्रति जागरुक बनबैत ‘मैथिल’ पहिचान केर व्यापकता सँ आत्मसात करेबाक अभियान शुरु कैल गेल अछि। बाबा विश्वकर्मा केर पूजा मैथिल श्रमजीवी-कलाजीवी वर्ग केर विभिन्न जातिक समूह द्वारा विशेष रूप मे मनायल जाइत अछि। उपकरण-औजार केर उपयोगिता ओना तऽ घर-घर मे कैल जाइछ, मुदा खास श्रमजीवी-कलाजीवी वर्ग मैथिल लेल विश्वकर्मा भगवान् केर पूजाक विशेष महत्व अछि। अत: मुम्बई मे एहि पूजाक आयोजन एहि बेर दोसर वर्ष पुन: सुच्चा मैथिल केर सक्रिय आयोजन मे मनेबाक लेल ई बैसार कैल गेल।
एहि बैसार मे पूजाक आयोजन सम्बन्धी योजना पर बहुत रास निर्णय लेल गेल। जेना कि पूजा एहि बेर खूब धूम-धाम सँ होयत आ एहि मे सब सुच्चा मैथिल जोर-शोर सँ साथ देताह जे भविष्य मे आपसी एकता आ सामाजिक सौहार्द्र केर मिसाल बनत ।
एहि सभा मे बहुत रास मित्र बहुत दूर-दूर सँ पहुँचल छलाह। बैसार में बहुत रास गंभीर आ वैचारिक निर्णय सेहो लेल गेल। पूजाक आयोजन लेल बजट, कार्यकरिणि समिति, उच्चाधिकारी समिति (कोर टीम) केर सेहो गठन भेल जाहिं सँ आयोजन सफल आ सुन्नर होइ। संगहि निर्णय लेल गेल जे मिथिलाक सांस्कृतिक लोकनृत्य जट-जटीन, झिझिया, झरनी, महराय(भगताय), सल्हेस नांच आदिक प्रस्तुति सेहो कैल जाय जाहि सँ मिथिलाक मूल कलापूर्ण संस्कृति सँ वर्तमान पीढी केँ जोड़िकय राखल जा सकैत अछि। सब वक्ता लोकनिक उत्साह आ विचार सँ सुच्चा मैथिल मे बहुत नीक सन्देश संगे नव उर्जाक संचरण भेल। एक सँ एक ऊर्जावान सुच्चा मैथिल सब अपन विचार रखलाह जिनकर नाम निम्नलिखित अछि।
रवि मंडल जी (नवी मुंबई मैथिल समाज, अध्यक्ष), रामनरेश शर्मा जी (दरभंगा निवासी आ उद्यमी), सुशील मंडल जी (मधुबनी निवासी आ कॉन्ट्रैक्टर), अमिताभ रंजन जी (बॉलीवुड गीतकार आ पत्रकार), मदन शर्मा जी (मुजफ्फरपुर निवासी आ उद्यमी), परमानन्द शर्मा जी (बेगुसराय निवासी आ एक्टर), मिथिलेश शर्मा जी (समस्तीपुर निवासी आ उद्यमी), प्रकाश कमती जी (तरौनी निवासी आ सुच्चा मैथिल लेल समर्पित), अशोक ठाकुर जी आ अरुण ठाकुर जी ( दरभंगा निवासी आ उद्यमी), वरूण मंडल(मॉडल), संतोष शर्मा जी आ लल्लन शर्मा जी (कॉन्ट्रैक्टर), पवन शर्मा जी (कॉन्ट्रैक्टर), कुमार साहू जी, दिगंबर शर्मा जी, लालबाबू शर्मा जी, सुजीत मंडल जी, चन्दन शर्मा जी, संजय मंडल जी, प्रदीप जी, रामदास शर्मा जी, अनिल ठाकुर जी, दिनेश शर्मा जी, कपिल जी, विजय शर्मा जी, सुनील शर्मा जी, ललित शर्मा जी, दिलीप शर्मा जी, सुरेश शर्मा जी, रामगणेश शर्मा जी, विजय कुमार शर्मा जी, रोहित शर्मा जी, शैलेश शर्मा जी, राकेश शर्मा जी, धीरज शर्मा जी, गुड्डू शर्मा जी , राजेश शर्मा जी, विपिन शर्मा जी। आरो किछु मित्र सब जे नै आबि सकलाह मुदा अगिला मिटिंग में अपन उपस्थिति लेल वचन देलाह :- अजित निराला जी (सिंगर), रोहित मंडल जी (व्यापारी), राजेश पूर्वे जी (व्यापारी), सतीश शर्मा जी (सिंगर), अशोक गुप्ता जी (किंग फिसर लिक्वोर में कार्यरत)।
एहि तरहे ४० सँ बेसी लोक केर उपस्थिति रहल। सुच्चा मैथिल वर्ग केर लोक मे शिक्षाक स्तर मे सुधार कोना कैल जाय ताहि विषय पर सेहो वैचारिक चिंतन कैल गेल। बाल-बच्चाक पढाई संग-संग दहेज प्रथाक बढैत कोप सँ बेटीक अवहेलना सँ निजात आ एहि लेल उचित डेग व समर्पण लेल सुच्चा मैथिल कोन रुपे काज करय ताहि लेल आपसी विचारक आदान प्रदान कैल गेल। सब गोटे एकता के राह प्रशस्त करि ताहि ऊपर जोर देल गेल। अगिला बैसार बहूत जल्दी हो जाहि मे कार्यक्रम केर रूपरेखा तय हो, एहि संग ई बैसार खत्म भेल ।