मधेशी शहीदक संग अछि प्रवासी मधेशी समाज कतार: शहीदक परिवार लेल सहयोग संकलन

बिन्देश्वर ठाकुर, दोहा, कतार। अगस्त २२, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

rajiv raut shahidसंक्रमणकाल सँ निकैल रहल नेपाल मे संविधान बनेबाक प्रक्रिया अन्तिम दौर मे अछि। पहिने सीमांकन-नामांकनविहीन संघीयताक नाटक आ तेकर विरोध भेलाक बाद मनमौजी प्रदेशक सीमांकन सँ उत्पन्न विवाद आ जनाक्रोश सँ पूरे देश मे असन्तुष्ट जनता द्वारा बन्द-हड़तालक कार्यक्रम जोर पकड़ने जा रहल अछि, मुदा सरकार द्वारा समुचित संबोधन करबाक ठाम पर एखन धरि मनमाफिक ६ प्रदेश सँ ७ प्रदेश आ अन्यान्य बात कैल जा रहल अछि, मुदा विगत मे भेल मधेश केन्द्रित शान्ति-समझौता सब पर केकरो ध्यान नहि जा रहलैक अछि जाहि सँ संपूर्ण मधेशी समुदाय मे नेपाल सरकार प्रति आस्था टूटय लगलैक अछि आ जहतर-पहतर आन्दोलन हिंसक रूप मे सेहो देखाय लागल छैक।

एहेन अव्यवस्था मे कानून केर रक्षक स्वयं यदि कानून केर भक्षक बनिकय आक्रोशित जनता केँ समझा-बुझा स्थिति नियंत्रित रखबाक ठाम पर सीधे छाती पर गोली मारतैक आ निर्दोष जनता केँ शहीद बनौतैक तऽ देश मे क्रान्ति पसरबे करतैक, शान्ति भंग हेब्बे करतैक। आब देश सँ बाहर रहि रहल जनता मे सेहो आक्रोश एहि तरहें पसरय लागल छैक जेकर परावार नहि।

कतारमे सेहो भऽ रहल अछि मधेश वास्ते क्रान्ति

शहीद राजीव राउत केर परिवार लेल सहयोगक बिगुल फुका’ रहल अछि मधेशी जनमानस मे । मसाल जरए सबहक घर-घरमे !! शहीदक सम्मान हो हर नगरमे !! एहि हार्दिक अपिल केर संग मधेशक हक-अधिकार लेल 18 August 2015, मंगल दिन अपन प्राणकेर आहुति देनिहार मधेशक वीर सपूत स्व. राजेन्द्र कुमार राउत ( राजीव राउत) प्रति हार्दिक श्रद्धाञ्जली प्रकट करैत हुनकर पीडित परिवार लेल दोहा-कतारसँ आर्थिक सहयोग संकलन शुरु भेल अछि । अपील कैल गेल अछि जे अपना-अपना दिस सँ यथासम्भव स्वैच्छिक सहयोग कय एहि पुनित काज मे अपन योगदान दैत पुण्यक भागी बनू। एखन धरि एहि मे स्वस्फूर्त बढि-चढिकय मधेशी समुदायक कमौआ पुत सब स्वैच्छिक सहयोग जमा कय रहल अछि। एहि अभियान सँ ई संवाद मधेशी केँ देबाक अछि जे आन्दोलन मे देश सँ दूर रहितो सब मधेशी एकजुटता सँ अहाँ सबहक संग अछि। २५० वर्षक उत्पीड़ण देनिहार पहाड़िया शासकवर्ग सँ स्वायत्तशासन लेल मधेश एक प्रदेश केर माँग मनबाइये के छोड़बाक छैक। आयोजकवर्ग द्वारा देल जानकारी मुताबिक शासकवर्गक जिद्द सँ मधेश संग पहिले कैल गेल समझौता केँ नकारब अपच्य छैक।