विश्लेषण
प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक लोकप्रियता सँ जतय करोड़ों जनता गर्व कय रहल अछि, ओतहि एकटा विशेष वर्ग एहनो अछि जेकरा बिना कारणो दुसबाक आदति पड़ि गेल छैक। मैथिली मे एकटा कहाबत छैक जे ‘बूटक ओंकरी टेढ’, यानि मधुश्रावणीक भार-साँठ मे सब किछु खूब नीक लागल, मुदा बूटक जे ओंकरी आयल ओ टेढ छल। किछु न किछु कमी निकालिये कय दम लेब। प्रधानमंत्री द्वारा देल गेल विशेष आर्थिक पैकेज मे लगभग सब क्षेत्र मे उल्लेखनीय प्रगति व विकासक कार्य लेल कोषकेर प्रावधान कैल गेल अछि। मुदा एम्हर सोशियल मिडिया पर हतोत्साहित विश्लेषक सब एकरा बिना बुझनहिये विश्लेषण करय मे लागि गेल छथि।

प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी द्वारा देल गेल आर्थिक पैकेज मे मिथिला लेल कि – कहू जे देशक प्रधानमंत्री ‘बिहार आ मिथिला’ अलग-अलग कहिकय संबोधन करता तखने बुझबैक जे फल्लाँ विकास या फल्लाँ काज मिथिला लेल होयत?
राष्ट्रीय उच्चपथ, ग्रामीण सड़क, नदी-जोड़ैत जलमार्ग, रेलवे पूल, रेलवे लाइनक दोहरीकरण-तेहरीकरण आ लाइन-विस्तारक कार्य, कृषक लेल पुसा विश्वविद्यालय केँ केन्द्रीय विश्वविद्यालय बनबैत नकदी फसल केर उत्पादकता बढेबाक कार्य सँ कृषि कल्याण केर कार्य, आइटी पार्क दरभंगा मे, मुजफ्फरपुर आ भागलपुर मे २ नव इलेक्ट्रानिक्स आ टेक्नीकल इन्स्टीच्युट्स, पर्यटन विकास आ ताहिसँ रोजगार अभिवृद्धिक नियार लेल कोष आबंटन, शिक्षा आ दक्षता बढेबाक लेल युवा प्रशिक्षण केर इन्तजाम, डिजीटल कनेक्टिविटी बढेबाक बात, भागलपुर मे केन्द्रीय विश्वविद्यालय, बरौनी रिफाइनरीक क्षमताकेँ डेढगुना बढेनाय, नव पेट्रोकेमिकल उद्योगक स्थापना, हल्दिया सँ सीधे गैस पाइपलाइन, अस्पताल निर्माण आ विद्यमान पैघ अस्पताल केर अवस्था मे सुधार, कृषक केर सुविधा आ समुचित रिटर्न पेबाक लेल उचित मात्रा मे अन्न भंडारण गृहकेर निर्माण, मुजफ्फरपुर मे नव एलपीजी प्लान्ट…. आर तऽ आर, नव औद्योगिक वातावरण केर निर्माणक संग रोजगार अभिवृद्धि लेल आयकर कानून मे सुधार कय १५% कैपिटल तक केर टैक्स रिबेट्स आ फरदर १५% केर प्रोविजन केर छूट…. आबो यदि अहाँ अपन विकास नहि कय सकब तऽ भगवानहि केँ गोहारू ‘दिल्ली-पैनजाब-भदोही’ मे बैसिकय… वैह किछु कय सकैत छथि।
एतय प्रश्न उठल अछि मिथिला समाजक एक वयोवृद्ध साहित्यसेवी माता श्रीमती शेफालिका वर्माक तरफ सँ…. ओ कहैत छथि:
“हम गणित में कमजोर रहलौं तै बेसी बात नै बुझलौं ; हमरा स्पष्ट क’ दिय कनि। .——
१।मिथिला राज्य पृथक करवा लेल की बजलाह ?? किएक ते जखन लोहा गर्म रहैत छैक तखने चोट देल जाइत छैक —
२–बंद पड़ल मिल सब के खोजवा ले की बजलाह –जाहि से ओहि क्षेत्र के रोजगार मिले
३ —- सहरसा में ऐम्स खोलवा लेल की बजलाह ?? जाहि से कोसी अंचल के लोग बेमौत नै मरय
४—दरभंगा सहरसा में अविलम्ब टूरिस्ट सेंटर ले की बजलाह
५— सहरसा के हवाई यात्रा लेल किछ बजलाह की नय –?/
हमरा सब के पैकेज से कोन मतलब , ओ बिहार सरकारक छै , मिथिलांचल लेल अहां देखब छदामो नै
हमर सभक घर आबि प्रधान मंत्री अपन ओज पूर्ण भाषण से मुग्ध क गेला
हम देखते ही रह गए
वो आये और चले गए “
आब, स्वयं सोचू जे कोनो केन्द्रीय सरकार देशक विद्यमान अवस्था मे बिना जनभावना रहनहि कोना मिथिला राज्य पृथक करबाक बात स्वस्फूर्त कहि देत, लोहा केँ कोन तरहें गरम कहल गेल, बंद पड़ल मिल सब केँ खोलबाक तऽ योजना देले गेल अछि आ वर्षों-वर्ष सँ एहि पर काबिज झूठक युनियन आ स्थानीय ठेकेदारक चांगूर सँ मुक्ति आइ धरि नहि भेटल, ऊपर सँ स्थानीय जनप्रतिनिधि लंग कोनो योजना तक नहि अछि… एहेन मे प्रधानमंत्री देश चलेनाय छोड़ि किछु दिन एहि मिल सब केँ खोलबाक लेल लबिंग करता तखनहि किछु संभव होत…. दरभंगा मे टूरिस्ट सेन्टर कोन स्थानक टूर कराबय लेल, सहरसा मे तऽ अछियो आ ओहि दिशा मे काजो लोक करैत अछि… दरभंगा मे एगो अहिल्यास्थान आ ताहिठाम सत्रह गो कसाई सरकारी मुर्गाक हलाल करय लेल कत्ता लय तैयार अछि…. हमरा हंसियो अबैत अछि… माय केर जानकारी मे ई सब छन्हियो वा नहि…. सहरसा मे हवाई यात्रा लेल पुर्णिया एयरपोर्ट केर बात बाजिये देलाह… योजना बनाकय पुर्णिया आ रक्सौल दुइ हवाईअड्डा केर बात कहिये देला… पैकेज सँ मतलब नहि रखबैक, कि सब योजना छैक तेकरा उलटैयो कय नहि देखबैक तऽ सब दिन बेवकूफ रहलौं आ सब दिन बेवकूफे रहब। दोसरेक चाकरी मे गोनू मस्त!
प्रधानमंत्री ओजस्वी छथि, हम सब सम्मान करी, आत्मसम्मान बढाबी, विकास लेल ओ ओहिना नहि न सवा सौ करोड़ देशवासीक टीम इंडिया केर बात कहैत छथिन, अहाँ सहभागी तऽ होइयौक।
हरि: हर:!!