Search

केन्द्र सरकारक सवा-लाख-करोड़ केर बिहारी आर्थिक पैकेजमे मिथिला लेल कि-कि

विशेष संपादकीय – प्रधानमंत्री द्वारा देल गेल विशेष आर्थिक पैकेज केर पूर्ण विश्लेषण

modi special package biharकाल्हि आरा मे नाटकीय शैली मे विशाल जनसभा केँ संबोधित करैत प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी अपन पूर्व मे प्रकट कैल प्रतिबद्धता केँ  मूर्तरूप देबाक घोषणा कएलनि। ओ अपन जानल-मानल अंदाज मे जनताक नब्ज संग अपन भाषाक प्रवाह मे पूर्ण जोश मे बाजय लगलाह जे “हम अपन पूर्व मे देल वादा आइ, एत्तहि सँ घोषणा करय चाहब। बिहार लेल स्पेशल आर्थिक पैकेज केर घोषणा अहाँ सबहक सोझें मे करब। ५० करोड़… ६० करोड़…. ७० करोड़…. नहि-नहि! पूरे सवा-लाख करोड़! पूरे सवा-लाख करोड़ केर पैकेज बिहार लेल उपलब्ध करायब।” आर प्रधानमंत्रीक एहि घोषणाक संग ओतबे जोश आ उत्साह सँ बिहारक जनता ताली आ जयकाराक संग ओहि आर्थिक पैकेज लेल गदगदी प्रकट करैत रहल।

नरेन्द्र मोदी केर सरकारक लोकप्रियता एक तरफ आकाश छूबि रहल अछि आ अन्तर्राष्ट्रीय समुदाय मे एहि बातक भरपूर चर्चा चलैत अछि। तऽ दोसर दिशि मोदी विरोधी एहि सब जोश आ उत्साह सँ तिलमिलाइत अछि आर बेर-बेर एतबे बजैत अछि जे मोदी फेकैत बेसी छथि, करैत कम छथि, इत्यादि। बिहार लेल कैल घोषणा पर सेहो एहने तीक्ष्ण टिप्पणी मोदी विरोधी सँ भेटब स्वाभाविके छैक। निराशावादीक विचार मे आशा आ अपेक्षाक कोनो स्थान नहि छैक। मोदीक सफलता आ लोकप्रियता तऽ आरो एहेन विरोधीकेँ नहि पचैत छैक। अत: मोदी अपन फेसबुक पर अपडेट देबाक संग-संग आर्थिक पैकेज आ ताहि पाछाँ रहल विस्तृत दृष्टिकोण (योजना) केँ अपन वेबसाइट पर सेहो प्रकाशित कएलनि। आउ, ओहि वेबसाइट पर उपलब्ध कराओल गेल घोषणा अनुरूप ई पता करी जे कि सब विकास योजना अछि आ कोन मद लेल कतेक पैसा कोन क्षेत्र केँ लाभ पहुँचायत। एहि मे मिथिलाक्षेत्र केँ कि सब लाभ भेटत।

६. भंडारण और यातायात सुविधा केर अभाव मे किसान अपन उत्पाद केँ कम दाम मे बेचय पर मज़बूर भऽ जाइत अछि। एहि पैकेज मे अनाज भंडारण क्षमता मे विकास लेल ८१४ करोड़ रु. केर प्रावधान कैल गेल अछि तथा ग्रामीण सड़क केर विकास लेल प्रधानमंत्री ग्राम सड़क योजनाक अंतर्गत २२,५०० किलोमीटर सड़क केर निर्माण हेतु १३,८२० करोड़ रु. केर प्रावधान कैल गेल अछि।

Related Articles