सहरसा मे प्रधानमंत्री: संपादक किसलय कृष्णक प्रत्यक्ष-दृष्टि द्वारा सीधा सभा-स्थलसँ

विशेष संपादकीय

(समाचार संपादक किसलय कृष्ण केर प्रत्यक्षदर्शन पर आधारित अनुभूति)

मैथिली रंग परिवर्तन रैलीक संग….सहरसा बनल गवाह

kislay at pm sabha– किसलय कृष्ण, समाचार संपादक, मैथिली जिन्दाबाद!

अगस्त १८, २०१५, सहरसा सभास्थल।

भोरे नौ बजे पत्रकार मित्र कुमार आशीष संगे सभा स्थल पहुँचि गेल रही। कड़गर सुरक्षा जाँचक बाद प्रेस दीर्घामे प्रविष्ट होइत स्थान ग्रहण केलहुँ मुदा इण्टरनेट पर सेहो ग्रहण लागि गेल । मोन मसोसिके रहि गेलहुँ जे मैथिली जिन्दाबाद पर त्वरित समाचार नहि भेजि सकब । तखन अकानय लगलहुँ विशाल उपस्थितिकेँ। डेढ़ लाखसँ बेसीक जनसमूह, मधुबनी सँ ल क पूब पूर्णिया धरिक लोक आ राजनेताक जमावड़ा जेना मिथिलाक केन्द्र स्थली सहरसामे कोनो कुम्भ हो । ई सभ खिस्सा अलग सँ कहब, एखन सुनबैत छी जे कोना रंगि गेल मिथिलाक रंगमे मोदी जी केर ई परिवर्तन रैली ……..

दू टा मंच बनल छल सभास्थल पर, एक मुख्य मंच त दोसर अतिरिक्त मंच । दिनक करीब एगारह बजे मैथिलीक प्राध्यापक आ भाजपाक प्रदेश उपाध्यक्ष अतिरिक्त मंचक संचालन सम्हारैत पाँच वर्षीया अलभ्याकेँ श्लोक सर्वमंगल श्लोकक गायन लेल आमंत्रित केलनि आ सम्बोधनक क्रम आरम्भ भऽ गेल । पहिल वक्ताक रुप मे पूर्व विधायक आ भाजपाक वरिष्ठ नेता कामेश्वर चौपाल जखने पहिल भाषण मैथिली मे आरम्भ केलनि त लाखो थपड़ी गड़गड़ा उठल ।

सम्बोधनक दौड़ चलैत रहल, सुनैत रहलहुँ कि चोट्टहि पहुँचलाह पूर्व विधायक संजीव कुमार झा आ मैथिलीमय कय देलनि । अपन संक्षिप्त भाषण मे ओ मिथिलाक पर्यटन पर ध्यान केन्द्रित करैत एकरा उद्योगक दर्जा भेटबाक ओकालति केलनि । तकरा बाद कैक गोट वक्ता बजैत रहलाह कि बिच्चहि मे कने काल लेल हम केर प्रदेश सचिव आ मैथिली अभिमानी युवा विमलकान्त झा सेहो अपन वक्तव्य मातृभाषा मे रखैत मिथिलाक समस्या सभकेँ राखलनि ।

namo paag3

आब कार्यक्रम मुख्य मंच पर चलि गेल छल । संचालन कय रहल छलाह विधान पार्षद दिलीप जायसवाल । एहिठाम सँ बजैत भाजपाक वरिष्ठ नेता डॅा सी पी ठाकुर कहलनि जे अटल जी मिथिला केँ जोड़बाक लेल महासेतु देलखिन, आइ हम प्रधानमंत्री सँ मांग राखैत छिअनि जे जल्दिए एहि महासेतुक नामकरण मिथिलाक प्रकाण्ड विद्वान भारती मण्डन महासेतु कएल जाय । बस पुन: करतल ध्वनि सँ गूँजि उठल पटेल मैदान । आब ई आस जल्दिए पूरा होयत से विश्वास जगैत अछि ।

सांसद कीर्ति आजाद मैथिली मे अपन सम्बोधन करैत सहरसाकेँ मिथिलाक हृदयस्थली कहलनि तऽ हुकुदेव नारायण यादव अपन भाषाक आदर करैत मण्डन, संत लक्ष्मीनाथ, कारु खिरहरि केँ नमन केलनि आ एहि तरहेँ सभाक मुख्य स्वर मैथिली बनैत गेल ।

कनिए काल बाद अकासमे हेलिकाप्टरक ध्वनि गड़गड़ायल आ लाखो जोड़ी नैन अकास दिस घुमि गेल अपन देशक वर्तमान भाग्यनियन्ताक स्वागत मे । हवाई अड्डा पर उतरिते मातर पूर्व मंत्री नितीश मिश्र प्रधानमंत्री नरेन्द्र भाइ मोदी केर माथ पर मिथिला पेण्टिंग सँ चित्रित पाग आ हुनक कान्ह पर मिथिले पेन्टिंगक दोपटा रखलनि त विधायक नीरज कुमार बबलू मखानक माला सँ हुनक स्वागत केलनि।

पाग आ मखानक माला सँ पुन: मंच पर हुनक स्वागत विधायक आलोक रंजन आ विधान पार्षद नूतन सिंह केलनि । उक्त मंच सँ केन्द्रीय मंत्री रामविलास पासवान केर हाथ सँ प्रधान मंत्री केँ मिथिला चित्रशैली मे उकेरित माँ उग्रताराक पेन्टिंग भेंट कयल गेल आ मोदी जी…. ओ त आत्म विभोर भ गेलाह आ बाजि उठलाह जे….हम एहि पुण्यभूमि पर आबिकेँ गदगद भ गेलहुँ । आइ हम मिथिला मे आयल छी, अहाँ सभकेँ कर जोड़ि प्रणाम करैत छी आ हमरा सन मैथिली अभियानी दुनिया केर सभ किछु बिसरि मैथिली मे समा गेल छलहुँ, मातृभाषा केर सम्मान देखि हर्खे आँखि नोरा गेल छल आ कवि स्नेहलताक गीत मोनमे चलय लागल छल…..

हमरा नइ चाही यौ पाहुन, धनुष आर वाण हे…..
हमरा त चाही यौ पाहुन , अहीं सन मेहमान हे……
मिथिला के नतवा से बढि गेलय शान हे