नया बिहार बनेवा लेल समस्या सँ पहिने समाधान: प्रधानमंत्री

विशेष संपादकीय

– विजय महापात्रा, महिषी, सहरसा,

(अतिथि संपादक)

DSC03902परिवर्तन रैली केँ संबोधित करैत देशक प्रधानमंत्री नरेन्द्र भाई मोदी १८ अगस्त २०१५ केँ सहरसाक पटेल मैदान मे अपन भाषाण मे कहलनि जे नया बिहार बनेवा लेल हम समस्या सँ पहिने समाधान खोलि लेने छी तकरे कारण अछि जे बिहार विकासक लेल आय हम सवा लाख करोड़ रुपया आर्थिक पैकेज केर घोषणा आराक जनसभा मे कएल। मैथिली मे अपन भाषणक शुरु करैत पहिने ओ कहलनि जे आय हम मिथिलाक पुण्य भूमि पर गदगद छी आ अहाँ सबकेँ प्रणाम करैत छी।

अपन ओजस्वी विचारक संग ओ कहलनि जे सात साल पहिने कुसहा त्रासदीक शिकार ३५ लाख परिवारक दु:खमे अपन सहभागिताक लेल हम गुजरा सरकार दिशि सँ पाँच करोड़ रुपयाक राहत राशि वर्तमान सरकारक प्रधान केँ पठेने रही जे ओ अपन अहंकार केर कारण ओ राशि हमरा घूमा देलनि। जखन कि ओ राशि मे गुजरात मे रहनिहार बिहारक जनताक भागीदारी सेहो छल। जनता सँ प्रश्न करैत माननीय प्रधानमंत्री कहलनि कि एक भाय अपन दोसर भाय केँ दु:खक घड़ी मे संग देबा लेल ठाढ होएत छथि आ दोसर भाय ओकर अनादर करैत छथि तँ कि ओकर अहंकार नहि तऽ आर दोसर कि भऽ सकैत अछि।

पटेल मैदान मे खचाखच भरल भीड़ केँ सम्बोधित करैत ओ कहलनि जे वर्तमान सरकार देश भक्तक एकटा एहेन सिपाही जे भ्रष्टाचारक खिलाफ आवाज उठेनिहार बिहारक सपुत जयप्रकाश नारायणक हत्यारा (काँग्रेस) केर संग मिलि आगामी चुनाव लड़बाक लेल हाथ मिलाकय अपन दाग केँ छुपेबा मे लागल अछि, कि अहाँ सब कहू जयप्रकाश नारायणक बिहारक प्रति बलिदान जकरा तत्कालीन प्रधानमंत्री स्व. श्रीमती इन्दिरा गाँधी जेल मे डालिकय हुनका बीमार कय देलक, हुनक अपराधक विषय मे अहाँ महागठबंधन सरकारक गद्दी पर बैसल राजनेताकेँ पूछियौ जे कि हुनक अपराध ई लोकनि साबित कय सकैत अछि।

प्रधानमंत्री नरेन्द्र भाय मोदी वर्तमान सरकारक जंगलराजक संकेत दैत कहलनि जे जनबरी २०१५ मे बिहार मे अपराधिक घटना १३,८०८ छल जे जून मे बढिकय १८,५०० भऽ गेल। हत्या ३६५ केँ पार कय ४६७ भऽ गेल आ दंगा ८६६ केँ पार कय १४९७ भऽ गेल। एहि प्रकार सँ देखल जाय तँ बिहारक जनताक लेल खतराक घंटी बाजि गेल अछि। एहि सँ बचबाक लेल मात्र एक उपाय अछि जे बिहार मे परिवर्तन आवश्यक अछि।

वर्ष २०१४ केर जिक्र करैत ओ कहलनि जे अहाँ सबहक अपार समर्थन सँ भारत मे हमर सरकार बनल छल। एक बेर फेर सँ कोसी अपन भयावह रूप धारण करबाक लेल नेपाल मे जलक एकटा भण्डार बनाबय लगलीह, हमरा एहि बातक सूचना भेटल आ हम नेपालक यात्रा कय केँ नेपाल सरकार सँ बात केलहुँ आ कुसहा त्रासदीकेर दोबारा संकटकेँ टालबाक लेल जलभण्डारक स्थल सँ कएकटा टुकड़ा मे ओकरा यत्र-तत्र मार्ग मे परिवर्तित कय संकट केँ टालबा मे सफलता हासिल कएल। जखन हम दिल्ली सँ नेपालक बगलक प्रदेश बिहारक वर्तमान राजनेता लोकनि केँ नेपालक संग एहि संकट केँ दूर करबाक लेल पहल हेतु संकेत देने रही। जँ बिहार सरकारक आस मे हम रहितहुँ तऽ जहिना कुसहा मे अपन सम्बन्धी केँ लाभ देबाक लेल बाँध तोड़ल गेल छल तहिना फेर सँ ओकर पुनरावृत्ति भऽ जएतें।

एनडीए केर पक्ष मे प्रधानमंत्री पूर्व अपन सम्बोधन मे बिहार पूर्व केन्द्रीय मंत्री सी. पी. ठाकुर कहलनि जे माननीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र भाय मोदी सँ पहिने प्रधानमंत्रीक रूप मे श्री अटल बिहारी वाजपेयी मिथिलाँचलक जनता केँ दुइ भाग मे बँटल मिथिला केँ एक करबाक लेल भपटियाहीक नजदीक कोसी नदी पर महासेतु बनेबाक शिलान्यास कएलनि, जकर नाम भारती-मण्डन राखल जाएत। पटेल मैदान मे उपस्थित एनडीए समर्थित जनताकेँ अपन-अपन संभाषण मे खगड़ियाक सांसद महबूब अली केसर, पूर्व सांसद विश्वमोहनजी, पूर्व सांसद अररिया प्रदीप सिंह, पूर्व सांसद कटिहार निखिल कुमार चौधरी, पूर्व सांसद देवेन्द्र प्रसाद यादव, पूर्व सांसद पुर्णियां उदय नारायण सिंह उर्फ पप्पू सिंह, सांसद दरभंगा कीर्ति झा आजाद, सांसद मधुबनी हुकुमदेव ना. यादव, शकुनि चौधरी, संसद नित्यानंद राय, पूर्व सांसद आ पूर्व केन्द्रीय मंत्री शहनवाज हुसैन, सांसद झंझारपुर वीरेन्द्र चौधरी, प्रदेश भापजा अध्यक्ष मंगल पाण्डेय, पूर्व मुख्यमंत्री जीतनराम माझी आदि सेहो कहलनि जे बिहारक विकास तखनहि संभव अछि जखन जनता आगामी चुनाव मे बिहार मे परिवर्तनक हुंकार भरताह आ एनडीए केँ संग देताह।

परिवर्तन रैलीक सबसँ पैघ उपलब्धि रहल जे माननीय प्रधानमंत्री पहिले अपन भाषण मैथिली मे आरंभ केलनि आ पहिले बेर कोसीक धरतीपर प्रधानमंत्रीक रूपमे भगवती उग्रताराक प्रतिमा, प्रतीक चिह्न स्वरूप हुनका भेंट कैल गेल।