रंजित झा, रिषरा, कोलकाता। अगस्त १६, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
काल्हि १५ अगस्त,२०१५ मिथिला नव चेतना समिति, रिषरा द्वारा प्रत्येक बरखक तरहे अहु बेर “चेतना समारोह” क आयोजन कैल गेल छल। कार्यक्रम दुइ सत्र मे बाँटल गेल छल। प्रथम सत्रक उद्घाटन वरिष्ठ साहित्यकार श्रीमान् रामलोचन ठाकुर जीक करकमल सँ भेल आ प्रधान वक्ता श्री नविन चौधरी, प्रधान अतिथि सुप्रसिद्ध गजलकार श्री राजिव रंजन मिश्र आ अध्यक्षता समितिक कोषाध्यक्ष श्री भवनाथ झा द्वारा कैल गेल छल। संचालन वरिष्ठ रंगकर्मी श्री भवनाथ जी कएलनि। वक्ता लोकनि अपन ओज भरल स्वर मे मैथिली-मिथिलाक सम-सामयिक परिस्थिति पर चर्चा करैत सजगता केँ आरो बढेबा पर जोर देलनि।
दोसर सत्र मे कवि सम्मेलनक आयोजन कैल गेल जाहि मे कविता पाठ केलनि श्री उमा कान्त झा ‘बक्सी’, अनुप सत्यनारायण झा- मुम्बइ, विनय भुषण ठाकुर, राजिव रंजन मिश्र, रूपेश त्योंथ, मिथिलेश झा, चंदन झा, गंगा झा, आमोद झा, विजय इस्सर, नबोनाथ मिश्र, अजय कुमार झा ‘तिरहुतीया’, अरूण कुमार सिंह आ एहि सत्रक अध्यक्षता केलनि श्री लक्ष्मण झा ‘सागर’।
तहन किछु विशेष कारण सँ श्री अनमोल झा आ शारिरिक अस्वस्थाक चलते श्री भाष्करानन्द ‘भाष्कर’ जीक अनुपस्थित आयोजक वर्ग केँ बहुत अखड़लैन। एहि सत्रक संचालनक भार रंजित झा (समाचार प्रस्तोता) द्वारा कैल गेल। श्रोताक थपरी कार्यक्रमक सफल आयोजन केर संकेत दैत बुझाइत रहल।
कार्यक्रम मे पत्रकार बन्धु श्री प्रकाश झा शुरू सँ अन्त धरि श्रोता दिर्घाक शोभा बढ़ा रहल छलाह, संगहि उपस्थित छलैथ विभिन्न मैथिली संस्थाक वरिष्ठ सदस्य लोकनि, कोन्नगर सँ श्री राजकुमार झा आ लिलआ सँ श्री बचन झा। कोलकाताक मैथिली महासागर मे मिथिला नव चेतना समितिक एहि आयोजनक महत्त्वक चर्चा सगरो कैल जा रहल अछि जे मैथिली जिन्दाबाद केर द्योतक बुझाइत अछि।
आयोजक समितिक वार्षिकोत्सव पर पूर्व वर्षक भाँति अहु वर्ष स्मारिकाक प्रकाशन-विमोचन सेहो कैल गेल।