Search

विराटनगर मे रासलीला – श्री हरि सत्संग समितिक अत्यन्त लोकप्रिय आ अनुकरणीय आयोजन

प्रवीण नारायण चौधरी, विराटनगर । २४ मार्च २०२५, मैथिली जिन्दाबाद !!

विराटनगरक ऐतिहासिक धराधाममे भगवान् श्रीकृष्णक जीवनलीला अर्थात् रासलीलाक आयोजन सम्पन्न भेल अछि । अद्भुत आर अपूर्व सुखक अनुभूति करैत हजारों भक्त-श्रद्धालुसब लाभान्वित भेलाह अछि ।
श्री हरि सत्संग समितिद्वारा आयोजित ५ दिवसीय (पब्लिक मांगमे १ दिन बढ़ाकय ६ दिनक) आयोजन सच्चे बड नीक कार्यक्रम भेल । सत्संगमे रंगमंचीय प्रस्तुतिक प्राचीनशैलीमे भगवान् कृष्णक लीला देखय प्रतिदिन हजारों भक्त-श्रद्धालु अयलाह । विराटनगरमे एहेन सुन्दर सत्संगक भरपूर आनन्द उठेबाक नीक अवसर जेहेन हमरा लागल ।

वृन्दावनसँ आयल रंगकर्मीसभक टोली, खासमे गाबयवला व्यास, बजबयवला वादकसभक संग विभिन्न पात्रसभक भूमिका निर्वाह करयवला सम्पूर्ण कलाकारसभक अत्यन्त रसमयी-रमणीक प्रस्तुति सब दर्शकके मनलुभावन लगलनि । भक्ति आ आध्यात्मक महत्वपूर्ण सन्देश दैत मानवजीवनमे सत्संगसँ प्राप्त होयबला ऊर्जाक जिबन्त तस्वीर देखबाक लेल भेटल ।

समितिक राष्ट्रीय अध्यक्ष श्री भिकमचन्द सरल, संयोजक श्री महेश कुमार स्वर्णकार, सचिव-उद्घोषक श्री विद्यानन्द माझी सहित सम्पूर्ण कार्यसमिति आ कार्यदलकेर मेहनतिक जतेक प्रशंसा करब कम होयत । सहभागी सम्पूर्ण अभिभावकगण एवं समितिसंग आबद्ध हरेक व्यक्तिक जतेक धन्यवाद करब से कमे होयत ।
उद्घाटन सत्रक अतिरिक्त आर १ दिनक कार्यक्रम जाहिमे मीराबाईकेर गिरिधर गोपालसंग अनन्य प्रेम तथा भक्ति दर्शेबाक लीला प्रस्तुति कयल गेल छल, हम सेहो प्रत्यक्षदर्शी बनिकय आनन्द उठेलहुँ । हृदयमे एतबे बेसी स्नेहभाव जागल जे कार्यक्रमस्थलमे प्रवेश करैत टीकाधारण करब, तेकरबाद स्थानीय भजन-संस्कृति प्रस्तुत करयवला कलाकारसभक प्रस्तुति विभिन्न जात-जातिमे प्रचलित भगवद्भक्तिक कलात्मक स्वरूप देखब, आर फेर रासलीला कलाकारसभक आरम्भ श्री राधाकृष्ण आरतीक भावपूर्ण प्रस्तुति, लगभग २ घन्टाक अबधिमे कृष्णलीला आ फेर अन्तिम समयमे स्वयं गिरिधर गोपालक चरण स्पर्श कय आशीर्वाद ग्रहण करब – मनमे एहेन अनुभूति भेल मानू साक्षात् गोलोकमे पहुँचि गेल होइ ।
आ, गोलोकमे अपन विराटनगरवासी अनेकों अभिभावकसब, माता-बहिनसब तथा मित्र-बन्धुसभक संगमे छी, ताहिसँ हमर मोनक आनन्द आर कतेको गुना बेसी बढ़ि जेबाक अनुभव कयलहुँ ।
संयोजक श्री महेश स्वर्णकारजी तथा राष्ट्रीय अध्यक्ष आदरणीय भिकमचन्द सरलजीक व्यक्तिगत सक्रियता, सभक संग हालचाल पुछैत रहब आ स्वागत-सत्कार करैत कतेको महत्वपूर्ण व्यक्तित्व सबकेँ औपचारिक आसन सेहो ग्रहण कराबय, मंचीय व्यवस्थापनमे चाक-चौबन्द व्यवस्थापन, आर्थिक सहयोग अपन स्वेच्छासँ कय सकनिहार लोकसबकेँ प्रेरणा देब, चाय-पानीक इन्तजाम, सांस्कृतिक प्रस्तुतिक लेल आमंत्रित स्थानीय कलाकारसब आ संयोजकसब संग सहकार्य करब, व्यवस्थापनक – हरेक पक्ष अद्भुत आ बेजोड़ छल ।
हमसब जाहि भावसँ भगवान् श्री कृष्णक अनेकों लीलासब एहिबेर मात्र ५-६ दिनमे देखय सकलहुँ, एहिसँ ई आत्मविश्वास जागल जे एहेन आयोजन किछु बेसी समय-अबधिक लेल करब आवश्यक आ वांछित अछि हम मानव समाज वास्ते । एकदिश आवश्यकता सँ बड बेसी राजनीतिक चर्चा-कुचर्चाक जेहेन भयावह ‘लू’ जेहेन गर्मी आ दोसर दिश बसन्तोत्सव होलीक भोरका पहरसँ आयोजित रासलीलाक शीतल – ठंढीक अनुभूति भेटल हमरा । आयोजककेँ कतबो धन्यवाद करब, कम होयत । सबकेँ बारम्बार प्रणाम !! अन्य आयोजकसब सेहो सिखता कि एहेन धार्मिक सत्संग जेहेन आयोजन बेसी करय लेल ?
हरिः हरः!!

Related Articles