राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)

मधेश प्रदेशक प्रादेशिक अस्पतालके निर्देशक डा जामुन प्रसाद सिंहके अनुसार एहिसँ पहिने दैनिक करिब दू सओ बेमारसभ इलाज कराबए आबै छल, व्यवस्थापनके सुधार कएलाक बाद एखन दैनिक बाह्र सओ बेमार क्तसभ अस्पताल आइब रहल अइछ ।
व्यवस्थापन सुधार कार्यक्रमअन्तर्गत ‘हेल्प डेस्क’के व्यवस्था तथा भौतिक पूर्वाधारसहित जनशक्तिके व्यवस्थापन भेलाक बाद सेवा चुस्तदुरुस्त भेल उक्त अस्पताल जनौलक अइछ ।
निर्धारित समयमे अस्पताल नै एनिहार आ बढ़ियासँ जिमेवारी पूरा नै केनिहार चिकित्सक एवम् स्वास्थ्यकर्मीकेँ कारबाही कएलाक बाद एखन बेमार एवम् हुनकर परिजनजनसँ शिकायत अएबाक क्रम कम भेल निर्देशक डा. सिंह बतौलैन ।
अस्पताल पछिला समय निर्धारित समयमे स्वास्थ्यकर्मीसँ निर्वाध रुपमे स्वास्थ्य सेवा प्रवाह भ रहल, दवाइ वितरण कार्यकेँ पारदर्शी एवम् प्रभावकारी बनाएल, शल्यक्रिया करैत काल कोनो भेद्भाव नै भेल आ प्राप्त होएबला सुझाव जते जल्दी भेल ततेक जल्दी सम्बोधन कएलाक बाद बेमारके चाप उल्लेख्य सङ्ख्यामे बढ़ल स्पष्ट केलक अइछ ।
प्रयोगशाला प्रमुख प्रमेश्वर यादवके अनुसार एहिसँ पहिने अस्पतालक व्यवस्थान बढ़िया नै भेलासँ बेमारसभ इलाज कराबए बाध्यतावस निजी अस्पतालमे जाइ छल, एखन दैनिक बहिरङ्ग सेवाअन्तर्गत बाह्र सओ बेमार प्रादेशिक अस्पताल जनकपुर आइब रहल अइछ ।
उक्त अस्पतालके समाजिक सुरक्षा विभागक डा. बद्री साह गरिब तथा असहाय बेमारकेँ स्वास्थ्य इलाजसँ दवाइ तथा प्रयोशालामे निःशुल्क सेवा उपलब्ध कराबैत आएल बतौलैन ।
प्रदेश अस्पताल जनकपुरधाममे चिकित्सक, नर्स, प्राविधिक, प्रशासन, सरसफाइकर्मीसहित करिब पाँच सओ कर्मचारी कार्यरत रहल प्रशासन प्रमुख फूल कुमार यादव जानकारी देलैन अइछ ।