Search

माैसम पूर्वसूचना प्रणालीकेँ मजबूत करएमे सरकार लागल छै : उर्जामन्त्री खड्का

राष्ट्रिय समाचार समिति ( रासस )

काठमाण्डू, १० चैत : ऊर्जा, जलस्रोत तथा सिँचाइमन्त्री दीपक खड्का प्रविधिके प्रयोगसँ पूर्वानुमान आ पूर्वसूचना प्रणालीकेँ मजबूत बनाबए सरकार क्रियाशील रहल बतौलैन अइछ ।

‘सबहक लेल समयमे पूर्वसूचना’ नाराके साथ जल तथा ऊर्जा आयोगके सचिवालय विश्व मौसम दिवसके अवसरमे आइ एहिठाम आयोजित कार्यक्रममे ओ विपद्के जोखिम कम करए लेल पूर्वसूचना प्रणाली अपरिहार्य भेलासँ प्रविधिके प्रयोग क पूर्वसूचना प्रणालीकेँ मजबूत बनाबए सरकार लागल कहलैन ।

मौसमसम्बन्धी देशके पूर्वानूमान प्रणालीकेँ मजगुत बनाबै लेल ‘राडार तथा सेटेलाइट’ प्रविधिके प्रयोगकेँ सरकार विस्तार क रहल कहैत ओ मोबाइलके माध्यमसँ सम्भावित जोखिम कम करबाक लेल ग्रामीण क्षेत्रमे सेहो पूर्वसूचना सेवा विस्तार कएल जेबाक जानकारी देलैन ।

मन्त्री खड्का जल तथा मौसम विज्ञान विभागके नेतृत्वमे च्छोरोल्पा आ इम्जा हिमतालके जलस्तर कम करबाक काज सफलतापूर्वक भेल कहैत एहन काजसँ हिमतालजन्य बाइढ़के जोखिम कम होबाक उल्लेख कएने छैथ ।

देशक जलविद्युत् परियोजना, सिँचाइ योजना आ दैनिक उपभोगके लेल उपलब्ध पाइनके स्रोतके मुख्य आधार हिमनदी भेलसँ जलवायु परिवर्तनके प्रभाव कम करैत हिमनदीसभक संरक्षण, पूर्वसूचना प्रणालीके मजबुत बनाबए आ जोखिम घटाबए सरकारके पहिल प्रमुख प्राथमिकता भेल बतौलैन ।

जल तथा मौसम विज्ञान सेवा सञ्चालनके लेल नीतिगत व्यवस्था नै भेलासँ मन्त्रालयके नेतृत्वमे जल तथा मौसम विज्ञान नीति, २०८१ केँ लागू भेल मन्त्री खड्का कहलैन ।

Related Articles