Search

रंग बनय एक एहन :: गोपाल मोहन मिश्र

रंग बनय एक एहन :: गोपाल मोहन मिश्र

रंग बनय एक एहन,
एकर रंग किछु एहन होअय,
जे लाल, गुलाबी, पीयर, बुल्लू,
हरियर नहि होअय।
रंग बनय एक एहन,
जे तन के नहि – मन के छू सकय।
रंग बनय एक एहन,
एकर रंग किछु एहन होअय,
जे राज्य-राज्य के बात नहि करय,
करय राष्ट्र केर बात।
रंग बनय एक एहन,
एकर रंग किछु एहन होअय,
जे जाति -पाति केर भेद बिसरि कs,
करय प्रेम केर बात।
मुदा देखू एहि देश के लागि गेल,
कोन मनहूसक हाय।
ई हम्मर महाराष्ट्र, तs ई हम्मर बंगाल,
ई हम्मर गुजरात, तs ई हम्मर पंजाब,
ई हम्मर बिहार, तs ई हम्मर आसाम,
क्यों नहि बाजत भारत !
ई हम्मर देश अछि सभ सँ महान,
आउ हम सभ मिल कs बनाबी
एकटा नव रंग
जाहि में देखाई पड़ै भारत के
सँग-सँग सातों रंग।

Related Articles