रेड-लाइट सँ बच्चा छोड़ेबाक संघर्षक समाचार पर पूलिस द्वारा छापामारी आ बच्चा भेल बरामद

सुभाषचंद्र झा, सहरसा। जुलाई २२, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

deh vyapar saharsa2एखनहि किछु समय पूर्व प्रकाशित समाचार केर व्यापक असैर सहरसा समाज पर पड़ल । मैथिली जिन्दाबाद पर प्रकाशित एहि समाचार केर सोशियल मिडिया फेसबुक पर वायरल भेलाक बाद सहरसा बुद्धिजीवी समाज सहित युवा एकता सहरसा तथा अन्य समाजसेवी संस्था आदि द्वारा पूलिस पर दबाव पड़ल आ एकर परिणामस्वरूप आइये ओहि क्षेत्र मे जाय पूलिस द्वारा छापामारी करैत ओहि बंधक बनायल बच्चा केँ मुक्त करायल गेल।

संघर्षरत महिला अपन बच्चा केँ पाबि संपूर्ण मिडिया प्रति आभार प्रकट करैत समस्त सहरसावासी जे हुनकर संघर्ष मे संग देलैन तिनका सबहक प्रति हार्दिक आभार प्रकट केलनि अछि। मैथिली जिन्दाबाद सँ बात करैत अपन बिपत्तिक व्यथा पर द्रुतगामी खबैड़ संचार केले सँ एहि तरहक द्रुत एक्शन पूलिस द्वारा हेबाक भावना रखलैन।

वास्तव मे मिडियाक कर्तब्य अत्यन्त संवेदनशील होइत अछि आ एहि सेवा मे दिन-राति अपन जान-प्राण एक केनिहार सेहो धन्यवादक पात्र छथि। प्रजातंत्र मे ओहिना नहि कहल जाइत छैक जे पत्रकारिता चारिम स्तम्भ होइत अछि। ई प्रतिक्रिया बच्चाक रिकवरी भेला पर युवा एकता सहरसाक प्रतिनिधि लोकनि देलनि। ओ सब संयोगवश आइ आगामी ३ अगस्तक पटना विधानसभा धरना संबंध मे बैसार कय रहल छलाह आ मैथिली जिन्दाबाद पर प्रकाशित समाचार सुनिते ओ सब पूलिस कार्यालय मे संपर्क स्थापित कय क्रान्तिभूमि सहरसा केँ कलंकित होमय सँ बचेबाक खास अनुरोध सेहो केने छलाह।