Search

विराटनगर मे काली पूजनोत्सवक सफलतम् ६ वर्ष पूर्ण

374 भ्यूज

विराटनगर मे काली पूजाक छठम् वर्ष

अप्पन ब्राह्मण समाज विराटनगर अपन स्थापना वर्ष २०१९ ई. सँ निरन्तर विराटनगर मे काली पूजा मनेबाक पुनीत काज करैत आबि रहल अछि । सर्वसमाज आ सर्वहित-सर्वमानव कल्याण निमित्त सुन्दर संकल्प संग ई आयोजन कयल जाइछ ।

एहि वर्ष २०२४ मे आचार्य धर्मेन्द्रनाथ मिश्र द्वारा एहि भावक संकल्प पूजा संकल्पकर्त्ता डा. सुरेन्द्र नारायण मिश्र केँ संकल्प करबौलनि । पुनः कुलदेवी काली माताक नव मूर्ति विग्रह मे प्राण प्रतिष्ठा करबैत पूजा कार्य निशा रात्रि मे सम्पन्न कयल गेल ।

पूजाक ऐगला दिन भव्य सांस्कृतिक समारोहक आयोजन कयल जाइछ । एहि वर्ष सेहो राजू ठाकुर सांगीतिक समूह जाहि मे राजू ठाकुर पैडवादक संग कीबोर्ड पर रंजन राउत, ढोलक व तबला पर दुइ नव भाइ सब आ एकटा डम्फा पर सेहो नवके भाइ देखलहुँ । उद्घोषक भाइ बड नीक मैथिली बाजि रहल छलाह, गायक मे रमेश मंडल, साजन जी, सागर जी, निशा पोद्दार आ झाँकी प्रस्तोता कलाकार सब सेहो अत्यन्त प्रभावित करयवला प्रस्तुति सब देलनि ।

स्थानीय कलाकार सब सेहो रहथि । इंजीनियर दिवाकर मिश्र बहुत सुन्दर-सुन्दर भजन सुमधुर स्वर मे गओलनि । जैक अफ अल मास्टर अफ नन – प्रवीण सेहो अपन वैह गेलहे गीत ‘मिथिला नगरिया की जय जय जय’ आ ‘मन लागि गेल जँ कने भुजगेन्द्रहार मे’ गाबिकय निमहि गेला कोहुना ।

आचार्य धर्मेन्द्रनाथ मिश्र द्वारा पूजा सम्पादनक कार्यक संग लोक-समाज केँ विध व मंत्रादिक संछिप्त मैथिली वर्णन बहुत प्रभावित करयवला होइछ । धर्म आ मर्म केँ नीक सँ बुझनिहार पांडित्यपूर्ण व्याख्या लेल हिनकर जतेक प्रशंसा करब ताहि सँ आर बेसी हिनकर वाणी मे स्पष्टता आ मधुर संस्कृत सम्भाषण व प्रत्येक विध (अर्पण) उपरान्त स्तुतिगानक प्रशंसा लेल हमरा पास शब्द नहि अछि । बस, एना बुझाइत रहैछ मानू साक्षात् देवगुरु वृहस्पति रूप बदलिकय धर्मेन्द्र भाइक रूप मे आबि गेल छथि ।

महान् मीमांसक पंडित त्रिलोकनाथ झाक प्रपौत्र धर्मेन्द्रनाथ अपन कौलिक मर्यादा केँ एतेक नीक सँ रक्षा कएने छथि जेकर सम्बन्ध मे लिखैत समय पर्यन्त आनन्दक अनुभव भ’ रहल अछि हमरा । भगवतीक कृपा हिनका उपर बनल रहय ।

आयोजक संस्था मे अगुवाई कयनिहार संयोजक प्रोफेसर साहेब (वीरू सर) केर सेहो प्रशंसा करहे टा पड़त, कारण मृदुल हृदयक धनी व्यक्तित्व आ देवकार्य मे सदैव उच्च मनोयोग सँ काज मे डूबल रहब हमरा सब जेहेन धुन्धकारी सँ कहियो सम्भव नहि भ’ सकैछ, त उचित स्थान पर उचित व्यक्तिक योगदान करैत ई महान पूजनोत्सव पूर्णता पबैछ ।

संग देनिहार मे संस्थाध्यक्ष अमर झाजी, सचिवद्वय सुजीत कुमार चौधरीजी व मृत्युञ्जय मिश्रजी, कोषाध्यक्ष प्रोफेसर भविष्य मिश्रजी, पूर्व अध्यक्ष कुमुद मोहन झा संग मिथिलेश मिश्रजी आदिक योगदान उच्चकोटिक आ अत्यन्त सराहनीय होयबाक रेकर्ड एहि बेर सेहो दोहरायल । आरो कतेको नाम अछि जिनकर योगदान सँ ई महापर्वक उत्सव भव्य-सभ्य ढंग सँ पूर्ण भेल ।

महिला समुदाय मे आदरणीया रिंकी झा संग आर कतेको नाम (जे हमरा पूरा नहि बुझल अछि, मात्र चिन्हैत छियनि आ सब देवीस्वरूपा पूज्या थिकीह से जनैत छी) से सब मिलिजुलि पूजाक सब कार्य खुब उत्साह सँ पूर्ण करैत छथि । सब देवीस्वरूपा मातृशक्ति केँ हमर बेर-बेर नमन, अपने लोकनिक उत्साह माताजीक पूजा मे उच्चकोटिक भेल करैछ ।

समाजक सब काज मे एहि तरहक सक्रियता अपना लेब त हम मिथिलावासीक पिछड़ापन आ ईर्ष्या-द्वेषादिक मेटेनाय तय भ’ जायत – नहि त बुझिते छी जे अगरधत्त बेवकूफ सब कतबा सहसह करैत रहैछ आपस मे झगड़ा लगबय मे । देखब हे अम्बे-अम्बालिके लोकनि !! ॐ तत्सत् !!

सांस्कृतिक आयोजन मे लोक केँ बैसबाक जगह कम पड़ि गेल एहि वर्ष । पूजाक एक निश्चित स्थान नहि होयब कतहु न कतहु सवाल उठबैत अछि हमर मोन मे । भगवती एहि समस्याक स्थायी निदान जरूर निकालथिन से हम हुनकहि सँ प्रार्थना कय रहल छी ।

संस्था केँ प्राप्त थोड़-बहुत जगह जे भोगचलन लेल – भगवतीक मन्दिर संग धर्मसभा आदिक सभागार निर्माण लेल विराटनगर महानगरपालिका सँ देल गेल अछि, ताहि ठाम किछु विरोधाभास उत्पन्न हेबाक कारण बेर-बेर भगवती कालीक पूजा खाली जमीन (प्लौट) सब ताकि-ताकिकय आयोजक लोकनि पूजा करय लेल बाध्य छथि ।

भगवती एहि वर्ष एकर निदान निकालि देथि से हम चरणस्पर्श करैत आग्रह करैत छियनि ।

बाकी बकलोली आ कौआलोली सब संस्था मे होइत रहैत छैक, सेहो बात कतहु-कतहु सँ सुनय मे अहु बेर आयल । हाहा !! मुदा कौआलोली विशेषज्ञ सब सँ भगवती रक्षा करैत सारा काज एतेक शानदार-जानदार ढंग सँ पूरा करबैत छथिन से मानू ओहि पाँति केँ मोन पाड़ैछ जाहि मे महाकवि विद्यापति कुलदेवी काली केँ समर्पित कयने छथि –

घन घन घनन घुघुर कत बाजय
हन हम कर तुअ’ काता
विद्यापति कवि तुअ पद सेवक
पुत्र बिसरु जनि माता

माताक कृपा सब पर बनल रहय आ ‘सहज सुमति वर दिअ’ हे गोसाउनि, अनुगत गति तुअ’ पाया’ केर भाव मे बनल रही सब गोटे । मैथिली-मिथिलाक रक्षा करब त जानकी-राघव आ गौरी-शंकर सदिखन सहाय पायब । जय मिथिला – जय जानकी !!

हरिः हरः!!

Related Articles