# दहेज रूपी दानव के बढ़ाबा देमय मे कन्या पक्ष के कतेक हाथ ?
दहेज रूपी दानव के बढावा मे दूनू पक्षक हाथ अछि कारण जे थपड़ी दूनू हाथे बाजय छैक। तैं पूर्ण रूपे एकहि पक्ष दोषी नै छथि।
आदि काल सँ धिया के द्विरागमन मे सांठ उसार देल जाइत छलैक खोंइछ मे कतेक लोक जमीन सेहो दैत छल।
धीरे धीरे उपहार स्वरूप या आशीर्वाद स्वरूप जे किछु भेटैत छलैक से देखा देखी रेवाज बनि गेलैक।
आब एखनहि देखियौ जे सरकार द्वारा गरीब लोक के अन्न मुफ्त मे भेटैत छैक त’ आदति परि गेलैक खरातक खेनाई के, तहिना जँ कन्या पक्ष देमय लै तैयार त’ वर पक्ष के आदति परि गेलैक। आब ओ दहेज दानव बनि कय गरीब के खून चुसै छै।
खुद लड़की के माँ बाप कहै छथिन जे दू कट्ठा जमीन बेच लेब लेकिन हम करब त’ सरकारी नौकरी वला लड़का करब। अगर मगनी मे देखा दियौन जे बड नीक कथा अछि त’ कहता जे जरूर कोनो ऐव हैतैक तैं पाई नै लेतै।
बेटा वला सँ बेसी मांग बेटी वला के गहना भरिगर चाही कपड़ा ब्राण्डेड चाही मेकअप💄💋👑 के सामान भी ब्राण्डेड चाही जखन बेटी वला समझौता करथिन तखन दूनू पक्ष के समझौता कय क’ तखन आदर्श ब्याह भऽ सकैत अछि। एक्का दुक्का कतौ अगर होइत अछि त’ अपवाद मे बूझू।
आशा चौधरी , दरभंगा