रुद्र चण्डी महायज्ञ – कुर्सों
(मार्च २०२४, बड़की पोखरि पुबरिया महार, कुर्सों)
हमर आदरणीय ग्रामीण लोकनि निर्णय कयलनि अछि जे अपन गाम मे ‘रुद्र चण्डी महायज्ञ’ केर आयोजन कय हमरा लोकनि अपन जीवनकाल मे एकटा इतिहास बनाबी। एखन धरि एकहु बेर एहि स्तर के यज्ञ नहि कयल जा सकल अछि, जखन कि आसपासक गाम यथा नदियामी, जयदेवपट्टी, आदि मे एहि तरहक महत्वपूर्ण धार्मिक अनुष्ठान् कतेको बेर कयल जा चुकल अछि।
अभिभावक सह सांस्कृतिक आयोजनक आजीवन अध्यक्षता कयनिहार व्यक्तित्व मुक्ति नारायण चौधरी काका केर एहि मन्तव्य केँ हृदयंगम् करैत हमरा लोकनि आगामी मार्च २०२४ मे (सम्भवतः १७-२९ मार्च २०२४) ई आयोजन कुर्सों दक्षिणबाड़ि टोल बड़की पोखरि केर पुबरिया महार पर आयोजित कयल जेबाक नियार कयल अछि।
ॐ रुद्र चण्डि नमस्तुभ्यं, चण्डि वैरी विनाशिनि।
सर्वपाप हरे देवि सर्वदा वरदा भव॥
पुनीत उद्देश्य ‘विश्व कल्याण’ लेल आयोजित एहि यज्ञ मे सब कियो बढ़ि-चढ़िकय भाग ली। अकाल मृत्यु सँ बचबाक लेल, आरोग्यता प्राप्ति लेल, गृहक्लेश सँ मुक्ति लेल, इहलोक-परलोक मे सुखी होयबाक लेल – रुद्र चण्डी महायज्ञ केर वर्णन मार्कण्डेय ऋषिक श्रीमुख सँ शिवपुराण मे कयल गेल अछि। रुद्राभिषेक एवं शिव उपासना अकाल मृत्यु सँ बचबैत अछि, संगहि देवीक आराधना सर्वकामना सिद्ध करैत अछि, कहल गेल अछि पुराण मे। चण्डी पाठ आ हवन आदिक निष्पादन होइछ एहि यज्ञ मे। यज्ञ सँ प्राप्त भस्म आ पाठ श्रवण सँ लोक उपरोक्त समस्त सुख प्राप्त करैत छथि। तेँ कुर्सों मे होमय जा रहल एहि यज्ञ मे लाखों लोक केर उपस्थिति अपेक्षा कयल जा रहल अछि।
एहि यज्ञक आयोजन श्री रामकृपाल दास जी महाराज (जगदीश नारायण ब्रह्मचारी स्थान, लगमाक संरक्षक) केर सान्निध्य मे पूर्णता प्राप्त करत, संगहि गोवर्धनमठ, पुरी शंकराचार्य पूज्य गुरुदेव शंकराचार्यक आगमन सेहो होयत, से जानकारी आयोजन समिति करौलनि। यज्ञकाल मे लाखों आगन्तुक लेल धार्मिक-आध्यात्मिक कथा व रासलीला, रामलीलाक संग मेला मे वांछित अन्यान्य आयोजन सेहो सम्मिलित कयल जायत। शुभारम्भ कलश शोभा यात्रा सँ कयल जायत। समापन समारोह एवं सांस्कृतिक कार्यक्रम तथा भंडारा आदिक आयोजन अन्त मे कयल जेबाक अछि। आयोजन समितिक अध्यक्ष स्वयं मुक्तिनारायण चौधरी ‘दादा’ तथा सचिव पृथ्वीलाल कामत संग कोषाध्यक्ष जीवछ चौधरी आ अन्य विभिन्न पदाधिकारी लोकनि शामिल छथि। एकर मुख्य संयोजक स्वयं ब्रह्मचारी सन्त रामकृपाल दास उर्फ बौआ भगवान् छथि जिनक मातृक सेहो कुर्सों गाम थिकन्हि आ हुनक सदिच्छा बहुत दिन सँ छलन्हि जे अपन गाम व अन्यान्य गाम मे अनेकों बेर यज्ञ निष्पादन कयल, एक बेर अपन मातृक गाम कुर्सों मे सेहो ई महायज्ञक अनुष्ठान हो, यैह सदिच्छा बुझू जे फलित होमय जा रहल अछि। एहि आयोजनक सह-संयोजक रविन्द्र नारायण चौधरी उर्फ सुबोध काका छथि। आदरणीय किशोर चौधरी भैया सहित अनेकानेक युवा एवं सब उमेर वर्गक ग्रामीण सहितक कुल ५१ सदस्यीय संरक्षक मंडल सेहो बनायल गेल अछि। एहि संरक्षक समिति मे हमहुँ एक सदस्य छी आ अध्यक्ष मुक्ति काकाक सद्भावपूर्ण आग्रह अनुसार अपन यथासम्भव योगदान अवश्य करब से कृतसंकल्पित छी।
विदित हो जे एहि तरहक महायज्ञक पूर्णता दसगामी लोकक सहभागिता मात्र सँ सम्भव अछि, तेँ समस्त कुर्सों ग्रामवासीक सपना केँ साकार करबाक लेल अति विशाल पड़ोसी गाम ‘नदियामी’ सहित जयदेवपट्टी, पर्री, तुमौल, घनश्यामपुर, ठेंगहा, मछैता, पचही, दादपट्टी, मदरिया, महिया, कैथबार, विष्णुपुर, देवना, मोतनाजे, आमारही, सुपौल, हनुमाननगर, गोरखा, दसौत, धमसाइन, मिलकी, आदि गामवासी मिलिजुलि कय पूरा करता से उम्मीद संग प्रार्थनापूर्वक याचना सेहो कयल जा रहल अछि। समस्त कुर्सों गामवासीक एहि लौल केँ अपने लोकनि चाहबय तखनहि पूरा होयत।
सामान्यतया बहुतो धार्मिक-आध्यात्मिक आयोजन कुर्सों आ नदियामी मिलिजुलि कय करैत अछि, ई यज्ञ मात्र कुर्सों ग्रामवासी एहि लेल ठनलनि जे कुर्सों के नाम सँ एकहु टा पूर्व आयोजित यज्ञक रेकर्ड (दस्तावेज) नहि छैक, नदियामी मे कतेको दशक पूर्व एकटा यज्ञ आयोजित भ’ चुकल छैक। अतः कुर्सों गामवासीक एहि लौल केँ सब कियो पूरा करब से हमर व्यक्तिगत आग्रह सेहो अछि।
कहैत चली जे महायज्ञ लेल लगभग ५० लाख रुपयाक बजट निर्धारित अछि। ई हमरा गाम लेल लगभग असम्भव रकम थिक। लेकिन भगवतीक आराधना आइ धरि कमी नहि भेलैक, से अहु बेर चमत्कार केँ नमस्कार करबाक मूड मे छी हमरा लोकनि। निश्चित लक्ष्य सन्धान हेब्बे टा करत। बस, निष्ठा, नीति, नियम सदिखन देवी प्रति समर्पित रहय, तखनहि देवाधिदेव महादेव डमरू बजेता, नचता आ एम्हर सब काज चुटकी बजबिते पूरा भ’ जायत।
आइ कैलाश मे बाजि रहल डमरू
नाचथि बम भोला बाबा बान्हि-बान्हि घुंघरू
शुभकामना – प्रवीणक सचेतना आ स्वयं नारायणक सम्भावना सहित सब केँ प्रणाम!!
हरिः हरः!!