मैथिली सिनेमाक इतिहास – ऐतिहासिक पोथी केँ भेटत ‘साइनसिने अवार्ड’

८ अक्टूबर २०२३ । मैथिली जिन्दाबाद!!

सृजनपथ पर अग्रसर स्रष्टा किसलय कृष्णक नवसृजन ‘मैथिली सिनेमाक इतिहास’ केँ भेटत प्रसिद्ध साइनसिने अवार्ड

ई सूचना सृजनकर्म मे निरन्तरता बनेनिहार सब स्रष्टा केँ त प्रसन्नता देबे करत, एकर सकारात्मक आ सार्थक सन्देश समस्त मैथिलीभाषी व मिथिलावासी केँ विशेष रूप सँ आह्लादित करत से हमरा विश्वास अछि। अपन कर्तव्यपथ पर एकनिष्ठ भाव सँ चलनिहार लेल मोक्ष तक के पुरुषार्थ सहज कहल गेल छैक, तखन त एहि पृथ्वीलोकक कोनो प्रतिष्ठा आ पद-सम्मानक मूल्ये कतेक कहल जाय; तथापि साइनसिने अवार्डक दृष्टि मैथिली सिनेमाक इतिहास पर लिखल गेल पोथी तक पहुँचब आ एकरा लेल लेखक किसलय कृष्ण केँ सम्मान देबाक घोषणा बहुत आह्लादित करयवला अछि।

मैथिली सिनेमा मे बहुत रास सम्भावना छैक, एहि पर विशद चर्चा हालहि सहरसा मे आयोजित ‘मैथिली सिनेमा आ साहित्य विषयक एकदिवसीय परिसंवाद’ कार्यक्रम मे साहित्य अकादमी व ईस्ट एन वेस्ट टीचर्स ट्रेनिंग कालेज के संयुक्त आयोजन मे कयल गेल आ एहि आयोजन मे पर्यन्त किसलय कृष्णक लिखल उपरोक्त अवार्डेड पोथी मूल सन्दर्भ ग्रन्थ रूप मे लगभग समस्त विमर्शीक विमर्शक केन्द्र मे स्थान प्राप्त कएने छल। अपना आप मे यैह बड पैघ सम्मान बुझायल छल हमरा जे बौद्धिक चर्चा मे कोनो पोथी एतेक रास बाइट्स प्राप्त कयलक। आर तेकर बाद काल्हि ई खबरि आयल जे साइनसिने फिल्म फेस्टिवल २०२४ द्वारा एहि पोथी केँ रिजनल फिल्म लेल उत्कृष्ट लेखन वास्ते पुरस्कृत कयल जायत त स्वाभाविक रूप सँ प्रसन्नता दोब्बर-तेब्बर भ’ गेल।

आइ कतेको मीडिया मे ई समाचार प्रकाशित करैत स्पष्ट संकेत कयल गेल अछि जे मैथिली मे काज करबाक महत्व कतेक बेसी छैक। काज कयनिहार जतेक बेसी काज करत ततेक बेसी ओकर नाम आ यश केर प्रसार हेतैक। किसलय कृष्ण केर मूल रुचि मैथिली सिनेमा त रहबे कयलनि अछि, हुनक आरो विभिन्न विधा मे योगदान सँ मैथिली साहित्य, कलाकारिता, संचारकर्म व मंचीय संस्कारक फलक नित्य-नित्य विस्तृत भ’ रहल अछि। एहि सँ आरो लोक मे सुन्दर प्रेरणाक संचरण आ अनुकरणक उदाहरण बनब हमरा बेसी प्रभावित करैत अछि।

सम्मानित स्रष्टा केँ पुनः पुनः बधाई!!

हरिः हरः!!