काठमांडु, जुलाई १२, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
नेपाल सरकार द्वारा विगत किछु वर्ष सँ मैथिली भाषा-साहित्यक संरक्षण एवं संवर्धन लेल प्रारंभ कैल गेल पुरस्कार कोषक स्थापना द्वारा पिछला दुइ वर्षक सम्मान-पुरस्कार केर वितरण लंबित छल जेकरा आइ काठमांडु मे समारोहपूर्वक वितरण कैल जेबाक समाचार भेटल अछि। संस्कृति पर्यटन तथा नागरिक उड्डयन मन्त्रालयक सभाकक्ष मे आइ मध्याह्नकाल एकटा समारोह बीच संस्कृति मंत्री कृपासुर शेर्पाक हाथ सँ दुनू वर्षक लेल लंबित पुरस्कार हेतु चुनित व्यक्ति केँ पुरस्कार हस्तान्तरण कैल गेल अछि।
विद्यापति पुरस्कार कोष, जनकपुरधाम केर अध्यक्ष प्रा. परमेश्वर कापड़ि मैथिली जिन्दाबाद सँ दूरभाषा वार्ता मार्फत जानकारी करौलनि जे एहि पुरस्कार वितरण समारोह द्वारा दुनू वर्षक लेल मैथिली भाषा-साहित्य हेतु निर्धारित सभ वर्ग हेतु पुरस्कार लेल चयनित व्यक्तित्व केँ पुरस्कार माननीय मंत्री महोदयक हाथ सँ अनेकानेक माननीय सभापतिजी एवं विद्वान-वेत्ता लोकनिक समक्ष हस्तान्तरण कैल गेल अछि। जानकारी भेटल जे एहि कोष द्वारा कुल ५ वर्ग मे पुरस्कार वितरण कैल जाइछ। पहिले ‘नेपाल विद्यापति मैथिली भाषा-साहित्य पुरस्कार’ जेकर राशि रु. २ लाख, दोसर अनुसंधान लेल राशि रु. १ लाख, तेसर कला-संस्कृति लेल राशि रु. १ लाख, चारिम अनुवाद लेल राशि रु. १ लाख, पाँचम पाण्डुलिपि लेल राशि रु. १ लाख देल जेबाक महत्त्वपूर्ण जानकारी सेहो भेटल अछि।
आजुक पुरस्कार वितरण समारोह द्वारा दुइ आर्थिक वर्षक लंबित पुरस्कार विजेता लोकनि केँ सम्मानित कैल जेबाक जानकारी अध्यक्ष प्रा. कापड़ि करौलनि। वर्ग आ वर्ष तथा विजेताक नाम निम्न अछि:
१. पहिल वर्ग भाषा-साहित्य लेल गत-वर्ष केर विजेता डा. रेवतीरमण लाल आ एहि वर्षक विजेता रमानन्द युवा क्लब, जनकपुर केँ २-२ लाखक राशि हस्तान्तरण कैल गेल अछि।
२. दोसर वर्ग अनुसंधान लेल गत-वर्ष केर विजेता डा. सुनील कुमार झा एवं एहि वर्षक विजेता डा. वासुदेव लाल दास केँ पुरस्कार राशि १-१ लाख हस्तान्तरण कैल गेल अछि।
३. तेसर वर्ग कला-संस्कृति लेल गत-वर्ष केर विजेता शोभित राउत (धनुषा) एवं श्याम सुन्दर यादव (सिरहा) केँ पुरस्कार राशि १-१ लाख हस्तान्तरण कैल गेल अछि।
४. चारिम वर्ग अनुवाद लेल गत-वर्ष केर विजेता गंगा प्रसाद अकेला तथा एहि वर्षक विजेता धीरेन्द्र प्रेमर्षि केँ पुरस्कार राशि १-१ लाख हस्तान्तरण कैल गेल अछि।
५. पाँचम वर्ग पाण्डुलिपि लेल गत-वर्ष केर विजेता काशीकान्त झा महापात्र एवं एहि वर्ष लेल चन्द्रशेखर लाल शेखर केँ पुरस्कार राशि १-१ लाख हस्तान्तरण कैल गेल अछि।
मैथिली भाषा एवं साहित्य लेल ई वरदानमयी पुरस्कार नव गणतांत्रिक नेपालक पहिल माओवादी अगुवाई केर सरकार प्रधानमंत्री डा. बाबुराम भट्टराई केर काल मे कैल गेल। ठीक जेना भारत मे अटल बिहारी वाजपेयी केर नाम मैथिली सदिखन माला पर जपैत रहैत अछि, किछु ताहि तरहें भविष्यक हर दिन एवं हर क्षण मैथिली डा. बाबुराम भट्टराई तथा माओवादी पार्टीक नाम भजत। बिना राज्य केर संरक्षण कोनो भाषा केर जीवन-संरक्षित राखब असंभव छैक, एहि एक प्रयास सँ मैथिली भाषा प्रति समर्पित योगदान कएनिहार बहुत उत्साहित होइत मैथिली जिन्दाबाद कए रहला अछि।
पुरस्कार वितरण प्रणाली तथा पुरस्कार वितरण करबाक प्रक्रिया समयानुसार आरो बेसी सशक्त आ पारदर्शिताक संग कार्य करत, प्रा. परमेश्वर कापड़ि केर प्रयासक सेहो सराहना कैल जा रहल अछि। आलोचना बिना पूर्णता तऽ कोनो काज केँ भेटिते नहि छैक, एक बेर फेर पुरस्कार वितरण धनुषा आ सिरहे धरि सिमैटकय रहि जेबाक शिकायत आर जिलावासी आ मैथिली भाषा ओ साहित्य लेल प्रयास कएनिहारक छन्हिये। भविष्य मे आरो नीक हो, सब विजेताकेँ मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ हार्दिक बधाई ज्ञापन कैल जा रहल अछि।