“प्राकृतिक आपदाक मारल मिथिला किलोल काटि रहल अछि।”

1659

— कीर्ति नारायण झा।     

मिथिला में एकटा कहबी छैक जे शुद्ध अर्थात सज्जन लोक के मुँह कुकूर चाटय, सेएह छैक अपना सभक ओहिठाम। सभ दिन सँ प्रशासनिक उपेक्षा के शिकार मिथिला जेकर कियो नहि देखनिहार आ उपर सँ प्राकृतिक आपदा के मारल मिथिला सभ दिन सँ किलोल काटि रहल अछि। दुर्भाग्य एहेन मिथिला के जे एहिठाम सँ बड़का बड़का प्रशासनिक अधिकारी आ राजनेता सभ सेहो मिथिलाक समस्या दिन कहियो ध्यान नहिं देलखिन्ह। किछु दिन के लेल मिथिलाक रत्न स्वर्गीय ललित बाबू के ध्यान गेलैन्ह मुदा हुनको काल के गाल में समा देल गेलैन्ह। अपना सभक ओहिठाम मुख्यतया कमला, कोशी, बागमती, गंडक, बूढी गंडक नदी इत्यादि अपन विकराल रूप देखवैत अछि जाहि मे कमला नदी केर प्रकोप सभ सँ बेसी भयंकर होइत छैक। झंझारपुर के आस पास एकर विकराल रूप देखल जा सकैत अछि। हिमालय पहाड़ सँ निकालल पाइन अपन विशाल विभीषिका केर संग विकराल रूप में नेपाल के बार्डर सँ जयनगर होइत मिथिलाक सीमा में प्रवेश करैत अछि आ समस्त मिथिला मे तवाही मचवैत अछि। अपना सभक ओहिठाम बाढ़ि के प्रचंड रूप होयवाक अनेकानेक कारण अछि जेना पुरनका घिसल पीटल जमींदारी बाँध जकरा विषय में कहल जाइत छैक जे राम भरोसे हिन्दू होटल अथवा अनेरुआ गायक राम रखवार। बाँध बनाओलक बाद ओकर देखभाल कएनाइ सभ सँ आवश्यक होइत छैक आ ओकरा रख रखाव के लेल किछु ब्यय सेहो करय पड़ैत छैक मुदा अपना सभक ओहिठाम ओ मात्र कागज पर होइत छैक। सरकार द्वारा एकटा विभाग “जल संसाधन विभाग” खोलि कऽ कान मे रूई आ तेल लऽ कऽ सूति रहल आ बुझलकै जे बाढिक समस्या केर समाधान भऽ गेलैक। बाढिक कारणे नदी केर गहराइ कम होइत गेलैक आ चौड़ाई में वृद्धि होयवाक कारणे बाँध के तोड़ैत नदी के समय नहिं लगलैक मुदा प्रशासन केर उदासीनता केर कारणे बाढिक रोकथाम के लेल कोनो ठोस बेवस्था नहि कयल गेलैक। राजधानी पटना में बैसि कऽ स्थिति केर अवलोकन आ स्थितिक सुधार केर आशा कएनाइ दिन में सपना देखवाक बराबर होइत अछि। अपना सभक ओहिठाम केर बिडम्बना अछि जे कोनो साल रौदी तऽ कोनो साल दाही होयवाक कारणे खेतीबाड़ी केर स्थिति दिनानुदिन बदतर भेल जाइत छैक जकर सभ सँ गँहीर प्रभाव लोक केर मिथिला सँ पलायन केर केंसर सँ अधिक भयानक स्थिति केर जन्म देलकैक। किछु साल पहिने कमला नदी केर बाढिक विभीषिका झंझारपुर लग नरूआर गाम में देखवाक अवसर भेटल। ओहि ठामक स्थिति के देखि समस्त अव्यवस्था केर पता क्षण भरि मे लागि गेल। तहिना कोशी नदी केर बाढि सहरसा पूर्णिया कटिहार के बाढ़ि ग्रस्त इलाका होयवाक प्रमाणपत्र दैत अछि। ओना बाढिक बाद फसल के टानिक के काज बाढिक रेत सभ करैत छैक। बाढिक पानि जखन खेत सँ निकलि जाइत छैक तखन खेतक उपजाऊ शक्ति में वृद्धि होइत छैक, इहो कटु सत्य थिकैक मुदा बाढिक समस्या विकराल होयवाक कारणे लोक बेघर भऽ जाइत अछि। सड़क पर आबि जाइत अछि ओ निश्चित रूप सँ भयंकर स्थिति उत्पन्न करैत अछि। गरीब आदमी आओर बेसी गरीब भऽ जाइत अछि आ भुखमरी केर स्थिति उत्पन्न भऽ जाइत अछि। एकरा सँ मुक्ति पयवाक लेल मिथिलाक लोक ओहि भागीरथ केर प्रतीक्षा में अछि जे एहि विभीषिका के रोकवाक लेल ओ भागीरथी प्रयास कऽ सकैथि आ समस्त मिथिलावासी के बाढि केर प्रकोप सँ पूर्णरूपेण मुक्ति भेटि जाइन। जय मिथिलांचल