दरभंगा, 10 अगस्त 2023 । मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिला राज्यक मांग पर संयुक्त सांगठनिक महाबैसार सम्पन्न
अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समितिक राष्ट्रीय अध्यक्ष डा. बैद्यनाथ चौधरी बैजूक अध्यक्षता मे काल्हि ९ अगस्त क्रान्ति दिवस पर दरभंगाक एमएलएसएम कालेज सभागार मे महाबैसार के आयोजन कयल गेल। मिथिला राज्य के समर्थक संस्था सभक प्रतिनिधि लोकनि एवं कतेको आर महत्वपूर्ण व्यक्तित्व सभक संलग्नता मे ‘संयुक्त सांगठनिक महाबैसार’ कार्यक्रम सम्पन्न भेल।
एहि महाबैसार सँ मिथिला राज्य आन्दोलन केँ एक सशक्त आधिकारिक समूह ‘संयुक्त मोर्चा’ द्वारा आगू बढ़ेबाक निर्णय लेल गेल अछि। संगहि सहभागी प्रतिनिधि सब लिखित प्रतिबद्धता जतेलनि अछि जे आगामी दिन मे मिथिला राज्य आन्दोलन सब संस्था, समूह, व्यक्ति एक संग मिलिकय संयुक्त मोर्चाक बैनर सँ करब। विदित हो जे कतेको समूह सब द्वारा छिटफुट आन्दोलन कयला सँ कोनो उपलब्धि हासिल नहि भ’ पबैत अछि आ आम लोकक मोन-माथ मे सेहो राज्य केर आवश्यकता कतेक आ कियैक जरूरी छैक से बात ठीक सँ नहि पहुँचि पेबाक कारण आत्मसमीक्षा करैत सब मिथिला राज्य आन्दोलनी एहि संयुक्त मोर्चा केँ लयकय महाबैसारक आयोजन कयलनि।
एहि महाबैसार मे अध्यक्ष डा. बैजूक अतिरिक्त वरिष्ठ मिथिला राज्य आन्दोलनी डा. बुचरू पासवान, अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समितिक पूर्व उपाध्यक्ष एवं चेतना समिति पटनाक पूर्व अध्यक्ष विवेकानन्द झा, मिथिला राज्य निर्माण सेनाक राष्ट्रीय अध्यक्ष डा. रंगनाथ ठाकुर, वरिष्ठ मैथिली आन्दोलनी अयोध्या नाथ झा, मधुबनी कांग्रेसक पूर्व अध्यक्ष एवं वरिष्ठ समाजसेवी मैथिल समाज रहिकाक अध्यक्ष शीतलाम्बर झा, वरिष्ठ साहित्यकार एवं मिथिला राज्य आन्दोलनी प्रीतम निषाद, मैथिली अकादमीक पूर्व अध्यक्ष एवं वरिष्ठ मैथिली मंच उद्घोषक डा. कमलाकान्त झाक अतिरिक्त युवा नेतृत्वकर्ता मे मिथिला राज्य निर्माण सेनाक महासचिव राजेश कुमार झा, युवा समाजसेवी दीपक झा तथा मिथिला स्टूडेन्ट यूनियनक दरभंगा अध्यक्ष वीरेन्द्र कुमार सहित कुल ११ सदस्यीय ‘संचालन समिति’ बनाकय ‘संयुक्त मोर्चा’ लेल आवश्यक विधान निर्माण सहित मिथिलाक सब जिला व विश्व भरिक लगभग २५०० सँ बेसी मैथिलीभाषी सभक सामाजिक-सांस्कृतिक-साहित्यिक-राजनीतिक संस्था सब केँ आबद्ध करैत ‘कार्यकारिणी समिति’क निर्माण करबाक सर्वसम्मति सँ निर्णय लेल गेल। एहि संयुक्त मोर्चाक निर्माण केँ लयकय प्रयास प्रारम्भ करनिहार स्वतंत्र लेखक (सचेतक) प्रवीण नारायण चौधरी केँ मोर्चा निर्माण कार्यक संयोजक के तौर पर ११ सदस्यीय संचालन समिति केँ सहयोग करबाक लेल कार्यभार सौंपल गेल अछि। एकर अलावे राष्ट्रीय स्तर पर विभिन्न राजनीतिक दल व संस्थादिक संग समन्वय करबाक लेल तथा आर्थिक कोष स्थापना करबाक लेल विभिन्न उपसमितिय सभक निर्माण करबाक सेहो निर्णय लेल गेल अछि। एहि क्रम मे नागपुर सँ आयल प्रतिभागी कौशल पाठक, कानपुर सँ आयल प्रतिभागी अनिल झा, नई दिल्ली सँ आयल प्रतिभागी कमलेश कुमार झा तथा विशाखापट्टनम सँ आयल प्रतिभागी अजय झा केँ हाल लेल एहि उपसमिति सभक संयोजक के रूप मे चयन कयल गेलनि अछि।
संयुक्त मोर्चाक हरेक जिला मे कार्यालय खोलबाक आ संयोजक चयन करबाक लेल हाल दुइ गोट मैथिली अभियानी किसलय कृष्ण एवं मैथिल यायावर केँ जिम्मेदारी देल जेबाक निर्णय लेल गेल अछि। संगहि एनएफएस केर सचिव सह उपसमिति संयोजक कमलेश कुमार झा केँ मिथिला राज्य सँ जुड़ल विभिन्न महत्वपूर्ण विषय-सन्दर्भ पर सर्वे आ दस्तावेज तैयार करबाक जिम्मेदारी देल गेल अछि। कौशल पाठक आ अनिला झा केँ राष्ट्रीय राजनीतिक दल सभक संग कोन तरहें मिथिला राज्यक मांग केँ लयकय समुचित भेंटघांट आ समर्थन जुटेबाक चाही, ताहि लेल संयोजकीय भार देबाक निर्णय लेल गेल अछि। डा. बुचरू पासवान एवं प्रीतम निषाद केँ मिथिलाक समस्त जाति-वर्ग मे राज्य निर्माणक लाभ विषयक आलेख, दस्तावेज व प्रचार-प्रसार सामग्री तैयार करबाक आ संगहि विभिन्न स्थान पर सब जाति-समुदाय के कार्यकर्ता सब केँ जोड़बाक व प्रशिक्षण शिविर संचालन विषय संयोजकीय जिम्मेदारी तय कयल गेल अछि। आबयवला दिन मे आरो विभिन्न विषय-सन्दर्भ सँ जुड़ल समिति-उपसमिति सब बनबैत संयुक्त मोर्चाक वेबसाइट निर्माण सँ लैत सदस्यता अभियान चलेबाक विभिन्न कार्य कयल जायत से तय कयल गेल अछि। एहि सब काजक वास्ते कम सँ कम ५ अलग-अलग जगह पर मिथिलाक विभिन्न जिला मे कार्यालय (सचिवालय) केर स्थापना कयल जायत।
महाबैसार मे पूरे देश सँ कुल ८६ प्रतिनिधि सहभागिता जतेलनि। सब कियो अपन-अपन विचार प्रस्तुत करैत मिथिला राज्य आन्दोलन केँ धारदार बनेबाक संकल्प लेलनि। मिथिला राज्य संघर्ष समितिक पूर्व महासचिव प्रो. उदय शंकर मिश्र, डा. राम सुभग चौधरी, आनन्द ठाकुर, पुरुषोत्तम वत्स, जीवकान्त मिश्र, डा. अनिल कुमार झा, स्वर्णिम किरण, कुमकुम देवी, रचना झा, मणिभूषण राजू, अनिल झा, बालेन्दु झा, आनन्द झा, अरुण कुमार मिश्र, चन्द्रशेखर झा बूढ़ाभाई, डा. उदय कान्त मिश्र, चन्द्रमोहन झा पड़बा, तरुण कुमार झा, राजीव कुमार ठाकुर, गणेश कान्त झा, रवि रंजन सिंह, अभय कुमार झा, पुरुषोत्तम वत्स, निशान्त तिवारी, राजीव पाठक, प्रवीण कुमार झा, आशीष चौधरी सहित कतेको आर लोक सब अपन विचार सम्बोधन महाबैसार मे रखलनि।