सूचना
दहेज उन्मुलन लेल सक्रिय संस्था ‘दहेज मुक्त भारत’ द्वारा एकटा सामुहिक विवाह केर आयोजन २१ मई २०२३ केँ मिथिला वाटिका – मधुबनी मे राखल गेल अछि। एहि सन्दर्भ मे ई पोस्टर मे देल गेल नम्बर पर सम्पर्क कय एहि आयोजनक लाभ कतेको परिवार उठा सकैत छथि। एहि सँ अनाहक अलग-अलग स्थान पर वैवाहिक आयोजन पर कयल जायवला खर्च बचायल जा सकैत अछि। पूँजीक बचत समाजक हित मे अन्यत्र खर्च कयल जा सकैत अछि, अथवा ताहि बचत पूँजी सँ पिछड़ल मिथिलाक्षेत्र मे बहुतो रास सकारात्मक काज सब कयल जा सकैत अछि। जेना उदाहरण –
कोनो एक गाम के ५ परिवार मात्र मिलिकय एकत्रित (सामुहिक) विवाह करय त ५ अलग स्थान पर राखल जायवला टेन्ट, लाइट, डेकोरेशन आ तामझाम मात्र मे लगभग ५ लाख टका बचायल जा सकैत अछि। एहि ५ लाख टका सँ एकटा सामुहिक टैक्सी कीनल जा सकैत अछि। ताहि टैक्सी केँ एम्बुलेन्स सेवा के रूप मे, अथवा गाड़ीक प्रयोजन आइ-काल्हि गाम सँ शहर जेबाक लेल, बेटी-पुतोहु के बिदागरी-द्विरागमन आदिक लेल, विवाहेक प्रयोजनादि मे… बहुतो स्थान पर उपरोक्त ५ परिवार संचालन कय सकैत छथि। एकर आमद सँ ओहि ५ पार्टनर्स केर बढत त हेब्बे करत, देखादेखी आरो लोक सब एहि तरहक पैटर्न पर बढत।
हमर कहबाक तात्पर्य ई अछि जे ‘सामुहिक विवाह’ केँ बढावा देला सँ आइ जे पूँजी गलाकय कर्जा बोझ तर जा रहल अछि कतेको परिवार, अथवा कठिन मेहनत सँ बचायल पूँजी केँ गला रहल अछि मैथिल समाज, तेकर सही उपयोग कय क्षेत्रक आर्थिक पिछड़ापन दूर कय सकैत छी।
सामुहिक विवाह केवल निर्धन कन्या (परिवार) लेल नहि, ई सभक लेल अनुकरणीय उपक्रम थिक।
दहेज मुक्त भारत द्वारा लगातार एहि तरहक प्रयास मिथिलाक्षेत्र मे भ’ रहल अछि। एकर प्रशंसा करैत एहि मे १० मई तक पूर्व सूचना दैत लोक-परिवार सामुहिक विवाह मे शामिल भ’ सकैत छथि। सम्पर्क नम्बर पर सम्पर्क करू, एकर लाभ उठाउ। एहि बेर २१ मई २०२३ सामुहिक विवाह देखबाक लेल हमहुँ पहुँचि रहल छी।
जय मिथिला – जय जानकी!!
हरिः हरः!!