२३ अप्रैल २०२३ । मैथिली जिन्दाबाद!!
‘मैथिली साहित्य मंच’ हैदराबादक संस्थापक तथा मैथिली भाषा-साहित्य ओ समाज प्रति निरन्तर सेवा पहुँचेनिहार चन्द्र मोहन कर्ण हर्षक संग मैथिली साहित्य-प्रेमी लोकनि केँ सूचित कयलनि अछि जे ‘शकुन्तला-भुवनेश्वरी मैथिली-संस्कृत संवर्धन न्यास’ हैदराबाद द्वारा २०२३ के पुरस्कार मैथिली साहित्यक दुइ गोट मूर्धन्य विद्वान डॉ. सुभाष चन्द्र यादव (सुपौल) आ श्री जगदीश चन्द्र ठाकुर (पटना)कें मैथिली साहित्यमे हुनका लोकनिक अप्रतिम अवदान लेल देल गेल छनि। प्रत्येक विद्वान केँ ५१,०००/- (एकावन हजार) टाकाक राशि हुनका लोकनिक खातामे पठा देल गेल छनि। श्री कर्ण ईहो जानकारी करौलनि अछि जे पांच-सदस्यीय विशेष समिति द्वारा कयल गेल अनुशंसा मुताबिक उपरोक्त विद्वान लोकनि केँ ई पुरस्कार देल गेलनि अछि। संगहि द्विवार्षिक पुरस्कार सम्मान समारोह अगिला वर्ष २०२४ केर उत्तरार्द्ध मे कोनो समय श्री कर्ण केर पैतृक गाम जगन्नाथपुर (पूर्णिया जिला, चम्पानगर लग) होयबाक सूचना मैथिल समाजक जानकारी लेल निर्गत कयलनि अछि। चन्द्र मोहन कर्ण एहि न्यासक मुख्य न्यासी छथि। मैथिली भाषा-साहित्यक संवर्धन-प्रवर्धन मे एहि तरहक पुरस्कार मील के पाथर सिद्ध होइत रहल अछि, धन्यवादक पात्र होइत छथि ओ लोकनि जे एहि तरहें मैथिली भाषा केँ जियाकय राखय मे महत्वपूर्ण भूमिकाक निर्वहन कय रहल छथि। विदित हो जे ‘देसिल वयना’ नाम सँ विद्यापति स्मृति गोष्ठीक आयोजन करैत प्रत्येक वर्ष एकटा महत्वपूर्ण स्मारिकाक प्रकाशन हैदराबाद सँ होइत अछि आर एहि महत्वपूर्ण कार्य लेल सेहो श्री कर्ण केर अगुवाई मैथिल समाज लेल नव प्राण वायुक कार्य करैत अछि।