आध्यत्मिक चर्चा: आत्मीय मंथन
अनेक शास्त्रमत मुताबिक प्रत्येक मनुष्यक अन्तकाल अत्यन्त भयावह घड़ी होयबाक तथ्य रखैत छैक, आर एहि लोक मे रहनिहार कोनो प्राणीक अन्त-घड़ीक भयंकर संताप सँ परिचित अछिये। एहेन अवस्था मे केकरा न इच्छा हेतैक जे अपन आराध्यदेव – इष्ट ईश्वर अभीष्ट बनबैत आराम सँ प्राण छोड़ि अन्य लोक लेल प्रस्थान करी। भागवद्गीता एहि अभीष्टक प्राप्ति लेल एकटा सहज मार्ग ‘अभ्यास करैत रहबाक’ उपदेश करैत छैक। निश्चिते यदि सदिखन भजन आ नाम सुमिरन केर अभ्यास मे लागल रहब तऽ अन्तकाल केहनो वेदना मे रहलो पर नाम उच्चारण स्वत: होइत रहत। अन्ते नारायण स्मृति – यैह अभीष्ट केर प्राप्ति सुनिश्चित अछि।
आदि शंकराचार्य सेहो ‘भज गोविन्दम्’ केर उपदेश अपन गूढतम् संदेश मे केने छथि। भज सँ तात्पर्य सेवा, आराधना, आत्मसमर्पण सँ होइत छैक। भज सेवायाम इति!
गोविन्द केर सेवा कियैक? के छथि गोविन्द?
गोविन्द जगदीश्वर, अनन्त आ सर्वव्यापी परमात्मा छथि।
गोविन्द केर शब्दार्थ:
१. गाम विन्दति इति गोविन्द: – जे समस्त वसुधाक ज्ञाता छथि वैह गोविन्द छथि। जे सृष्टिक समस्त अभिप्राय आ यथार्थ केर सृजन-संचालन-संहार करैत छथि, वैह गोविन्द छथि। सर्वज्ञ स्वामी गोविन्द छथि।
२. गावम् इन्द्र इति गोविन्द: – गाय केर स्वामी – इन्द्रिय केर स्वामी – ज्ञानेन्द्रिय केर नियंत्रक – गोविन्द छथि। समस्त जीव केर अन्तरात्मा गोविन्द छथि। समस्त चर-अचर प्राणीक अन्तर्यामी जे समस्त वासनाक नियंत्रक छथि, वैह गोविन्द छथि।
३. गौर वाणीतं विन्दयते इति गोविन्द: – जे हमरा सबकेँ शक्ति दैत छथि, वाणी प्रदान करैत छथि, ओ सामर्थ्यदाता गोविन्द छथि। हमरा लोकनिक मुख सँ वाणी चारि चरण मे निकलैत अछि: परा, पश्यति, मध्यमा, वैगरी – एहि चारू चरण सँ होइत वाणी निकलबाक शक्ति देनिहार गोविन्द छथि।
४. गोभिर्वाणीभिर विन्दते वेत्ति वेदान्त वाक्यै: इति गोविन्द: - ओ जिनका वेदान्त-वाक्य आ उपनिषद् द्वारा जानल जा सकैत अछि, वैह गोविन्द छथि। परात्पर ब्रह्म केँ जनाबयवाला महावाक्य जे होइछ वैह गोविन्द छथि। तत् त्वम् असि – यैह गोविन्द केर प्रतिनिधि करयवला महावाक्य थीक। हमरा मे आ समस्त नियति मे विद्यमान् मूल तत्त्व जे अछि – वैह गोविन्द छथि।
एकटा रुचिगर दृष्टान्त:
आदि शंकराचार्य सँ कोनो व्याकरणविद् कहलखिन जे अपनेक उच्चारण मे संस्कृतक नियम बिपरीत संबोधन रहैत अछि, शंकराचार्य जखन कि तात्कालीन समय मे अगाध विद्वान् आ कर्मठ धार्मिक अभियानीक संग वेद-वेदान्तक प्रखर प्रचारक सेहो छलाह, तथापि व्याकरणाचार्यक वचन सुनि हुनका बड प्रेम सँ अपन एक रचनाक मार्फत संबोधन केलनि:
भज गोविन्दं भज गोविन्दं,
गोविन्दं भज मूढ़मते।
संप्राप्ते सन्निहिते काले,
न हि न हि रक्षति डुकृञ् करणे ॥१॥
हे मोह सँ ग्रसित बुद्धिवला मित्र, गोविंद केँ भजू, गोविन्द केर नाम जपू, गोविन्द सँ प्रेम करू कियैक तँ मृत्युक समय व्याकरण केर नियम याद रखला सँ अहाँक रक्षा नहि भऽ सकैत अछि ॥१॥
O deluded minded friend, chant Govinda, worship Govinda, love Govinda as memorizing the rules of grammar cannot save one at the time of death. ॥1॥
मूढ़ जहीहि धनागमतृष्णाम्,
कुरु सद्बुद्धिमं मनसि वितृष्णाम्।
यल्लभसे निजकर्मोपात्तम्,
वित्तं तेन विनोदय चित्तं ॥२॥
हे मोहित बुद्धि! धन एकत्र करबाक लोभ केँ त्यागू। अपन मन सँ एहि समस्त कामना आदिक त्याग करू। सत्यताक पथ केँ अनुसरण करू, अपन परिश्रम सँ जे धन प्राप्त होय ताहि सँ अपन मन केँ प्रसन्न राखू ॥२॥
O deluded minded ! Give up your lust to amass wealth. Give up such desires from your mind and take up the path of righteousness. Keep your mind happy with the money which comes as the result of your hard work. ॥2॥
नारीस्तनभरनाभीदेशम्,
दृष्ट्वा मागा मोहावेशम्।
एतन्मान्सवसादिविकारम्,
मनसि विचिन्तय वारं वारम् ॥३॥
स्त्री शरीर पर मोहित होइत आसक्त जुनि होउ। अपन मन मे निरंतर स्मरण करू कि ई मांस-वसा आदिक विकार केर अतिरिक्त किछु और नहि थीक ॥३॥
Do not get attracted on seeing the parts of woman’s anatomy under the influence of delusion, as these are made up of skin, flesh and similar substances. Deliberate on this again and again in your mind. ॥3॥
नलिनीदलगतजलमतितरलम्,
तद्वज्जीवितमतिशयचपलम्।
विद्धि व्याध्यभिमानग्रस्तं,
लोक शोकहतं च समस्तम् ॥४॥
जीवन कमल-पत्र पर पड़ल पानिक बूंदक समान अनिश्चित एवं अल्प (क्षणभंगुर) अछि। ई बुझि जाउ जे समस्त विश्व रोग, अहंकार और दु:ख मे डूबल अछि ॥४॥
Life is as ephemeral as water drops on a lotus leaf . Be aware that the whole world is troubled by disease, ego and grief. ॥4॥
यावद्वित्तोपार्जनसक्त:,
तावन्निजपरिवारो रक्तः।
पश्चाज्जीवति जर्जरदेहे,
वार्तां कोऽपि न पृच्छति गेहे ॥५॥
जखन धरि व्यक्ति धनोपार्जन मे समर्थ अछि, तखन तक परिवार मे सब ओकरा प्रति स्नेह प्रदर्शित करैत अछि परन्तु अशक्त भऽ गेला पर ओकरा सामान्यो बातचीत तक मे नहि पूछल जाइत अछि ॥५॥
As long as a man is fit and capable to earn money, everyone in the family show affection towards him. But after wards, when the body becomes weak no one enquires about him even during the talks. ॥5॥
यावत्पवनो निवसति देहे,
तावत् पृच्छति कुशलं गेहे।
गतवति वायौ देहापाये,
भार्या बिभ्यति तस्मिन्काये ॥६॥
जाबत धरि शरीर मे प्राण रहैत अछि ताबत धरि टा लोक कुशलो पूछैत अछि। शरीर सँ प्राण वायु केँ निकैलते पत्नी सेहो ओहि शरीर सँ डराय लगैत अछि ॥६॥
Till one is alive, family members enquire kindly about his welfare . But when the vital air (Prana) departs from the body, even the wife fears from the corpse. ॥6॥
बालस्तावत् क्रीडासक्तः,
तरुणस्तावत् तरुणीसक्तः।
वृद्धस्तावच्चिन्तासक्तः,
परे ब्रह्मणि कोऽपि न सक्तः ॥७॥
बचपन मे खेल मे रूचि होइत छैक, युवावस्था मे युवा स्त्रीक प्रति आकर्षण होइत छैक, वृद्धावस्था मे चिंतादि सँ घिरल रहैत अछि मुदा प्रभु सँ कियो प्रेम नहि करैत अछि ॥७॥
In childhood we are attached to sports, in youth, we are attached to woman . Old age goes in worrying over every thing . But there is no one who wants to be engrossed in Govind, the parabrahman at any stage. ॥7॥
का ते कांता कस्ते पुत्रः,
संसारोऽयमतीव विचित्रः।
कस्य त्वं वा कुत अयातः,
तत्त्वं चिन्तय तदिह भ्रातः ॥८॥
के अहाँक पत्नी थीक, के अहाँक पुत्र थीक, ई संसार अत्यंत विचित्र अछि, अहाँ के थिकहुँ, कतय सँ आयल छी, बन्धु ! एहि बात पर तऽ पहिले विचार कय लेल जाउ ॥८॥
Who is your wife ? Who is your son? Indeed, strange is this world. O dear, think again and again who are you and from where have you come. ॥8॥
सत्संगत्वे निस्संगत्वं,
निस्संगत्वे निर्मोहत्वं।
निर्मोहत्वे निश्चलतत्त्वं
निश्चलतत्त्वे जीवन्मुक्तिः ॥९॥
सत्संग सँ वैराग्य, वैराग्य सँ विवेक, विवेक सँ स्थिर तत्त्वज्ञान और तत्त्वज्ञान सँ मोक्ष केर प्राप्ति होइत छैक ॥९॥
Association with saints brings non-attachment, non-attachment leads to right knowledge, right knowledge leads us to permanent awareness,to which liberation follows. ॥9॥
वयसि गते कः कामविकारः,
शुष्के नीरे कः कासारः।
क्षीणे वित्ते कः परिवारः,
ज्ञाते तत्त्वे कः संसारः ॥१०॥
आयु बीत गेलाक बाद काम भाव नहि रहैछ, पानि सूखा गेला पर पोखैर नहि रहैछ, धन चलि गेलापर पर परिवार नहि रहैछ और तत्त्व ज्ञान भऽ गेला पर संसारो नहि रहैछ ॥१०॥
As lust without youth, lake without water, the relatives without wealth are meaningless, similarly this world ceases to exist, when the Truth is revealed? ॥10॥
मा कुरु धनजनयौवनगर्वं,
हरति निमेषात्कालः सर्वं।
मायामयमिदमखिलम् हित्वा,
ब्रह्मपदम् त्वं प्रविश विदित्वा ॥११॥
धन, शक्ति और यौवन पर गर्व जुनि करू, समय क्षण भरि मे एकरा नष्ट कय दैत अछि। एहि विश्व केँ माया सँ घेरल बुझि अहाँ ब्रह्म पद मे प्रवेश करू ॥११॥
Do not boast of wealth, friends (power), and youth, these can be taken away in a flash by Time . Knowing this whole world to be under the illusion of Maya, you try to attain the Absolute. ॥11॥
दिनयामिन्यौ सायं प्रातः,
शिशिरवसन्तौ पुनरायातः।
कालः क्रीडति गच्छत्यायुस्तदपि
न मुन्च्त्याशावायुः ॥१२॥
दिन और राति, साँझ आ भोर, जाड़ आ बसंत बेर-बेर अबैते-जाइते रहैत अछि, समयक एहि क्रीडाक संग जीवन नष्ट होइत रहैत अछि मुदा इच्छाक अंत कहियो नहि होइत अछि ॥१२॥
Day and night, dusk and dawn, winter and spring come and go. In this sport of Time entire life goes away, but the storm of desire never departs or diminishes. ॥12॥
द्वादशमंजरिकाभिरशेषः
कथितो वैयाकरणस्यैषः।
उपदेशोऽभूद्विद्यानिपुणैः
श्रीमच्छंकरभगवच्चरणैः ॥१२॥
बारह गीत केर ई पुष्पहार, सर्वज्ञ प्रभुपाद श्री शंकराचार्य द्वारा एक वैयाकरण केँ प्रदान कैल गेल ॥१२॥
This bouquet of twelve verses was imparted to a grammarian by the all-knowing, god-like Sri Shankara. ॥12A॥
काते कान्ता धन गतचिन्ता,
वातुल किं तव नास्ति नियन्ता।
त्रिजगति सज्जनसं गतिरैका,
भवति भवार्णवतरणे नौका ॥१३॥
अहाँकेँ पत्नी और धनक एतेक चिंता कियैक अछि? कि ओकर नियंत्रक क्यो नहि अछि? तीनू लोको मे केवल सज्जन केर संग टा एहि भवसागर सँ पार जेबाक नाव होइछ ॥१३॥
Oh deluded man ! Why do you worry about your wealth and wife? Is there no one to take care of them? Only the company of saints can act as a boat in three worlds to take you out from this ocean of rebirths. ॥13॥
जटिलो मुण्डी लुञ्छितकेशः,
काषायाम्बरबहुकृतवेषः।
पश्यन्नपि च न पश्यति मूढः,
उदरनिमित्तं बहुकृतवेषः ॥१४॥
बड़का जटा, केश रहित सिर, बिखरल केश, काषाय (भगवा) वस्त्र और भांति-भांति केर भेष ई सब अपन पेट भरबाक लेल मात्र धारण कैल जाइछ, अरे मोहित मनुष्य! अहाँ एकरा देखिकय सेहो कियैक नहि देख पबैत छी ॥१४॥
Matted and untidy hair, shaven heads, orange or variously colored cloths are all a way to earn livelihood . O deluded man why don’t you understand it even after seeing.॥14॥
अङ्गं गलितं पलितं मुण्डं,
दशनविहीनं जतं तुण्डम्।
वृद्धो याति गृहीत्वा दण्डं,
तदपि न मुञ्चत्याशापिण्डम् ॥१५॥
क्षीण अंग, पाकल-सफेद केश, दांत सँ रहित मुख और हाथ मे दंड लैत चलयवला वृद्ध सेहो आशा-पाश सँ बान्हल रहैत अछि ॥१५॥
Even an old man of weak limbs, hairless head, toothless mouth, who walks with a stick, cannot leave his desires. ॥15॥
अग्रे वह्निः पृष्ठेभानुः,
रात्रौ चुबुकसमर्पितजानुः।
करतलभिक्षस्तरुतलवासः,
तदपि न मुञ्चत्याशापाशः ॥१६॥
सूर्यास्तक बाद, रात्रिमे आगि जराकय और घुटना मे माथ नुकाकय सर्दी बचाबयवला, हाथ मे भिक्षाक अन्न खायवला, गाछक नीचाँ रहयवला सेहो अपन इच्छाक बंधन केँ छोड़ि नहि पबैत अछि ॥१६॥
One who warms his body by fire after sunset, curls his body to his knees to avoid cold; eats the begged food and sleeps beneath the tree, he is also bound by desires, even in these difficult situations . ॥16॥
कुरुते गङ्गासागरगमनं,
व्रतपरिपालनमथवा दानम्।
ज्ञानविहिनः सर्वमतेन,
मुक्तिं न भजति जन्मशतेन ॥१७॥
कोनो भी धर्मक अनुसार ज्ञान रहित रहिकय गंगासागर गेला सँ, व्रत रखला सँ और दान देला सँ सौओ जन्म तक मे मुक्ति नहि प्राप्त कैल जा सकैत अछि ॥१७॥
According to all religions, without knowledge one cannot get liberated in hundred births though he might visit Gangasagar or observe fasts or do charity. ॥17॥
सुर मंदिर तरु मूल निवासः,
शय्या भूतल मजिनं वासः।
सर्व परिग्रह भोग त्यागः,
कस्य सुखं न करोति विरागः ॥१८॥
देव मंदिर या गाछक नीचाँ निवास, पृथ्वी जेहेन बिछाउन, अकेले रहनिहार, सब प्रकारक संग्रह और सुख केर त्याग करयवाला वैराग्य सँ केकरा आनंद केर प्राप्ति नहि होयत ॥१८॥
Reside in a temple or below a tree, sleep on mother earth as your bed, stay alone, leave all the belongings and comforts, such renunciation can give all the pleasures to anybody. ॥18॥
योगरतो वाभोगरतोवा,
सङ्गरतो वा सङ्गवीहिनः।
यस्य ब्रह्मणि रमते चित्तं,
नन्दति नन्दति नन्दत्येव ॥१९॥
कियो योग मे लागल हो या भोग मे, संग मे आसक्त हो या निसंग हो, मुदा जेकर मन ब्रह्म मे लागि गेल अछि वैह आनंद करैत अछि, आनंद टा करैत अछि ॥१९॥
One may like meditative practice or worldly pleasures , may be attached or detached. But only the one fixing his mind on God lovingly enjoys bliss, enjoys bliss, enjoys bliss. ॥19॥
भगवद् गीता किञ्चिदधीता,
गङ्गा जललव कणिकापीता।
सकृदपि येन मुरारि समर्चा,
क्रियते तस्य यमेन न चर्चा ॥२०॥
जे भगवद्गीताक कनेकबो अध्ययन केने अछि, भक्ति रूपी गंगा जलक कणो भैर पिने अछि, भगवान् कृष्ण केर एको बेर समुचित प्रकार सँ पूजा केने अछि, यम केर द्वारा ओकर चर्चो तक नहि कैल जाइत छैक ॥२०॥
Those who study Gita, even a little, drink just a drop of water from the holy Ganga, worship Lord Krishna with love even once, Yama, the God of death has no control over them. ॥20॥
पुनरपि जननं पुनरपि मरणं,
पुनरपि जननी जठरे शयनम्।
इह संसारे बहुदुस्तारे,
कृपयाऽपारे पाहि मुरारे ॥२१॥
बेर-बेर जन्म, बेर-बेर मृत्यु, बेर-बेर माँ केर गर्भ मे शयन, एहि संसार सँ पार पाबि गेनाय बहुत कठिन अछि, हे कृष्ण कृपा करैत हमरा एहि सँ रक्षा करू ॥२१॥
Born again, die again, stay again in the mother’s womb, it is indeed difficult to cross this world. O Murari ! please help me through your mercy. ॥21॥
रथ्या चर्पट विरचित कन्थः,
पुण्यापुण्य विवर्जित पन्थः।
योगी योगनियोजित चित्तो,
रमते बालोन्मत्तवदेव ॥२२॥
रथ केर नीचाँ एला पर फाटल कपडो पहिरनिहार, पुण्य और पाप सँ रहित पथ पर चलनिहार, योग मे अपन चित्त केँ लगेनिहार योगी, बालक केर समान आनंद मे रहैत अछि ॥२२॥
One who wears cloths ragged due to chariots, move on the path free from virtue and sin,keeps his mind controlled through constant practice, enjoys like a carefree exuberant child. ॥22॥
कस्त्वं कोऽहं कुत आयातः,
का मे जननी को मे तातः।
इति परिभावय सर्वमसारम्,
विश्वं त्यक्त्वा स्वप्न विचारम् ॥२३॥
तु के छँ, हम के छी, कतय सँ अयलहुँ, हमर माय के छी, हमर पिता के अछि? सब प्रकार सँ एहि विश्व केँ असार बुझिकय एकरा एकटा स्वप्न जेकाँ त्यागि दे ॥२३॥
Who are you ? Who am I ? From where I have come ? Who is my mother, who is my father ? Ponder over these and after understanding,this world to be meaningless like a dream,relinquish it. ॥23॥
त्वयि मयि चान्यत्रैको विष्णुः,
व्यर्थं कुप्यसि मय्यसहिष्णुः।
भव समचित्तः सर्वत्र त्वं,
वाञ्छस्यचिराद्यदि विष्णुत्वम् ॥२४॥
तोरा मे, हमरा मे और अन्यत्र सेहो सर्वव्यापक विष्णु टा छथि, तूँ व्यर्थे क्रोध करैत छँ, यदि तूँ शाश्वत विष्णु पद केँ प्राप्त करय चाहते छँ तऽ सर्वत्र समान चित्त वाला बनि जो ॥२४॥
Lord Vishnu resides in me, in you and in everything else, so your anger is meaningless . If you wish to attain the eternal status of Vishnu, practice equanimity all the time, in all the things. ॥24॥
शत्रौ मित्रे पुत्रे बन्धौ,
मा कुरु यत्नं विग्रहसन्धौ।
सर्वस्मिन्नपि पश्यात्मानं,
सर्वत्रोत्सृज भेदाज्ञानम् ॥२५॥
शत्रु, मित्र, पुत्र, बन्धु-बांधव सँ प्रेम और द्वेष नहि करे, सबमे अपना आप टा केँ देख, एहि तरहें सर्वत्रे भेद रूपी अज्ञान केँ त्यागि दे ॥२५॥
Try not to win the love of your friends, brothers, relatives and son(s) or to fight with your enemies. See yourself in everyone and give up ignorance of duality everywhere.॥25॥
कामं क्रोधं लोभं मोहं,
त्यक्त्वाऽत्मानं भावय कोऽहम्।
आत्मज्ञान विहीना मूढाः,
ते पच्यन्ते नरकनिगूढाः ॥२६॥
काम, क्रोध, लोभ, मोह केँ छोड़िकय, स्वयं मे स्थित रहैत विचार करे कि हम के छी, जे आत्म- ज्ञान सँ रहित मोहित व्यक्ति अछि ओ बेर-बेर छिपल रहल एहि संसार रूपी नरक मे पड़ैते अछि ॥२६॥
Give up desires, anger, greed and delusion. Ponder over your real nature . Those devoid of the knowledge of self come in this world, a hidden hell, endlessly. ॥26॥
गेयं गीता नाम सहस्रं,
ध्येयं श्रीपति रूपमजस्रम्।
नेयं सज्जन सङ्गे चित्तं,
देयं दीनजनाय च वित्तम् ॥२७॥
भगवान् विष्णु केर सहस्त्र नाम केँ गबैते हुनकर सुन्दर रूप केर अनवरत ध्यान करे, सज्जन लोक केँ संग मे अपन मन केँ लगाबे और गरीब केर अपना धन सँ सेवा करे ॥२७॥
Sing thousand glories of Lord Vishnu, constantly remembering his form in your heart. Enjoy the company of noble people and do charity for the poor and the needy. ॥27॥
सुखतः क्रियते रामाभोगः,
पश्चाद्धन्त शरीरे रोगः।
यद्यपि लोके मरणं शरणं,
तदपि न मुञ्चति पापाचरणम् ॥२८॥
सुख केर लेल लोक आनंद-भोग करैत अछि जेकरा बाद एहि शरीर मे रोग होइत छैक। यद्यपि एहि पृथ्वी पर सबहक मरण सुनिश्चित छैक तैयो लोक पापमय आचरण केँ नहि छोड़ैत अछि ॥२८॥
People use this body for pleasure which gets diseased in the end. Though in this world everything ends in death, man does not give up the sinful conduct. ॥28॥
अर्थंमनर्थम् भावय नित्यं,
नास्ति ततः सुखलेशः सत्यम्।
पुत्रादपि धनभजाम् भीतिः,
सर्वत्रैषा विहिता रीतिः ॥२९॥
धन अकल्याणकारी छैक और एहिसँ कनिकबो टा सुख नहि भेट सकैत अछि, एहेन विचार प्रतिदिन करबाक चाही । धनवान व्यक्ति तँ अपन पुत्र सँ सेहो डेराइत अछि, ई सबकेँ पते छैक ॥२९॥
Keep on thinking that money is cause of all troubles, it cannot give even a bit of happiness. A rich man fears even his own son . This is the law of riches everywhere. ॥29॥
प्राणायामं प्रत्याहारं,
नित्यानित्य विवेकविचारम्।
जाप्यसमेत समाधिविधानं,
कुर्ववधानं महदवधानम् ॥३०॥
प्राणायाम, उचित आहार, नित्य एहि संसार केर अनित्यता केँ विवेक पूर्वक विचार करे, प्रेम सँ प्रभु-नाम केर जाप करैते समाधि मे ध्यान दे, बहुते ध्यान दे ॥३०॥
Do pranayam, the regulation of life forces, take proper food, constantly distinguish the permanent from the fleeting, Chant the holy names of God with love and meditate,with attention, with utmost attention. ॥30॥
गुरुचरणाम्बुज निर्भर भक्तः,
संसारादचिराद्भव मुक्तः।
सेन्द्रियमानस नियमादेवं,
द्रक्ष्यसि निज हृदयस्थं देवम् ॥३१॥
गुरुक चरण कमल केँ मात्र आश्रय मानयवला भक्त बनिकय सदैव लेल एहि संसार मे आवागमन सँ मुक्त भऽ जो, एहि तरहें मन आर इन्द्रिय केर निग्रह करैत अपन हृदय मे विराजमान प्रभु केर दर्शन करे ॥३१॥
Be dependent only on the lotus feet of your Guru and get salvation from this world. Through disciplined senses and mind, you can see the indwelling Lord of your heart !॥31॥
मूढः कश्चन वैयाकरणो,
डुकृञ्करणाध्ययन धुरिणः।
श्रीमच्छम्कर भगवच्छिष्यै,
बोधित आसिच्छोधितकरणः ॥३२॥
एहि प्रकारे व्याकरण केर नियम केँ कंठस्थ करैत कोनो मोहित वैयाकरण केर माध्यम सँ बुद्धिमान श्री भगवान् शंकर केर शिष्य बोध प्राप्त करबाक लेल प्रेरित कैल गेल ॥३२॥
Thus through a deluded grammarian lost in memorizing rules of the grammar, the all knowing Sri Shankara motivated his disciples for enlightenment. ॥32॥
भजगोविन्दं भजगोविन्दं,
गोविन्दं भजमूढमते।
नामस्मरणादन्यमुपायं,
नहि पश्यामो भवतरणे ॥३३॥
गोविंद केँ भजू, गोविन्द केर नाम लेल जाउ, गोविन्द सँ प्रेम करू कियैक तँ भगवानक नाम जप केर अलावे एहि भव-सागर सँ पार पेबाक आन कोनो मार्ग नहि छैक ॥३३॥
O deluded minded friend, chant Govinda, worship Govinda, love Govinda as there is no other way to cross the life’s ocean except lovingly remembering the holy names of God. ॥33॥
‘भज गोविन्दम्’ देखय मे भले छोट टा ग्रन्थ लागय, मुदा वास्तव मे आदि शंकर केर ई एक महत्वपूर्ण रचना थीक। एहि मे वेदान्त केर मूल आधार शिक्षा सरल गान मे देल गेल अछि, ताकि कोनो बुद्धिमान व्यक्ति अगर एकर अध्ययन सच्चाई केर संग करय तऽ ओकर समस्त मोह नष्ट भऽ सकैत छैक, और एहि वास्ते एकर नाम पड़ल ‘मोह-मुद्गर’।