जनकपुरधाम, २३ जनवरी २०२३ । मैथिली जिन्दाबाद!!
मैथिली भाषा-साहित्य लेल समर्पित संस्था मैथिली साहित्यकार सभा, जनकपुर केर एगारहम् वार्षिकोत्सव समारोह काल्हि २२ जनवरी २०२३ (२०७९ माघ ७ गते शनिदिन) जनकपुरधामक अधिकृत संगमक सभाकक्षमे सम्पन्न भेल अछि।
एहि आयोजनक प्रमुख अतिथि राजर्षि विश्वविद्यालयक पूर्व उपकुलपति प्रा. भरत झा एवम् विशिष्ट अतिथिद्वय पूर्व राष्ट्रीय सभा सदस्य/साहित्यकार श्री वृषेशचन्द्र लाल आ राजनीतिज्ञ/साहित्यकार श्री रामरिझन यादव रहथि। प्रमुख अतिथिद्वारा पानसमे दीप बारिक’ कार्यक्रमक उद्घाटन, मञ्चासीन अतिथिगणके गमछा ओ माला सँ स्वागत-सम्मान करैत, कवि मनोज प्रेमेशद्वारा स्वागत काव्य पाठ आ उपसभापाल रामाशीष मण्डलद्वारा स्वागत मन्तव्य राखल गेल। अमर शहीद आ साहित्यकारलोकनिक स्मरणमे एक मिनट मौनधारण कएल गेल। फेर संस्थाक नियमित अभियान गीत (हम लड़ि क’ लेब अधिकार) मोती झा मिथिलाद्वारा गाओल गेल।
उक्त कार्यक्रममे कार्यपाल अरविन्द कुमार यादव संस्थाक तरफसँ प्रत्येक वर्ष देल जायवला सातटा सम्मान आ एकटा पुरस्कार पर चर्चा कएलनि आ प्रत्येक सम्मानपत्रक पाठ सेहो कएलनि। सम्मान लेल चयनित व्यक्तित्वसभकेँ फूलमाला, चादरि आ सम्मानपत्रसँ सम्मानित कएल गेलनि। विख्यात बहुआयामी साहित्यकार डा. राजेन्द्र विमलजीकेँ संस्थाक सर्वोत्कृष्ट सम्मान – ज्योतिरीश्वर साहित्य सम्मान (धनुषा), हास्य कवि महेन्द्र मण्डल बनबारीजीकेँ शास्त्री साहित्य सम्मान (सप्तरी), भाषाअभियानी राजकुमार महतोजीकेँ दीना-भद्री भाषा अभियानी सम्मान (सर्लाही), मञ्चीय कवि काशीकान्त झा रसिकजीकेँ मञ्चीय शिखर कवि सम्मान (महोत्तरी), लेखक/अन्वेषक रमेश यादव मैथिलजीकेँ ग्रियर्सन गवेषणा सम्मान (धनुषा), लेखिका/कलाकार पूजा पासमानजीकेँ योगेन्द्र साह कला सम्मान (सिरहा), अरविन्द कुमार यादवजीकेँ मैथिली साहित्यकार सभा सम्मान (धनुषा) आ भुवनेश्वरी उदित नारायण मैथिली साहित्य पुरस्कार (पहिल खेप) वयोवृद्ध कुशल कवि रुद्र नारायण झा मडइजी (महोत्तरी)केँ अर्पण कएल गेलनि। हुनका सात हजारक चेकसमेत हस्तान्तरण कएल गेलनि। एहि पुरस्कारसम्बन्धमे युवा साहित्यकार नित्यानन्द मण्डल चर्चा कएने छलाह। गत वर्ष सर्वश्री वृषेशचन्द्र लाल अपन मातापिताक नामपर पुरस्कार अक्षय कोषक स्थापना कएने छलाह। एहि कोषक वार्षिक व्याजसँ प्रत्येक वर्ष एकटा मैथिली साहित्यकारकेँ पुरस्कृत करबाक प्रावधान अछि।
प्रत्येक सम्मान आ पुरस्कार संस्थाद्वारा बनाओल सम्मानसम्बन्धी कार्यविधि २०७५ आ अक्षय कोषसम्बन्धी कार्यविधि २०७८ अनुसार गठित दुनू चयन समितिक सिफारिस मुताबिक अर्पण कएल गेल। तत्पश्चात सम्मान आ पुरस्कार चयन समितिक सदस्यगण एवम् कार्यक्रमक नियमित पाँचटा सहभागीके विभिन्न मैथिली साहित्यकारक फोटो उपहार देल गेलनि। नित्यानन्द मण्डलके सुन्दर झा शास्त्री, रामाशीष मण्डलके बदरी नारायण वर्मा, बटुकनाथ झाके डा. धीरेन्द्र, अनिल कुमार कर्णके बदरी नारायण वर्मा, सुधा कर्णके भुवनेश्वर पाथेय, मो. असलम राइनके योगेन्द्र साह नेपाली आ जगदीश महासेठके रामवृक्ष यादवक तस्वीर प्रदान कएल गेल छलनि। सभापालद्वारा प्रमुख अतिथि आ विशिष्ट अतिथिद्वयके सम्मान स्वरुप माला, चादरि आ मिथिला-चित्रकला अर्पण कएल गेल छलनि ।
दोसर चरणमे मैथिली साहित्यकार सभा, मैथिली भाषा, साहित्य, संस्कृतिसम्बन्धमे मञ्चासीन वक्तासभ विचार व्यक्त कएने छलाह। सम्मानित तरफसँ कवि महेन्द्र मण्डल बनबारीजी आ भाषा अभियानी राजकुमार महतोजी मन्तव्य व्यक्त कएलनि। गौ संरक्षण मञ्चक अध्यक्ष जगदीश महासेठ, विद्यापति पुरस्कार कोषक पूर्व अध्यक्ष रामसागर पंडित, समाजसेवी ई. प्रकाश चन्द्र साह, वडाध्यक्ष (वाड नं ९) परमेश्वर साह, वरिष्ठ साहित्यकार डा. रेवतीरमण लाल आ प्रमुख अतिथि प्रा.भरत झा अपन बहुमूल्य विचार प्रकट कएलनि। साहित्यकार श्री रोशन जनकपुरी, विशिष्ट अतिथिद्वय श्री वृषेशचन्द्र लाल आ श्री रामरिझन यादवजीक ओजतापूर्ण सम्बोधनक अत्यधिक सराहना भेटल। प्रसिद्ध विद्वान आ सम्मानित साहित्यकार डा. विमल केर ओजस्वी सम्बोधन श्रोतागण केँ काफी प्रेरणा दैत गदगद सेहो कएलकनि।
संस्थाक सभापाल प्रेम विदेह ललनक सभापतित्वमे सम्पन्न उक्त समारोहमे साहित्यकार निला घिमिरे, अशोक दत्त, चन्द्रशेखर राय चमन, देवेश्वर लाल मुन्ना, राजेश महतो, देवीकान्त मिश्र, विनोद चन्द्र झा, उपेन्द्र भगत नागवंशी, दिगम्बर झा दिनमणि, फूलेन्द्र लाल कर्ण, नागेश्वर मण्डल, सपना कर्ण, वैद्यनाथ पासमान, अभीष्ट नारायण झा एवम् साहित्यानुरागी विजया लाल, अमर चन्द्र अनिल, जयचन्द्र चौधरी, उत्तीम लाल कापडिसहितक उपस्थिति रहल छल। अरविन्द कुमार यादवद्वारा सफल उद्घोषण भेल छल आ अशोक, पंकज,राही, आभास बौआसभक व्यवस्थापनमे विशेष सहयोग रहल छल।