अमित आनन्द, महिषीधाम, सहरसा। जुलाई ६, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
सृजनशीलता मे निरंतरता सँ साहित्यिक संस्कार केर निर्माण लेल मैथिली विश्वक एक समृद्ध भाषा मे गानल जाइछ। कहबी सचे छैक जे मैथिली एतेक रास राजनैतिक षड्यन्त्रक शिकार रहल जाहि सँ आइ कतेको मैथिल लोक स्वयं मैथिली प्रयोग करय मे लाज मानैत छथि, मुदा नहि, संविधान मे मैथिली केँ भेटल स्थान, जखनहि मैथिली बनि गेल भारतक राष्ट्रीय भाषा आ स्वीकृति पाबि गेल सिविल सर्विस परीक्षाक भाषारूप मे, तऽ देखल जाउ जे हरेक वर्ष दर्जनों लोक मैथिली विषय सँ परीक्षा मे सहभागी होइत छथि। हरेक वर्ष उल्लेखणीय संख्या मे आइएएस सेहो मैथिली सँ बनैत छथि। मैथिली ‘रजनी-सजनीक भाषा’ सँ बदैलकय आब हाकिम-हुकुम आ रोजीक भाषा बनि रहल अछि। मैथिली जिन्दाबाद होमय लागल अछि।
एहि बेर सेहो कुल १५ छात्र मैथिली भाषा सँ सिविल सर्विसेज केर परीक्षा मे बाजी मारलनि अछि। एहि मे मधुबनी सँ तीन लड़का सेहो शामिल छथि। रौशन झा 95वां रैंक लाबि मधुबनीक नाम गौरवान्वित केलनि अछि। ओतहि मयंक कुमार झा सेहो 223 वां आ नीरज कुमार झा 487 वां स्थान प्राप्त करैत अपन प्रतिभाक लोहा मनवेलनि अछि।
खगड़िया सँ सावन कुमार झा केँ 285 वां, सहरसा बनगांव सँ प्रसन्न कुमार खाँ केँ 575 वां, पटनाक राकेश कुमार केँ 685 वां, बलियाक सौरव कुमार केँ 703 वाँ, गयाक राजीव रंजन केँ 837वाँ, पूर्णियाक प्रवीण प्रकाश केँ 843वां एवं प्रवीण शेखर केँ 846वां, मधेपुराक आदित्य आनंद केँ 981वां, बेगूसरायक सरोज कुमार केँ 984वां, गौंडाक अमित कुमार आनंद केँ 1093 वां एवं सीवान सँ रौशन कुमार केँ 1192 वां रैंक भेटलनि अछि। ई सूचना दिल्ली सँ आईएएस मंथन केर निदेशक शेखर झा देलनि अछि आ ओ ईहो कहलनि अछि जे मैथिली विषय सँ बहुत रास छात्र पहिनहि सँ यूपीएससी केर परीक्षा पास करैत ट्रेनिंग कय रहला अछि, एहि बेर जे सब पास केला ओहो सब पहिने सेहो पास करैत कतेक गोटा ट्रेनिंग कय रहल छलाह, मुदा एहि बेर मैथिली रखला सँ हिनका लोकनिक रैंकिंग मे काफी सुधार आयल अछि।
ई तऽ सुनिश्चित अछि जे मैथिली विषय सँ दूर भगनिहार लेल एकटा सुखद संदेश गेल आ अपन मातृभाषाक महत्त्व सब कियो बुझैत उज्ज्वल भविष्य लेल बेर-बेर प्रयास करता, सफलता सेहो प्राप्त करता। भाषा विभाजन केर राजनीति मे अपना केँ बज्जिका आ अंगिका मानि मैथिली सँ दूरी बनेनिहार छात्र लेल ई विशेष सूचक अछि जे पूर्ण भाषा मैथिली मे अपन अध्ययन केँ जारी करू आ प्रशासकीय परीक्षा समान उच्च प्रतिष्ठित क्षेत्र मे भविष्य निर्माण करू। मैथिली जिन्दाबाद एहि समस्त उतीर्ण छात्र केँ पुन: शुभकामना प्रदान करैत अछि। सबहक जुबान पर एकहि नारा – मैथिली जिन्दाबाद!!


4 Comments
maithili jindabad apan mait ke bhasha me likhab bahut aasan aa bad prabhavi hoit chhe
jai maithil jai mithila
सुइन क बहुत निक लागल इ खबर । लेकिन इ खबर के शेयर करबाक कोनो ऑप्शन हमारा ने दखाब देलक ।
अहाँ फेसबुक, ट्वीटर, जीटाक, पिन्ट्रेस्ट आदि पर सीधे शेयर कय सकैत छी, मैसेजक ऊपरे मे शेयर अप्शन अछि। नहि, तऽ लिंक कपी करैत शेयर कय सकैत छी। हरि: हर:!!