Search

समूह एक गतिविधि अनेकः दहेज मुक्त मिथिला समूहक साप्ताहिक समीक्षा

सामाजिक संजाल मे मैथिली-मिथिला प्रति समर्पित गतिविधि

– कीर्तिनारायण झा

दहेज मुक्त मिथिला फेसबुक समूह केर साप्ताहिक समीक्षा – ७ जनवरी २०२३ ।

फोन उठेलहुं, उठा कहलियैन,
खोलु दरबाजा आबि गेलौं।
हमर हाथ दुनु बाझल अइ,
पकड़ू झोरा यै, भरि अनलौं॥
“दुनू प्राणी गाम में” शीर्षक सँ उदय शंकर झा केर सुंदर पांती सँ आजुक साप्ताहिक समीक्षा जे नव वर्ष २०२३ के पहिल समीक्षा छी तकर शुभारम्भ कऽ रहल छी।
सभ माय बाप के इच्छा होइत छैक जे बूढ भेला पर बच्चा लग में रहितए मुदा तुरन्त स्मरण अबैत छैक जे हमरा लग रहला सँ काज कोना चलतैन आ माय बाप मोन मसोसि कऽ रहि जाइत छैथि आ धिया पूता सँ दूर रहि कऽ अपन अन्तरात्मा सँ धिया पूता के सकुशल रहबाक कामना करैत रहैत छैथि। हम अपना संग बीतल घटना में कनेक बेसी भावुक भऽ गेलहुँ। समीक्षा पर ध्यान आकर्षित करबैत अंग्रेजी नव वर्ष २०२३ केर आगमन एहि सप्ताह भेल जकर शुभकामना सँ समूह रंगल छल। हमरा लोकनि के अपन लक्ष्य प्राप्त करवाक लेल सतत् तत्पर रहबाक चाही नव वर्ष में येएह हमर सभक संदेश होयवाक चाही। यू के झा के नव वर्ष छै नव जोश छै करब युद्ध किछु नवका के नीक आह्वान छैन्ह। दीपा ठाकुर के रमणगर लाइव पुनः आरम्भ भेल।
एहि बेर फीडबैक के संख्या बढल जे समूह के लेल नीक संकेत अछि। किरण झा के फीडबैक बहुत सुंदर। नूतन झा के नीक फीडबैक होइते छैन्ह। श्यामा देवी सेहो नीक फीडबैक देलन्हि। प्रभाकर मिश्रा जी के हृदय सँ फीडबैक बहुत सुंदर। एहि सप्ताह लेखनी के धार के विजेता के नाम क्रमशः उग्रनाथ झा, कीर्ति नारायण झा, आभा झा, अखिलेश कुमार मिश्र, क्षमा कुमारी, रिंकू झा, आ माला मिश्र रहलीह।
मैथिली भाषाक अधिकार दियेबाक लेल श्री प्रवीण नारायण चौधरी जी केर आह्वान ‘जुनि तोड़ू अहाँ हमर भाषा, अहाँ सँ सबके बहुते आशा’, बहुत सुंदर छैन्ह जकर ब्यू करीब शोलह सौ देखल गेल। विद्या चौधरी के अंजनी के लाल दुख हमरो हरू नीक पांती छैन्ह।
एहि सप्ताह के सभ सँ प्रमुख आ सुन्दर कार्यक्रम कलकत्ता मे समूहक सदस्य के मिलन समारोह रहल जे नारी शक्ति के कुशल नेतृत्व के परिभाषित करैत अछि आ सफलता चरमोत्कर्ष के प्राप्त कयलक ई मिलन कार्यक्रम। आयोजक वास्तव में धन्यवाद के पात्र छैथि एहि संँ बेसी हुनका लेल हमरा सभ लग किछु नहि अछि।
उषा चौधरी इलाहाबाद के तट पर गंगा स्नान केर भव्य छवि प्रस्तुत कयलनि। श्रीमती वन्दना चौधरी दुनू प्राणी समूहक सभ सदस्य के नव साल मंगलमय होयवाक मंगलकामना कयलनि। अरुण कुमार मिश्र केर नव वर्ष नीक रचना छैन्ह जाहि मे हुनक विद्वता स्पष्ट झलकैत अछि। मंजूषा झा के नववर्ष अभिनन्दन अत्यन्त मनमोहक अछि। शिव कुमार जी के सेहो नव वर्ष केर आगमनक पर समूह के सदस्य के शुभकामना देल गेल। सोनी झा सेहो अपन सुंदर छवि के संग नव वर्ष के शुभकामना देलन्हि। सपना झा के शुभकामना बहुत सुंदर जे दिन दिन बढे कवहु ना घटे नीक बिचार छैन्ह।
आब अबैत छी नव सालक हँसगुल्ला पर.. मुदा ई की? हंसगुल्ला किंग के कनियाँ के प्रतिभा के देखि बोट अधिकारी के दांती लागि गेलैक जे सरकारी महकमा छैक तें आगू बढी। इला झा के हंसगुल्ला पत्नी आइ सी यू में आ ओहि में चमत्कार नीक गुदगुदी लगबैत अछि। मेरी झा के जुआइत आ जुराइत में कन्फ्यूजन नीक हास्य छैन्ह। यू के झा इ रसगुल्ला कनी धरगर छै नीक हास्य छैन्ह। प्रभाकर मिश्रा जी के एडमिन दिस सँ नव वर्ष के भोज नीक हास्य छैन्ह। कंजूस पार्टनर के हँसगुल्ला शिव कुमार जी के नीक रचना छैन्ह। उग्रनाथ झा के कनियाँ के हेप्पी न्यू इयर नीक हास्य छैन्ह। किरण झा के चौधरी जी के ओहिठाम केर नओत नीक हास्य छैन्ह। अंजू झा एहि बेर अखिलेश जी के कनियाँ के ओहिठाम नववर्ष पर गेल रहैथि नीक हास्य छैन्ह। वन्दना चौधरी के समूहक सभ सदस्य के नव साल मे आबि गेलहुं कि छूटलो छी नीक हास्य छैन्ह। पिताम्वरी देवी के बारह तारीख कऽ एक जनवरी छियैइ नीक हास्य छैन्ह। नूतन झा के तुलसी फूलक चाउर के भात नीक हास्य छैन्ह। ससूर द्वारा थान रखवाक मुसीबत अहाँ सभके नीक लागल। आभार। देवेंद्र झा के टू कप टी नीक हास्य छैन्ह। सोहन झा के हास्य बियाहल आदमी के डंटनाइ नीक हास्य छैन्ह।
वन्दना चौधरी के नव सालक शुभकामना लाइव नीक प्रस्तुति छैन्ह। बेनी झा, मंजूषा झा के सेहो नव सालक शुभकामना देल गेल। आशा चौधरीक कटही गाड़ी बीमार बला श्रृंखलाबद्ध हास्य नीक प्रस्तुति छैन्ह। आभा झा के रूचि साझा करवाक नीक प्रस्तुति छैन्ह। कलम सँ निकलल काव्यक धार नव वर्ष केर विजेता लेखकक नाम अखिलेश कुमार मिश्र जी, उग्रनाथ झा, क्षमा कुमारी, पिताम्वरी देवी, कीर्ति नारायण झा, अर्चना मिश्र अर्शी, आभा झा, ज्योत्स्ना कुमारी, नूतन झा, पूजा कुमारी, रिंकू झा आ माला मिश्रा। सभके बहुत बहुत बधाई।
सोनी झा के बचपन के संस्मरण नीक प्रस्तुति छैन्ह। आशा चौधरीक संस्मरण बहुत सुंदर। माला मिश्रा के बचपन के खयवाक रूचि बहुत उत्कृष्ट। पवन कुमार झा के रचना किछु लेल वैद पुरान छै जीवन नीक रचना छैन्ह। इला झा के रचना हे मैथिली की कहू नीक रचना छैन्ह। लवली झा के बचपन के मीठगर बोल नीक काव्य रचना छैन्ह। आभा झा के पौष पूर्णिमा के महत्व नीक रचना छैन्ह। इला झा के विश्वप्रसिद्ध मिथिला पेंटिंग मैथिली अखबार में प्रकाशित भेलन्हि से बहुत बहुत बधाई।
ललित बाबू के पुण्यतिथि समूह पर श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल आ अन्त में समूहक सदस्य अशोक कुमार मिश्र जी के मातृ शोक के सूचना भेटल। समूहक सदस्य के दिस सँ श्रद्धांजलि। विवाह जन्म मरणं च यदा यत्र भविष्यति। आब अगिला समूहक गतिविधि समीक्षा में। जय दहेज मुक्त मिथिला 🙏🙏 🙏

Related Articles