साभार फेसबुक:
श्री नारायण झा के रिपोर्ट
【 ‘सगर राति दीप जरय’- आयोजन क्रम सं. 112 】
【 दिनांक – 31 दिसम्बर 2022】
‘सगर राति दीप जरय’ मैथिलीक कथा-कार्यक्रम जे 31 दिसम्बर 2022केँ पारसमणि धाम रहुआ संग्रामक अन्तर्गत आदिनाथ मधुसूदन पारसमणि संस्कृत महाविद्यालय, रहुआ-संग्रामक परिसरमे अशोक अविचलक संयोजकत्वमे सम्पन्न भेल। विधिवत कार्यक्रमक शुभारम्भ दीप प्रज्वलनसँ भेल, तकर बाद भगवतीक गीत जय- जय भैरविसँ दिबाकर झा सुमन वातावरणकेँ आध्यात्मिक करैत, अतिथि सभक लेल स्वागत गीत गाबि स्वागत कएलनि। स्वागत भाषण लेखक विनय मोहन जगदीश प्रस्तुत कए सभक स्वागत कएलनि। तकर बाद आगन्तुक सभक पाग आ डोपटासँ सम्मान कएल गेलनि।
दूर-दूरसँ विशिष्ट विद्वान, साहित्यकार लोकनि आबि हमर सभक अभिलाषा पूर्ण कएलनि। 9 सत्रमे कथाकार लोकनि अपन-अपन नव कथाक पाठ कएलनि। पठित कुल लगभग बत्तीस गोट कथापर समीक्षा/टिप्पणी सेहो भेल। एहि गोष्ठीक उपलब्धिये कहल जाएत जे एहि अवसरिपर विभिन्न विधाक भिन्न-भिन्न लेखक लोकनिक कुल सत्तरह गोट पोथीक लोकार्पण आ पाठक-लेखकक बीच वितरण भेल संगहि बिश्वम्भर फॉउन्डेशन द्वारा प्रकाशित केलेंडरक लोकार्पण आ वितरण सेहो भेल। भरि राति अनवरत निर्बाध गोष्ठी चलैत रहल। अगामी आयोजन अर्थात् मार्च 2023क ‘सगर राति दीप जरय’ श्री रामचन्द्र रायजीक संयोजकत्वमे हुनक पैतृक गाम – सहुरियामे (अन्धराठाढ़ी) होयत, से सर्वसम्मतिसँ निर्णय लए निर्णय भेल। एहि हेतु वर्त्तमान संयोजक अशोक अविचलसँ भावी संयोजकक बीच दीप आ पंजीक हस्तान्तरण सेहो भेल आ आगामी स्थलपर जएबाक लेल मोन बनाओल गेल।
एहि ‘कथा समन्वय’क आरम्भिक उद्घाटन सत्रमे प्रो. अशोक मेहता सर, डा. बिभूति आनन्द सर, प्रो. दमन कुमार झा सर द्वारा ‘सगर राति दीप जरय’ केर सम्बन्धमे विस्तारपूर्वक प्रकाश देल गेल, से पैघ उपलब्धि कहल जा सकैत अछि। एहि गोष्ठीक महत्त्व ओ उपलब्धि सभक सोझाँ राखल गेल, जे आवश्यक छल। कथाकार जगदीश मण्डल जी आरम्भसँ अन्त धरि ध्यान दए गोष्ठीकेँ सफल बनोलाह, उपलब्धि थिक। कथा-सत्रक आरम्भिक कुशल संचालन हिरेन्द्र कुमार झा सर द्वारा भेल। राम सेवक ठाकुर भैया, अमित मिश्रा जी, रामनरेश यादव भैया, आरके प्रार्थी जी, उमेश मंडल जी, प्रीतम निषाद जी, डा. भास्कर राय जी आओर बहुतो कथाकार लोकनि, जनिक सूची नीचाँ दए रहल छी, उपस्थित भेलथि आ अपन कथा-पाठ कएलनि, सुखद लागल। शिव कुमार प्रसाद जीक कथा समीक्षा एहि आयोजनकेँ जीवन्त कएने रहल।
कार्यक्रमक सफलता लेल आ आगन्तुक सभक स्वागतक लेल समाजसेवी ज्योति झा जी, समाजसेवी डा. देवानन्द झा देवा बाबू जी, स्वागताध्यक्ष बोलबम झा जी, बैद्यनाथ मंडल जी, पूर्व जिला पार्षद देवकान्त सिंह जी, वर्तमान जिला पार्षद प्रतिनिधि सिकन्दर पासवान जी, शम्भूनाथ मिश्र जी, श्री गंगा प्रसाद सिंह जी, श्री दुखमोचन झा जी, श्री हरिश्चंद्र झा जी, श्री राजकान्त झा जी, श्री निरस ठाकुर जी, लेखक विनय मोहन जगदीश जी, सोहन मिश्र जी, श्री कृष्ण चन्द्र झा जी, श्री मुनी कुमार झा जी, श्री शम्भू नाथ झा जी, चन्द्रमोहन झा जी, भगवान् झा जी, भगवान कुमार झा जी, प्रो. शंकर लाल जी, पत्रकार किशन झा जी, श्री मिथिलेश झा जी, कुञ्जबिहारी झा जी, बेचन मण्डल, बुधियार मण्डल जी, जानकी रमण झा जी, आ सइयोसँ ऊपर आदरणीय ग्रामीण अभिभावक लोकनि, मित्र लोकनि आ युवा वर्ग लोकनि, जनिक नाम एतय नहि आयल हो, सभ कियो समवेत रूपसँ एहि कार्यक्रमकेँ सफल बनेबामे तन्मयतासँ लागल रहलथि। एहि गामक लेल ई 112म ‘सगर राति दीप जरय’ कार्यक्रम पैघ उपलब्धिक रूपमे अंकित भेल अछि।
पठित कथाक विवरण एहि तरहेँ अछि–
___________________
1. डॉ विभूती आनन्द : आस्था, विश्वास आ परम्परा
2. रविभूषण कुमार : भोजक वहिष्कार
3. मानब अनीष मण्डल : सत्यक भ्रूण हत्या
4. रितिक मण्डल : गेलौं तँ हम गेलौं
5. पं. शिव कुमार मिश्र : वसुधा काहू को न होय
6. उमेश मण्डल : अप्पन जिम्मा
7. आचार्य रमानन्द मण्डल : बाल वैरागी
8. राधाकान्त मण्डल : भुमहुर आगि आ अल्हुआ
9. झोली पासवान : कारी नाग
10. नारायण यादव : कनियाक जीवन
11. कपिलेश्व राउत : चेफरी
12. जगदीश प्रसाद मण्डल : कुमहरक बतिया
13. अमित मिश्र : अधलाहक परिणाम अधलाहे
14. बैद्यनाथी राम : हमहीं धनीक छी
15. हरिश्चन्द्र झा : निरीक्षण
16. प्रीतम कुमार निषाद : बुढ़ारी भ्रूणक हत्या
17. श्रवण कुमार मण्डल : प्रेम विवाह
18. रामसेवक ठाकुर : …..
19. रामकृष्ण परार्थी : आड़ि
20. दुर्गेश मण्डल : द्वन्द
21. लालदेव कामत
22. शारदानन्द सिंह : जावत सोंखा के नाव होयतो तावत
23. अरविन्द प्रसाद : नेंगरू आ मंगरू
24. अशोक अविचल : मनुआ नाचय मोर
25. नारायण झा : राजनीतिमे राजनीति
26. उमेश नारायण कर्ण : माय
27. दुर्गानन्द मण्डल : सपना
28. राम विलास साहु : नीक करब तँ बेजाए किए हएत?
29. नन्द विलास राय : रंगल नढ़िया
30. रामचन्द राय : तोहीं जितलेँ हमहीं हारलौं
31. रामेश्वर प्रसाद मण्डल : हमरो बहिन अछि
32. विनय मोहन जगदीश : छट्ठू
●●●●●●●●●
लोकार्पित पोथीसभ —
_______
1. साहित्यकारक विवेक (कथा संग्रह) : जगदीश प्रसाद मण्डल
2. नब बनक नब फल (कथा संग्रह) : जगदीश प्रसाद मण्डल
3. सुचिता (उपन्यास) : जगदीश प्रसाद मण्डल
4. प्रतिकार एखन बाँकी अछि (काव्य संग्रह) : रामकृष्ण परार्थी
5. असल पूजा (कथा संग्रह) : नन्द विलास राय
6. संयोग (कथा संग्रह) : रबीन्द्र नारायण मिश्र
7. लजकोटर (उपन्यास) : रबीन्द्र नारायण मिश्र
8. इएह थिक जीवन (संस्मरण) : Rabindra Narayan Mishra
9. राष्ट्र मंदिर (उपन्यास) : रबीन्द्र नारायण मिश्र
10. मातृभूमि (उपन्यास) : रबीन्द्र नारायण मिश्र
11. सीमाक ओहि पार (उपन्यास) : रबीन्द्र नारायण मिश्र
12. नित नवल सुभाष चन्द्र यादव : गजेन्द्र ठाकुर
13. मैथिली समीक्षाशास्त्र (आलोचना) : गजेन्द्र ठाकुर
14. Rajdeo Mandal Maithili Writer : Gajendra Thakur
15. सुभद्रा कुमारी चौहान (विनिबन्ध) : अशोक अविचल
16. जेतए ने जाए कवि ओतए जाए अनुभवी : उमेश मण्डल
17. जगदीश प्रसाद मण्डलक काव्य संग्रह : उमेश मण्डल