पत्रकार झा केलेन्हि पांच टा पोथीकेँ मैथिलीमेँ अनुवाद

139
 जनकपुरधाम।18अक्टूबर, 2022।मैथिली जिन्दाबाद!!   पत्रकार सुजीतकुमार झाद्वारा ५ टा पोथीक मैथिली भाषामें अनुवाद केने छथि। स्कूल जाए स’बञ्चित आ बीचहिमें छोड़ने किशोरीसभक पढएबाक वास्ते स्ट्रिट चाइल्ड अफ नेपालक सहयोगमें जानकी महिला जागरण समाज जनकपुरधाम द्वारा ‘जीवन उपयोगी शिक्षा सहजीकरण पुस्तिका’ नामक ५ वटा पुस्तक प्रकाशित केने अछि ।
नेपाली भाषासँ मैथिलीमें अनुवाद कएल गेल ई पुस्तक किछुए दिनमें धनुषा आ महोत्तरी जिल्लाक किशोरीसभकेँ पढाओल जाएत।

पत्रकार झाक यैह सहित १५ टा पुस्तक प्रकाशित भेल अछि। अनुवादमें ६ टा संगहि अन्य ९ टा साहित्यक पुस्तकसभ रहल अछि ।

बालकथा संग्रह ‘कोइली घूरि आउ’, ‘तितलीसंग दोस लगाएब’, कथा संग्रह ‘चिड़ै’, ‘जिद्दी’, ‘बुलबुल’, ‘खजुरीबाली’, ‘गन्ध’, रिपोताजसभक संग्रह ‘रिपोटर डायरी’क साथे अनुसन्धानमूलक पुस्तक ‘पुनि पुनि होत विवाह’ रहल अछि। नेपालीसँ अहि स’पहिने ‘बान्हल हाथसभ’ सेहो मैथिलीमा अनुवाद कएने छलथि।मैथिली, समाजशास्त्र आ राजनीतिशास्त्रमें स्नातकोत्तर कएने  पत्रकार झा तीन दशकसँ पत्रकारितामें सक्रिय रहल छथि ।