अङ्गीकृत नागरिकता के नाम पर अनावश्यक राजनीति प्रति नेपाली दूतावास केँ ज्ञापन

नई दिल्ली, २४ सितम्बर २०२२ । मैथिली जिन्दाबाद!!

नेपाल मे जाहि तरहें अङ्गीकृत नागरिकताक नाम पर नेपाल-भारत बीच अदौकाल सँ रहल बेटी-रोटी सम्बन्ध केँ डैमेज करबाक कुचक्र कयल जा रहल अछि ताहि पर अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति द्वारा संज्ञान लैत नेपाली राजदूतावास मे ज्ञापन पत्र सौंपल गेल अछि। समितिक संयोजक एवं प्रवक्ता सहित एक प्रतिनिधिमंडल नई दिल्ली स्थित नेपाली राजदूतावास केँ ई ज्ञापन पत्र सौंपलनि जाहि मे भारत-नेपाल बीच रहल अति प्राचीनकाल सँ बेटी-रोटीक सम्बन्ध केँ खण्डित करबाक लेल अङ्गीकृत नागरिकताक विरोध आ अराजक राजनीति करबाक बात कहल गेल अछि। एहि सँ नहि केवल दुनू राष्ट्रक बीच के सम्बन्ध खराब होयत, बल्कि सम्बन्धक वैशिष्ट्य दुनू देशक जन-जन बीच के मैत्रीपूर्ण सम्बन्ध मे सेहो दूरी आओत जे एक सुखद आ सुन्दर भविष्य के विपरीत परिणाम देत कहल गेल अछि। ई जनतब दैत समितिक प्रवक्ता शिशिर कुमार झा बतेलनि जे नेपालक राजदूत महामहिम डा. शंकर प्रसाद शर्मा सँ ऐगला सप्ताह प्रतिनिधिमंडल केँ भेंटघांट लेल आमंत्रित कयल गेल अछि, संगहि ज्ञापन पत्रक प्रति नेपाल सरकार तक पहुँचेबाक आश्वासन सेहो देल जेबाक जनतब श्री झा करौलनि।