प्रदेश-१ नेपाल मे मैथिली आ लिम्बू भाषा बनत सरकारी कामकाज के भाषा
विराटनगर, १५ सितम्बर 2022 ।
प्रदेश-१ सरकार के पर्यटन तथा संस्कृति मंत्रालय द्वारा गठित ९ सदस्यीय मस्यौदा सुझाव कार्यदल अन्तर्गत मैथिली भाषाभाषी सरोकार वाला संघ-संस्था केर प्रमुख व्यक्तित्व सभक बैसार आइ मंत्रालय मे सम्पन्न भेल अछि। एकर अध्यक्षता कार्यदल सदस्य एवं मैथिली सेवा समिति विराटनगर केर अध्यक्ष डॉ एस एन झा कयलनि, तहिना संचालन कार्यदल सदस्या एवं कानूनविद संजू साह कयलीह। कार्यदल के सदस्य सचिव भेषराज न्योपाने के उपस्थिति मे आजुक बैसार मे लगभग २५ गोटेक सहभागिता भेल छल। कार्यदल सदस्य रामरिझन यादव आइ अनुपस्थित रहथि।
प्रदेश राष्ट्रभाषा ऐन २०७९ केर प्रारूप केर विभिन्न परिच्छेद सभक वाचन करैत संचालिका संजू साह उपस्थित सभासद लोकनिक सुझाव मंगलीह। कानूनविद रामलाल सुतिहार, राजकुमार राजवंशी, कुमार पृथु, सन्तोष सरकार, शंकर रौनियार, प्रो. डॉ. राजनारायण यादव, दीपेंद्र स्वर्णकार, शिवनारायण पंडित सिंगल, सन्तोष कुमार देव, अमृत कुमार साह, मृत्युंजय मिश्र, दिनेश कुमार साह, मंजू यादव, महेश कुमार साह, राजाराम साह, आभा अनुपमा, वीरेन्द्र झा, प्रवीण नारायण चौधरी, भोला साह, मुरारी प्रसाद देव, नेतलाल साह सूड़ी, राजेन्द्र प्रसाद देव अपन-अपन सुझाव रखलन्हि। आगामी ४ गते आसिन होटल ईस्टर्न स्टार मे लिम्बू भाषाभाषी संग संयुक्त बैसार उपरांत अंतिम मस्यौदा मंत्रालय केँ सौंपल जायत से जानकारी अध्यक्ष डॉ एस एन झा करौलनि।
संस्थागत सहभागिता मे बढ़ई कल्याण समाज, देव समाज, सोनार समाज, नेपाल सूड़ी समाज, अपन ब्राह्मण समाज, मैथिली चलचित्रकर्मी संघ, हलुवाई समाज कल्याण सेवा, वैश्य समाज संघर्ष समिति, मैथिली एसोसिएशन नेपाल आ मैथिली सेवा समिति केर रहल। एहि सँ पूर्व काल्हि सेहो लगभग २५ गोटे के सहभागिता मे सुझाव संकलन लेल परामर्श कयल गेल अछि से जानकारी अध्यक्ष डॉ झा देलनि। काल्हि के सहभागिता मे अमलेश कर्ण, डॉ योगेंद्र प्रसाद यादव, प्रो. श्याम नारायण यादव, डॉ सुरेंद्र नारायण मिश्र, अरुण झा, विनोद झा, वसुंधरा झा, राजेश झा, कर्ण संजय, आदिक नाम प्रमुख अछि।