विराटनगर, ३१ जुलाई २०२२ । मैथिली जिन्दाबाद!!
‘मातृभाषा संघर्ष समिति’ विराटनगर के आह्वान पर काल्हि ३० जुलाई २०२२ शनि दिन महेन्द्र मोरंग कैम्पस प्रांगण मे सरस्वती मन्दिर पर बैसार राखल गेल छल। वीरेन्द्र झाक संयोजन मे कार्यरत मातृभाषा संघर्ष समिति मैथिली सहित विभिन्न मातृभाषा केर संयोजक लोकनि संग सहकार्य करैत प्रदेश १ सरकार तथा स्थानीय सरकारक विभिन्न निकाय सँ नेपाली के अलावा मैथिली आ समस्त मातृभाषाक संरक्षण, संवर्धन एवं प्रवर्धन लेल उचित सहयोग आ स्रष्टा सम्मान संग सृजनक कार्य केँ बढावा देबाक लेल संघर्ष कय रहल अछि। काल्हिक बैसार मे मैथिली भाषी विभिन्न संघ-संस्थाक जानल-मानल व्यक्तित्व संग सामाजिक-राजनीतिक कार्यकर्ता-नेतृत्वकर्ता लोकनि संग एहि संघर्ष केँ गन्तव्य धरि लय जेबाक लेल गम्भीर आ महत्वपूर्ण विमर्श करैत आन्दोलनक स्वरूप तय कयल गेल अछि।
प्रदेश-१ सरकारक मुख्यमंत्री केँ मांग सहितक ज्ञापन पत्र देबाक निर्णय कयल गेल अछि। विभिन्न संस्थाक अध्यक्ष, प्रतिनिधि व समर्थन मे रहल स्रष्टा, कलाकार आदिक हस्ताक्षर सहितक ज्ञापन पत्र मुख्यमंत्रीक देल जायत आ एकर बोधार्थ मधेशी आयोग, भाषा आयोग, प्रधानमंत्री, राष्ट्रपति केँ प्रमुख जिला अधिकारी मोरंग के मार्फत पठायल जेबाक निर्णय लेल गेल अछि। बैसार द्वारा निर्णय लेल गेल अछि जे सब संस्था आ प्रमुख व्यक्ति केँ भेला करैत पत्रकार सम्मेलन कय केँ प्रदेशक मुख्यमंत्री केँ ज्ञापन पत्र सौंपबाक लेल सामुहिक रैली संग मुख्यमंत्री कार्यालय तक पहुँचिकय ज्ञापन पत्र सौंपल जाय। एहि लेल मुख्यमंत्री कार्यालय केँ पूर्व सूचना दैत मुख्यमंत्री संग भेंट करबाक आ ज्ञापन पत्र सौंपबाक पूर्व जानकारी-सहमति सेहो अवश्य लेल जाय। संयोजक झा कहलनि जे एहि लेल उचित पत्र संग मुख्यमंत्री कार्यालय मे आइ जेता आ तदोपरान्त वृहत् भेला, पत्रकार सम्मेलन आ सामुहिक रैली के दिन तय कयल जायत।
आजुक बैसार मे मैथिली सेवा समितिक विभिन्न पदाधिकारी लोकनि, अपन ब्राह्मण समाजक पदाधिकारी लोकनि, अपन विराटगढ़ परोपकार समाज, मैथिल ब्राह्मण महासभा युवा समिति, मैथिली चलचित्रकर्मी संघ, थारू आ राजवंशी समाजक प्रतिनिधि लोकनि संयुक्त रूप सँ सहभागिता दैत एहि संघर्ष केँ निरन्तरता देबाक लेल एकजुट रहबाक वचनबद्धता व्यक्त कयलथि।