Search

दहेज मुक्त मिथिलाक सम्मेलन सम्पन्न: संरक्षक पं. धर्मानन्द झाक जन्मदिवस समारोहक संग

360 भ्यूज

राजेश राय, मुंबई। जुन २९, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

dmm mumbai1दहेज मुक्त मिथिलाक संरक्षक पंडित धर्मानन्द झा केर ५१वाँ जन्मदिवस पर आयोजित ‘कार्यकर्ता सम्मेलन’ आ ‘विरार महानगरपालिकाक वसई क्षेत्र सँ विजेता मैथिलानी पुतुल रविन्द्र झा केर सम्मान’ एवं ‘जन्मदिवस समारोह’ केर संयुक्त आयोजन काल्हि २८ जुन जरी मरी माता मन्दिर मे संपन्न भेल अछि।

एहि समारोह मे समूचा मुंबई सँ आमंत्रित विशिष्ट समाजसेवी आ समर्पित मैथिली-मिथिला अभियानी लोकनि केँ आमंत्रित कैल गेल छल। मैथिली दर्पणक संपादक आ समाजसेवी सह मैथिली-मिथिला अभियानी कृष्ण कुमार झा ‘अन्वेषक’ संग दहेज मुक्त मिथिला राष्ट्रीय अध्यक्ष पंकज झा केर संयुक्त संचालन मे, रौशन मिश्र केर उद्घोषणा सँ प्रारंभ एहि कार्यक्रम मे वक्ता लोकनि अपन-अपन भावना व्यक्त केलनि।

मैथिलक एकजुटता सँ राजनैतिक, सामाजिक, धार्मिक, सांस्कृतिक, बौद्धिक, आर हर तरहक विकास करैत विभिन्न चुनौती केर सामना सेहो सहजहि कैल जा सकैत छैक यैह विषयक इर्द-गिर्द वक्ता लोकनिक संबोधन भेल। दहेज मुक्त मिथिला माँगरूपी दहेजक प्रतिकार आ स्वेच्छाचारिताक संग स्वच्छ वैवाहिक संबंध निर्माण हेतु जाहि तरहें सगरो मुंबई मे अभियान संचालित करैत छथि, परिणामस्वरूप ८०% विवाहदान आब वर-कनिया पक्ष स्वच्छन्दता सँ बिना कोनो माँगरूपी दहेजक चाप मे करय लागल छथि से उपलब्धिमूलक होयबाक भावना रखैत राष्ट्रीय अध्यक्ष पंकज झा भविष्य मे आरो सुदृढ अभियान संचालन वास्ते कार्यकर्ता सबकेँ आरो बेसी एकजुट आ समर्पित होयबाक आह्वान केलनि। तहिना संरक्षक पंडित धर्मानन्द झा जिनक जन्मदिवस पर ई कार्यक्रमक आयोजन कैल गेल छल ओ अपन संकल्प किछु एहि तरहें सभाक समक्ष रखलनि:

pt. dharmanand jha1अहाँ जनैत छी हिनका!
५१ वर्ष पूर्व एहि धरा पर आयल छला!
अनने छला अपन नसीब एहन जे खाली छल!
कष्ट काटिकय माय पोसने छली!
जाबत बात किछु बुझि सकितैथ,
माय चलि बसली!
आब हम-अहाँ भेट गेलियैन,
ताहि सँ जीवन चंगा मानैथ!
 
“माँ सेहो बेटी छली, पत्नी सेहि किनको बेटी छथि,
अहुँक बेटी किनको पुतोहुरूपा बेटिये छथि!
हम ठानि लेलहुँ अछि जे बेटीकेँ कष्ट नहि देबैक,
बेर-बेर एहि धरती पर जन्म लेबैक,
आइ हमर जन्मदिन अछि,
आशीर्वादक आकाँक्षी छी,
दहेज मुक्त मिथिला लेल आवाज चाहैत छी!!”
 
– पंडित धर्मानन्द झा, मुंबई
निश्चित रूप सँ पंडित धर्मानन्द झा अपन सर्वस्व समाजसेवा आ खासकय बेटीधनक सम्मान मे न्योछाबड़ करबाक अनेको उदाहरण ठाढ केलनि अछि। दहेज मुक्त मिथिला संग २०१२ ई. निज जानकी दिवस समारोह, सौराठ सँ जुड़ैत हिनक प्रतिबद्धता सँ अभियान सकारात्मक दिशा मे संचालित होइत रहल अछि। हालहि मधुबनी जिलाक ग्रामीण क्षेत्र मे सेहो द्विदिवसीय जागरण कार्यक्रम करैत गामक बेटी सबमे दहेज-लोभी विरुद्ध संगठित होयबाक प्रेरक प्रशिक्षण देबाक कार्य पंडित धर्मानन्द झा केर नेतृत्व मे संभव भेल छल। तहिना सामाजिक संजाल फेसबुक पर हिनक समर्पण देखय योग्य अछि, भोरे सुति उठि बेटी बचेबाक चिन्तन सँ भरल संवाद संचरण करैत दिन-राति केवल एक चिन्ता जे हमर मिथिला दहेजरूपी दानव सँ कोना मुक्त होयत, ई हिनक विशिष्ट पहिचान बनि गेल अछि। दहेज मुक्त मिथिलाक महाराष्ट्र अध्यक्ष धर्मेन्द्र झा आ संपूर्ण कार्यकर्ता हिनका स्नेह आ आदर सँ ‘गुरुजी’ कहैत छन्हि, कार्यकर्ताक भाव हिनक समर्पण सँ एतेक उत्साहित आ आह्लादित रहैत अछि जेकरा शब्द मे वर्णन करब संभव नहि अछि।
dmm mumbai2कार्यक्रम मे मुख्य रूप सँ श्रीमती पुतुल रविन्द्र झा केर वसइ (विरार) सँ चुनाव जितबाक आ मैथिल केर राजनैतिक अधिकार स्थापित करबाक ऐतिहासिक उपलब्धि पर केन्द्रित रहल। वक्ता लोकनि वसइ केर उपलब्धिक बखान करैत पं. धर्मानन्द झा केँ बधाई दैत दहेज मुक्त मिथिला केर अभियान सँ मैथिल एकताक नींब पड़बाक बात कहैत रहला। माया नगरी मुंबई मे मिथिला-मैथिलीक दिग्गज अभिभावक एस. सी. मिश्रा, नवभारत टाइम्स केर मुनिन्द्र झा, खबड़ें आजतक केर राजेश मिश्र, संस्कार मिथिला केर कार्यकर्ता लोकनि, दमुमि सहित विभिन्न मैथिली-मिथिला अभियानक सहचर राम नरेश शर्मा, वी. एन. झा, नमो नारायण मिश्र, विजय मिश्र, प्रकाश कमती, रौशन मिश्र, सगुन मिश्र, आशुतोष ठाकुर, जीत मोहन, राजेश राय सहित करीब ५०० लोकक सहभागिता छल।
दहेज मुक्त मिथिलाक अभियानक स्वागत करैत श्रीमती एस. सी. मिश्रा जी कहली जे जौं एहि अभियान मे महिलाक सहभागिता बढ तऽ ओ दिन दूर नहि जे समाज केँ एहि रोग सँ मुक्त देखब। एहि लेल दहेज मुक्त मिथिलाक प्रयास सराहनीय अछि। तहिना स्वयं श्री एस. सी. मिश्रा जी सेहो अभियानक प्रशंसा करैत कहला जे हम एहि अभियान केँ हर संभव मदद करैक लेल सतत प्रयास करब। पत्रकार के. के. झा अपन अभिव्यक्ति मे दमुमि केर प्रयास केँ आजुक समय मे समाजक कैन्सर समान खतरनाक रोग सँ लड़बाक महा-औषधिक नाम देलनि। प्रो. कृष्ण कुमार झा ‘अन्वेषक’ कहलनि जे एहि अभियान केँ एहि स्तर तक पहुँचेनिहार प्रवीण नारायण चौधरी केँ जतेक बधाई दी ओ कम होयत, कारण जे आजुक भाग-दौड़क जिनगी मे एहि अभियान लेल स्वयं समय निकालिकय नेपाल-भारतक विभिन्न भाग मे यात्रा करैत युवातुर केँ प्रेरित – उत्साहित करैत छथि, लगातार ३ वर्ष सँ कतेको जगह पर एहि अभियानक प्रचार करैत समाज सँ जाग्रत होयबाक आह्वान करैत छथि।
pt. dharmanand jhaकाल्हिक कार्यक्रम मे दहेज मुक्त मिथिलाक संरक्षक पं. धर्मानन्द झा केर जन्म दिन पर विशेष रूप सँ आयोजित छल। पंडित धर्मानन्द झा सबहक बधाई प्रति आभार प्रकट करैत सब युवा सँ संकल्प लैत समाज केँ दहेजक बीमारी सँ मुक्त करबाक उपहार मंगलैन। एहि अवसर पर राजेश राय द्वारा कुर्सों विद्यापति समारोह मे राम सेवक ठाकुर केर पठित-रचित कविता “मानल जे धिया छथि सीता स्वरूपा, तऽ कोइखे मे माहुर खुआयल कियै जाइत छै’ केर पाठ केलनि। एहि कविताक एक-एक शब्द सुनि दर्शक दीर्घा रोमांचित-प्रेरित होइत समूह मे अपन जगह पर ठाढ भऽ के कविताक संग ताली बजबैत राजेश राय केर उत्साहवर्धन केलनि आ मानू जे मौन संकल्प लेलनि जे कन्या भ्रूण हत्या समान घोर पाप कदापि नहि करब।
नव-निर्वाचित नगरसेविका पुतुल रविन्द्र झा दहेज मुक्त मिथिला द्वारा सम्मानित भेला पर अत्यन्त प्रसन्न होयबाक बात कहली। ओ ईहो कहली जे ओ एहि अभियानक संग सदिखन रहती। अन्त मे दहेज मुक्त मिथिलाक राष्ट्रीय अध्यक्ष पंकज झा केर तरफ सँ एक निर्धन मेडिकल छात्रा सुश्री पूजा चौधरी केँ ५००१/- टाकाक नकद सहयोग कैल गेल। विदित हो जे पूजा अपन आर्थिक विपन्नताक कारण मेडिकल समान उच्च शिक्षा लेबा मे असमर्थ होयबाक बात केने छली आ दमुमि द्वारा हुनका हर तरहक सहयोग करबाक वचनबद्धता प्रकट कैल गेल छल। अन्त मे पुन: आपसी प्रेम आ भाइचारा सदैव सब कियो मिलि-जुलि निर्वाह करबाक प्रण करैत प्रीति भोज उपरान्त अपन-अपन गन्तव्यक दिशा मे प्रस्थान केलनि।
एहि तरहक कार्यक्रम सँ प्रवास पर मैथिल जनमानस सदिखन उर्जान्वित आ सुसंगठित होयबाक सत्य केँ अनुसरण कय पबैत छथि। मिथिलाक सुसभ्य सामाजिक समरसता आइ भले अपन खास जमीन पर कूराजनीतिक माहौल सँ छहोंछित कियैक नहि हो, मुदा प्रवास पर अपना केँ सबल-संगठित रखबाक कार्य एहि तरहक मेल-मिलाप सँ होइत रहल अछि। विदित हो जे मैथिली महायात्रा आ मैथिली जिन्दाबाद सेहो यैह अभियान दहेज मुक्त मिथिला सँ जन्म लेलक जे आइयो कोनो-न-कोनो रूप मे संचालित भऽ रहल अछि।
*

Related Articles