सहरसा, २८ मार्च २०२२ । सुभाषचंद्र झा, सहरसा।
मनायल गेल मनोरंजन झा स्मृति दिवस सहरसा मे

सहरसाक पीजी सेंटर पश्चिम परिसर मे रवि दिन मैथिली सहित अन्यान्य भाषाक प्रकांड विद्वान स्वर्गीय डॉक्टर मनोरंजन झाक 13म पुण्यतिथि समृति समारोह भव्यतापूर्वक आयोजित कयल गेल। एहि कार्यक्रमक उद्घाटन मुख्यवक्ता अतिथि प्रो डॉ केष्कर ठाकुर, डॉ संजय कुमार मिश्र, डॉ कुलानंद झा, डॉ रेणू सिंह, प्रो के एस ओझा, मुकेश कुमार सिंह, सुरेन्द्र झा गोपाल, डाॅ रामनरेश सिंह, इं. रमेश कुमार सिंह केर द्वारा संयुक्त रूप सँ दीप प्रज्वलित कय केँ कयल गेल।
कार्यक्रमक अवसर पर मुख्य अतिथि सहित उपस्थित अन्यान्य लोक डॉ मनोरंजन झाक चित्र पर पुष्पांजलि कय श्रद्धा सुमन अर्पित कयलनि। डॉ कुलानंद झा केर संचालन मे आयोजित एहि कार्यक्रम मे काव्य गोष्ठी सेहो आयोजित भेल। जाहि मे प्रो रामचैतन्य धीरज, लीना झा, मो मुख्तार आलम, विक्रमादित्य, गीतकार नवल मिश्र, धीरेंद्र झा कविक रूप मे अपन-अपन कविताक वाचन कयलनि। एहि आयोजन सँ सहरसा मे साहित्यिक गतिविधि केर जीवंत होयबाक अनुभूति उपस्थित दर्शक-श्रोता केँ भेलनि। ओतहि वक्ता सब डॉ झा केर व्यक्तित्व आर कृतित्व पर प्रकाश दैत कहलनि जे कवि-साहित्यकार ब्रह्म होइत छथि। जहिना अन्हार इजोरिया मे समा जाइत छै तहिना कवि ब्रह्म मे समा जाइछ। तेँ शोक नहि करबाक चाही। हुनकर लेखनी रूपी कृति जहिना अमर अछि तहिना ओ अमर रहताह। ओ जनवादी कवि छलाह जे जीवन पर्यंत सत्य, निष्ठा, इमानदारी केर संग समाजक अंतिम पाँति मे ठाढ लोकक पीड़ा पर अपन लेखनीक माध्यम सँ जनआवाज केँ मुखरित कयलनि। हुनका लोक कोशीक नागार्जुन कहैत छल। ओहि समयक विषाक्त समाज केर समस्या पर खूब गरजि कय प्रहार कयलनि। साहित्य मे दलित, वंचित आर शोषित तबका केर संग समाज मे व्याप्त प्रशासनिक भ्रष्टाचार पर कलम सँ प्रहार कयलनि। हुनक पोथी ‘ईटउघनी’ आर ‘चलो चलें फिर से रण में’ आइयो समीचीन अछि। वक्ता सब ईहो कहलनि जे स्व मनोरंजन झा विश्वविद्यालय मे सीनेट सिंडिकेट अध्यक्ष के रूप मे जीवन पर्यंत कॉलेज शिक्षक आ शिक्षकेतर कर्मचारी, छात्र सबहक कार्य करौलनि। ओ संघनिष्ठ छलाह। ओ निर्भीक, निडर, साहसी नेतृत्व करैत दिन-राति सबहक सेवा कयलनि।
मुख्य अतिथि डॉ केष्कर ठाकुर कहलनि जे पीजी सेंटर एवं एमएलटी कॉलेज केर द्वारा हुनका पर शोध पत्र प्रकाशित कय भव्य समारोह मनाओल जाय। संगहि डॉ मनोरंजन झा केर नाम पर विश्वविद्यालय मे चेयर स्थापित हो। डॉ कुलानंद झा कहलनि डॉ मनोरंजन झा केर द्वारा पंडित छेदी झा द्विजवर पर पीएचडी शोध सहित अन्यान्य अप्रकाशित रचना, उपन्यास आर पोथी हुनक सुपुत्र सत्य प्रकाश एवं धर्मपत्नी केर सहभागिता स सबटा प्रकाशित कयल जायत। एहि अवसर पर सुरेंद्र झा गोपाल, प्रो देवानंद झा, अरुण कुमार झा, डा डीएन साह, डॉ रामनरेश सिंह, प्रो रंजीत सिंह, त्रिभुवन सिंह लॉ कॉलेज के पूर्व प्राचार्य मुकेश सिंह, प्रोफेसर विद्यानंद मिश्र, ई रमेश कुमार सिंह, प्रो गौतम कुमार, अंशुमान आनंद, राहुल झा, मुकेश झा, राम चैतन्य धीरज, डी एन सिंह, डॉ रेणू सिंह सेहो उद्गार व्यक्त कयलनि। ओतहि कार्यक्रमक अध्यक्षता डॉ संजय कुमार मिश्र आर डॉ कविता कुमारी धन्यवाद ज्ञापन कयलनि। कार्यक्रम में डॉक्टर नरेंद्र नाथ झा, डॉक्टर रमन कांत चौधरी, नवल मिश्र, डॉ लीना कुमारी, डॉ रजनीश कुमार सिंह, डॉ रेणू झा, धीरेंद्र झा, प्रांजल सुमन, डॉ बिजली प्रकाश, राजन कुमार, वेद प्रकाश, स्वरूप रंजन, अक्षय झा सहित अन्यान्य लोक उपस्थित छलाह।