Search

स्पेस में मिथिला राज्य पर विहंगम चर्चा: विगत दुइ मास सँ निरन्तरता में

ट्विटर स्पेस पर झमटगर विमर्शः सन्दर्भ मिथिला राज्य

विदित हो जे एडवान्स टेक्नोलोजी के युग मे ‘सोशल मीडिया’ के भूमिका मानव जीवन मे बहुत महत्वपूर्ण सिद्ध भ’ रहल अछि। एहि क्रम मे ट्विटर स्पेस पर विगत दुइ मास सँ बेसी सँ दर्जनों वक्ता-श्रोता ‘मिथिला राज्य’ पर विमर्श केँ बढावा दय रहल छथि। हालहि एहि फीचर सँ परिचय पाबि मैथिली जिन्दाबाद के सम्पादक प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा एहि महत्वपूर्ण चर्चा केर दस्तावेज आम पाठक लेल अनलनि अछि। आशा एवं विश्वास अछि जे ई दस्तावेज जन-जन मे विमर्शक महत्व केँ सोझाँ आनत आ संगहि स्पेस फीचर पर आर बेसी लोक जुड़ता आ अभियान सफल बनत।

काल्हि १९ सितम्बर २०२२ के दिन #MithilaRajya पर कयल गेल चर्चाक महत्वपूर्ण अंश निम्न अछिः

१. मिथिला राज्य लेल जनभावना मे कमीक एकटा बड पैघ कारण छैक लोक मे राजनीतिक जनचेतनाक अभाव। अनुभव पंचायती चुनाव सँ लैत अन्य जनप्रतिनिधिक चुनाव के भेटैत छैक आ एहि मे बहुत पैघ भ्रष्टाचार, नोट आ पाउच (दारू) सँ लैत अन्य प्रलोभन पर वोट पाबि कोहुना पद पाउ आ ५ वर्ष धरि लूट मचाउ, चमचा पोसू..।

– Pravin Narayan Choudhary प्रवीण नारायण चौधरी
@PravinNChy

२. @guptahitendra हितेन्द्र गुप्ताजी वरिष्ठ संचारकर्मी छथि। मिथिलाक जनजीवन वर्तमान राजनीतिक अवस्था विषयपर ओ अपन विचार रखलथि जे पंचायती स्तर पर जाहि तरहें लोक चुनाव लड़ैत-जितैत अछि आ बाद मे ओ खुलेआम भ्रष्टाचार करैत अछि त लोक टोकियो नहि पबैत छैक… कियैक त आपस मे विवाद कियो नहि चाहैछ।

संसद लोकनिक चुनाव भेलाक बाद हुनका सब द्वारा कोनो खास उपलब्धिमूलक काज नहि कय पबैत छथि। हुनका सभक विरूद्ध कतहु आवाजो उठायब त हुनका सब लेल धैन सन, उल्टा अपने मामा-फुफा आदि दिश सँ हमरा सब केँ चुप होयबाक उपदेश दय देल जाइत अछि। जाहि तरहक अपेक्षा लोक रखैत छैक से पूरा नहि होइत छैक।

३. @niteshjhaa नितेश झा कहलथि –
लोक मे राजनीतिक जनचेतना लगभग शून्य छैक। सत्ताक राजनीति मे जनप्रतिनिधि लागल रहैत छथि, अपन क्षेत्रक बड बेसी चिन्ता नहि कय पबैत छथि। कोनो पार्टी छैक, ओकर ध्वजाक नीचाँ ई जनप्रतिनिधि सब मथरल रहैत छथि। टिकट पार्टी देलक से बड पैघ कृपा कय देलक, ओकर विरूद्ध नहि जा सकैत छी।

जनताक हित आ ओकर सरोकार सिर्फ अलंकारिक रूप मे उठबैत छथि, लेकिन ताहि प्रति लागिकय काज कोना हेतनि ताहि लेल कोनो प्रयास नहि रहैत छन्हि। जनता सँ चुनल नेता कम आ पार्टी के कृपा पर बेसी टिकल हेबाक अन्तर्भान छन्हि हिनका सब लग। लोक वोट दय सँ पहिने कियो मेनिफेस्टो तक नहि देखैत छैक।

एखन धरि सामन्ती व्यवस्था कायम अछि। जा तक हम वैकल्पिक व्यवस्था नहि ठाढ़ करब, ई यथास्थिति आ हमरा सभक दमन-शोषण एहिना जारी रहत। जनता जे चुनलक तेकर महत्व नहि दय सिर्फ अपन पार्टीक झंडा आ नारा मे लागल रहनिहार सँ मुक्त होयब जरूरत थिकैक। समय के मांग यैह थिकैक। मिथिलावाद स्थापित हो।

४. @MaithiliChhaya3 छाया ठाकुर जी अपन विचार अत्यन्त प्रखर स्वर मे यथार्थ मे भोगल अनुभवक आधार पर एना रखलीह –

नेता सँ सवाल कयलापर हुनकर आसपास के लोक आ समर्थके सँ जवाब भेटय लगैत छैक। नेता केँ जवाब देबाक भार पड़िते नहि छैक। कोनो नेता केँ नीको विजन देलापर – प्रोग्रेसिव आइडिया देला स पर्यन्त कोनो प्रभावकारी निर्णय आ काज नहि भ’ पबैत छैक। हम एहि तरहक प्रत्यक्ष अनुभव कयलहुँ।

हम सब वोट देलियनि पलायन रोकय लेल, कुटीर उद्योग व अन्य उद्योग व्यवसाय तथा रोजगार के अवसर उपलब्ध कराबय लेल… लेकिन हमरा सब केँ फुसलायल-ललचायल जाइत अछि नेताक वैह आसपासक लोक सब द्वारा सोलर लाइट अपना घरक आगू लगाबय लेल। एहि तरहक गलत बचाव नहि हेबाक चाही। संगहि जातिगत राजनीति बेसी छैक।

हमरा सभक नेता अपन पावर नहि बढ़ा केवल अपन शीर्ष नेता आ हल्ला-गुल्ला मुद्दा पर अपन सत्ता आ पद-प्रतिष्ठाक चिन्ता करैत रहैत छथि। बेसी जनता मूकदर्शक अछि। ई दुर्दशा आ दुःखक बात थिकैक। एहि सबलेल जोर-शोरसँ आवाज उठेबाक अछि जे नेता जनसभा मे मैथिली बाजथि, नहि त जनसभा बन्द हुए, बहिष्कार हुए।

५. @ashutoshjhaji – आशुतोष झा जी छाया जी एवं अन्य वक्ता लोकनिक विचार सुनि स्वयं पहिल दिन जुड़बाक बात कहलनि, ताहि लेल माला झा जी केँ धन्यवाद सेहो ओ ज्ञापित कयलनि। पुनः @MaithiliChhaya3 छायाजी के सुन्दर व्याख्या आ व्यवहारिक कठिनाई के समर्थन कयलथि। बाकी उपलब्ध वरिष्ठ सदस्य लोकनि प्रति अभिवादन करैत ओ कहलनि जे आजुक चर्चा काफी व्यापक विषय पर अछि, लेकिन हम अपन मन्तव्य कोनो अन्य विशेष प्रश्न पर राखि सकैत छी।

हुनक विचार सुनि @malajha99 माला झा जी हुनका सँ मिथिला राज्य पर बजबाक अनुरोध कयलीह – जेकर जवाब दैत श्री झा बजलाह जे मिथिला राज्य भारत मे काफी प्राचीन मुद्दा रहल अछि। सुगौली सन्धि के सेहो किछु भूमिका छैक। एहि मे काफी रास धारा जुड़िकय कार्य कय रहल छैक। हम राष्ट्रवादी विचारधारा सँ जुड़ल लोक छी आ राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ छोट राज्य केर समर्थक रहलैक अछि। सैद्धान्तिक रूप सँ किछु होयबाक छैक से सक्रियता सँ हेतैक।

माला दीदी आशुतोष जी सँ सदिखन जुड़िकय युवा सब केँ मार्गदर्शन करैत रहबाक अनुरोध कयलीह।

६. @mishraraghavste – राघव मिश्र जी मिथिलाक्षर साक्षरता अभियानसँ जुड़ल व्यक्तित्व कहलनि जे कोनो काज जमीनी स्तरपर करबाक चाही। लिपिकेँ जागृत करयलेल छोट स्तरपर काज शुरू कयलहुँ जे आइ काफी विस्तृत स्तर पर चलि रहल अछि। जमीनी स्तर सँ संगठित होउ। एक-दोसर केँ प्रेरित करू। मिथिला राज्य के मुद्दा सँ सेहो जमीनी लोक केँ केना जोड़ब ताहि पर ध्यानकेन्द्रित करू। जड़ि के सिंचाई बहुत जरूरी छैक। अपना लोक संग अपने भाषा मे बजबाक जरूरत छैक। अपन लिपि आ निजता सँ सब केँ जुड़य पड़तैक। हम संग छी। संग रहब।

७. @Yadav___Saab – एक गैर मैथिल लेकिन मिथिला राज्य के प्रबल समर्थक व्यक्तित्व आशीष यादव अपन विचार दैत कहलनि कि ओ नित्यानन्द जी व मैथिलजन द्वारा चलायल जा रहल मिथिला राज्य लेल स्पेस के समर्थन करैत छथि संगहि एहि मे जतय कतहु सहयोग करबाक जरूरत हेतैक ताहि लेल सेहो ओ प्रतिबद्ध छथि।

८. @Prakashjha709 प्रकाश झा जी कहलखिन जे कोनो भी बात के निगेटिव आ पोजिटिव दुनू पक्ष देखल जाइत छैक। वर्तमान समाज आ व्यवस्था मे जनप्रतिनिधि आ सत्ता संचालक के सम्बन्ध मे बात करब त ओहो सब अपने बीच के छथि। बिहार सरकार मगध के ज्यादा विकास करैत अछि, मिथिला के कम। पंचायत स्तर पर सेहो विभेद छैक। मुखिया-सरपंच द्वारा बहुत किछु दमन कयल जाइत छैक। समाज सुसंगठित रहिकय हिनका सब सँ काज नहि करबा पबैत अछि। तुच्छ लोभ आ गुटबाजी के कारण बहुत किछु रुकल-ठमकल छैक। सेक्टर मे लोक बंटि गेल अछि ताहि कारण एकरा सब केँ मौका भेटैत छैक।

९. @ShivanandChaud1 – सीए शिवानन्द चौधरी स्पेस चर्चा मे अपन विचार मूल विषय सँ कनेक हंटिकय रखलनि। ओ कहलखिन –

सबसँ पैघ समस्या रोजगारके छैक। मिथिला मे उद्योग के कमी छैक। सालाना उत्सव मे सकारात्मक गतिविधि कम आ नकारात्मक बेसी होइत छैक। दुर्गा पूजा मे आर्केस्ट्रा आ बायजीक नाच, आदि हेतैक लेकिन उद्यमशीलता केना बढावा पाओत ताहि पर कियो ध्यान नहि दैत छैक। समाज जागरुक होयब आवश्यक।

१०. @mabhgrank – कमलेश जी अपन क्रान्तिकारी आ प्रखर विचार रखैत कहलथि –

पुरान बात केँ छोड़ि नव बात करबाक जरूरत छैक। पुरना बात केँ बिसरि, दोसर पर आरोप-प्रत्यारोप बन्द कय, आगू लेल रोड मैप विकसित करबाक जरूरत छैक। पूर्व मे जे गलती भेलैक तेकरे टा चर्चा करय सँ नीक आगू कि हेबाक चाही ताहि पर बेसी विचार आबय आ सुधार के उपाय पर ध्यान जाय हमरा सभक।

११. @MaithilAnup – मिथिला स्टूडेन्ट यूनियन के संस्थापक अध्यक्ष एवं सक्रिय मिथिला राज्य अभियानी अनूप मैथिल सेहो विषय सँ हंटिकय आगामी योजना पर प्रकाश दैत बजलाह –

गाम-गाम धरि जागरूकता अनबाक लेल ‘मिथिला राज्य निर्माण यात्रा’ केर प्रारूप पर विस्तार सँ चर्चा कयलनि। निरन्तर ६ मास धरि कैरावान लयकय मिथिला राज्य वास्ते काज कयल जायत। एहि मे सब कियो जुड़ि सकैत छथि। लीड एमएसयू करत लेकिन सब संस्था आ व्यक्ति केर उदार हृदय सँ स्वागत रहत।

एकर अलावे सेहो देर राति ११ः१५ बजे धरि दर्जनों वक्ता लोकनि अपन विचार रखलनि आ सभक हृदय मे मिथिला राज्य निर्माण प्रति तीव्र युयुक्षा भरल छल से स्पष्ट होइत रहल।

एहि स्पेस के संचालक नित्यानन्द जी, नितेश झा निक्की जी, शेखर कुमार झा जी, रूपेश जी, सुधीर यादव जी सहित काफी लोक निरन्तर जुड़िकय सहभागिता दैत छथि। आइयो भारतीय समय ८ः३० बजे सँ १०ः३० लेल निर्धारित ई स्पेस चलत आ कहियो कोनो खास विषय पर त कहियो बिना कोनो निर्धारित विषय बल्कि सभक अपन विचार आ दृष्टिकोण लेल स्पेस संचालन कयल जाइत अछि आ एहि मे सब कियो जुड़थि ताहि लेल बेर-बेर अपील कयल जाइत अछि।

मैथिली जिन्दाबाद!!

Related Articles