मिथिला माध्यमिकी परिक्रमा भेल सुरु;आई कल्याणेश्वर पहुँचत

174

मनीष कर्ण ,जनकपुरधाम ४ मार्च,२०२२। मैथिली जिन्दाबाद!! मिथिलाक महाकुम्भकेँ रूपमें चिन्हल जाएवला मिथिला माध्यमिकी परिक्रमा सुरुवात काल्हि स’ भेल। नेपालक धनुषा जिला स्थित मिथिलाबिहारी नगरपालिका वार्ड नं.८ कचुरी गाम स’मिथिलाबिहारी कए डोला जनकपुरक अग्निकुण्डक लेल प्रस्थान कएलक । परिक्रमाक लेल साधु-संत,स्थानीय श्रद्धालु भक्तजन सभ “जय सियाराम जे जय सियाराम”भगवन नाम जप करैत हर्षोल्लास सँग यात्रा विधिवत सुरू भेल।१५ दिवसीय मिथिला परिक्रमा नेपाल आ भारतक मिथिलाकेँ विभिन्न रामसीता स’ सम्बन्धित तीर्थ स्थल सभमें  पड़ाव पर विश्राम करैत यात्रा पूर्ण करत। भारतक कल्याणेश्वर सँ परिक्रमा कय औपचारिक सुरुवात मानल जाइत अछि।   यात्रामें ओ लोकनि क्रमशः  हनुमाननगर,कल्याणेश्वर, फुलहर,मठिहानी,जलेश्वर, मड़ई, ध्रुवकुण्ड, कञ्चनवन, पर्वता,धनुषाधाम,सतोषर,करुणा,बिशौल,औरही लगयातक स्थल सभक परिक्रमा करताह।मिथिला महात्म अनुसार प्राचीन समय में तीन प्रकारक परिक्रमा कय चर्चा काएल गेल अछि।बृहत,माध्यम आ सूक्ष्म ।कालांतर में आबि माध्यम अर्थात माध्यमिकी परिक्रमाक प्रचलन रहल अछि।परिक्रमाबासी सभ नेपाल आ भारतक कुल मिला क’ क़रीब१३६ किलोमीटर दूरी तय करताह। विश्वक सब पैघ पदयात्राक रूपमें सेहो अहि परिक्रमा कए लेल जाइत अछि। सदभाव, प्रेम आ आस्थाक उत्सव रहल यहि परिक्रमा कायला सब प्रकारक दुःख, कलेश तथा जन्म मृत्यु क’ संसारिक बन्धन सँ मुक्ति पएबाक जनविश्वास रहल अछि।