12 फरवरी 2022 । मैथिली जिन्दाबाद!!
दहेज मुक्त मिथिला के संस्थापक अध्यक्ष सह अंतर्राष्ट्रीय संयोजक द्वारा देल गेल जानकारी अनुसार 20 फरवरी 2022 रवि दिन महात्मा गांधी के स्मारक स्थल राजघाट में दिल्ली समूह मिलन के आयोजन होयत। एकर संयोजक अंजू झा छथि। गांधी जी के सत्याग्रह जेकाँ मिथिला समाज सँ दहेज कुप्रथा हंटेबाक सत्याग्रह स्वरूप दहेज मुक्त मिथिला अभियान 10 वर्ष पूरा कयलक 2021 में आ एहि लेल एक स्मारिका के प्रकाशन कयल गेल अछि जेकर विमोचन सेहो कयल जायत। एहि स्मारिका अभियान केँ बढ़ि चढ़िकय सहयोग कयनिहार उद्योगपति ललित कुमार मिश्र केर प्रमुख आतिथ्य में स्मारिका विमोचन होयत। संगहि मिथिला के सब जिलाक लोक दिल्ली में बसल रहबाक कारण दिल्ली में समूह मिलन समारोह सेहो दूरगामी प्रभावोत्पादक हेबाक आशा जतायल गेल अछि। बेसी सँ बेसी लोक एहि में सहभागिता देथि से आह्वाहन कयल गेल अछि।
विज्ञप्ति के उतार:
प्रेस विज्ञप्ति
दहेज मुक्त मिथिला
मिथिलाक एकमात्र दहेज विरोधी संस्था सह अभियान
१२ फरवरी २०२२ । नई दिल्ली, भारत ।
प्रिय प्रेस मित्रगण,
३ मार्च २०११ केँ स्थापित दहेज मुक्त मिथिला विगत १० वर्ष सँ मैथिल समाज बीच मांगरूपी दहेज कुप्रथा सँ केवल स्वयं केँ निजात दिएबाक संकल्प लेल जनजागरण करैत आबि रहल अछि। फेसबुक तथा विभिन्न महानगर-नगर व गाम-ठाम आदिक व्हाट्सअप समूह मार्फत बेसी सँ बेसी दहेज मुक्त विवाह हो ताहि लेल समेकित प्रयास सब सदस्य लोकनि मिलिजुलि कय रहला अछि। लेकिन एखनहुँ एहि अभियान केँ माटि पकड़ेबाक लेल आर बेसी लोकक संग आ सहयोग के जरूरत बुझल जा रहल अछि। हम सब विद्यमान सदस्य सब एहि लेल निरन्तर प्रयास कय रहल छी जे एहि अभियान मे स्वेच्छा सँ बेसी लोक जुड़िकय विवाह जेहेन पवित्र आ आजीवन निर्वाह करयवला संस्कार मे देखाबा, आडम्बर आ फुइस-फटक के भौतिकतावादी प्रदर्शन सँ बचथि, सिर्फ देखाबा लेल बड़ा मुश्किल सँ आर्जन कयल धन-सम्पत्ति केँ एहि प्रदर्शन आ झूठक शान मे नाश नहि करथि। बस, अपने सब सेहो अपन-अपन कलम आ संचारकर्म संग उचित प्रकाशन मार्फत एहि अभियान केँ आगू जन-जन धरि पहुँचाबय मे मदति करी से विनम्र अनुरोध अछि।
संगहि आगामी २० फरवरी २०२२ दिल्ली स्थित महात्मा गाँधीक स्मारक स्थल राजघाट मे दिनक ११ बजे सँ २ बजेक बीच दहेज मुक्त मिथिला दिल्ली समूह मिलन समारोहक संग स्मारिका-२०२१ केर विमोचन कार्यक्रम होमय जा रहल अछि। संयोजिका अंजू झा केर नेतृत्व मे आयोजित ई कार्यक्रम मे दिल्लीक प्रांगण मे बसल सौंसे मिथिलाक लोक केँ आमंत्रित कयल गेल छन्हि।
विशेष रूप सँ एहि अभियान केर गतिविधि संचालन मे स्वयंसेवा सँ संरक्षण प्रदान कयनिहार कन्सोफार्मा के निर्देशक ललित कुमार मिश्र केँ प्रमुख अतिथि आ संगहि अपन-अपन लेख-रचना आ अंशदान सँ स्मारिका जेहेन मजबूत दस्तावेज केर प्रकाशन कयनिहार सब सरोकारवाला केर उपस्थितिक अपेक्षा कयल जा रहल अछि।
विदित हो जे दहेज मुक्त मिथिला अभियान द्वारा मांगरूपी दहेजक वगैर सैकड़ों विवाह प्रत्येक वर्ष संभव भ’ रहल अछि आर आगामी समय मे एकरा आर बेसी सुदृढ करबाक वास्ते वैवाहिक परिचय सभाक आयोजन दिल्लीक विभिन्न क्षेत्र मे करबाक योजना अछि। एहि सन्दर्भ मे सेहो २० फरवरीक मिलन समारोह मे सामुहिक चर्चा आ निर्णय कयल जेबाक संभावना अछि। चूँकि मिथिलाक्षेत्रक हरेक जिलाक लोक (नेपाल व भारत दुनू देश सँ) आइ दिल्ली मे उल्लेख्य संख्या मे रहि रहल छथि, आर छितरायल अवस्था मे रहबाक कारण वैवाहिक सम्बन्ध निर्धारण केर घोर समस्या देखल जाइत अछि, तेँ दहेज मुक्त मिथिला मंच केर सदिखन यैह प्रयास रहल आ रहत जे वैवाहिक सम्बन्ध निर्धारण आ सेहो मांगरूपी दहेज सँ मुक्त रखैत लोक सब केँ सुविधा उपलब्ध करायल जाय। एहि लेल दिल्लीक ई कार्यक्रम बहुत दूरगामी प्रभावोत्पादक होयत से आशा करैत छी।
अन्त मे, अपने सभक निरन्तर सहयोगक अपेक्षा करैत,
भवदीयः
प्रवीण नारायण चौधरी
दहेज मुक्त मिथिला
हरिः हरः!!
पुनश्चः कोविड प्रोटोकोल केर कारण यदि सार्वजनिक स्थान (यथा राजघाट मैदान) मे लोकक एकत्रित भेनाय प्रतिबन्धित रहत त सोम दिन धरि कार्यक्रम स्थल राजघाट सँ अन्यत्र लेल बदलल जा सकैत अछि। एकर निर्णायक घोषणा बाद मे कयल जायत। लेकिन राजघाट स्थित गाँधी स्मारक पर फूल-माला अर्पण करबाक कार्यक्रम सुनिश्चित अछि, तदोपरान्त अन्य वेन्यू (यथा दत्तोपन्त ठेंगड़ी भवन, कनाट प्लेस, नई दिल्ली अधिकतम संभावित) पर स्मारिका विमोचन कार्यक्रम राखल जायत। राजघाट पर सीमित लोक आ सीमित श्रद्धाञ्जलि कार्यक्रम करैत सब कियो फाइनल कार्यक्रम वेन्यू पर अओता। हरिः हरः!!