गांव गांव लोकल प्रोडक्ट्स इस्तेमाल कियै आवश्यक छैक ?

विचार

– मैथिल जीन्स के निर्माता श्री केशव मिश्र मैथिल

गांव गांव लोकल प्रोडक्ट्स इस्तेमाल कियै आवश्यक छैक ?

आबै वला समय में बड़का बड़का विदेशी कंपनी अहांक मिथिला के नोटिस क रहल अछि। अहांक पास लोकल ब्रांड के गुच्छा रहनाय आवश्यक अछि अन्यथा ओ लगभग सभ चीज पर जबरदस्त प्रहार करत और ओकरा पास इनवेस्टमेंट के कमी नहिं छैक। ओला उबर जेहन कतेक रास कंपनी लाखों करोड़ों पाय खर्चा क के अप्पन देश मे एकटा अलग प्रकार के शेयर तैयार क लेलकै। आंहा के मोन हैत अपना देश में ज्यादातर लोक रिक्सा टेंपू और जीप चढै छलैक मुदा स्टैंडर्ड बदललैक लोक के बीच पाय स बेसी स्टेटस के आवश्यकता छै ताही के साबित केलकैक। जीवन चर्जा के तौर पर मुंह ताकैत कतेको कंपनी के बैंड बजा क विदेशी कंपनी अप्पन प्रोडक्ट में चेंजिंग आनि आय एकटा अलग लाईफ स्टाईल बना देलकैएयै। खैर जे किछो राष्ट्रिये तौर होएक हम एखन अहि दौर में अप्पन मिथिला के गप्प क रहल छी। भविष्यक चश्मा सँ देखि हमरा सभ लेल कोन तरहक चुनौती अछि ताहि पर गौर करबाक आवश्यकता छैक।

किछू लोक कहथिन विदेशी कंपनी के स्प्रेड करै स सरकार के टैक्स त भेटतैक लेकिन सच पूछू तैय्यो क्षेत्र के अस्मित्ता पर भविष्य के संभावित प्रहारक प्रयास छैक। ज्यादातर लोक हमर गप्प के नजरंदाज करथिन ओ अहि भयानक चुनौती के बुझबाक प्रयास तक नहिं करथिन मुदा पुन: कहब #respect_local_product
हमरा अहि गप्पक डर अछि जे काल्हि हमरा क्षेत्र में आबि बड़का बड़का कंपनी अप्पन धौंस सँ अलग प्रकार के हुकूमत नहिं करै लागै। एक दिस हमर सभक आवाम राजनीतिक दावेदारी सँ मिथिला के बिहार होएत देश के राजनीतिक भवन तक आवाज बना रहल छथि। दोसर दिस हमरा लोकनि इहो चीज पर विचार करै पड़तैक जे हम सभ अप्पन लोकल ब्रांड के मजगूत कय क आबै वला समय हेतु तैयार करी। अहि ठाम बहुत रास लोक बहुत क्षेत्र में तरह तरह के इनोवेशन पर काज क रहल छथि। जरुरत छैक हुनक चीज के सम्मान करै के, सवाल क्वालीटी पर उठैत छैक त देखू अहि विषय पर हमर मानना अछि अहाँ क्वालीटी के परखै छी केवल नाम सँ.. अहाँ ओहि प्रोडक्ट के इस्तेमाल करु और फेर कम्पेयर करु। जँ इस्तेमाल केर बाद कोनो खास फर्क बुझि पडै त निर्माता के सूचना दियौन ओ जरुर सुधार करथिन। आबै वला समय के खतरनाक हिसाब किताब सँ मैथिल अनभिज्ञ छथि मुदा ओ नजाकत बिल्कुल ओहिना हेतैक जेना अपना सब कहै छियैक अहां अप्पन चीज के बंधक बना लेलौं।

एखन समय अछि उठू जागू और सभ चीज केर संग आर्थिक क्रांति हेतु अपना आपके आगू करु..!

चूंकि भविष्य कहै छै एकटा नव प्रकारेन चुनौती के सामना करै परत संभवत: हमर गप्प एखन अनरगल लागत मुदा हम सत्त प्रतिशत श्योर छी एहन तरहक दिन देखै परतै मिथिला के।

मिथिला में आर्थिक आंदोलन के रफ्तार पकड़ाबै लै अप्पन प्रोडक्ट के सम्मान अत्यावश्यक और अहि ठामक लोक के समझै बूझै परतैन भविष्य हेतु लोकल ब्रांड के गुच्छा।

गुच्छा कोना तैयार हेतै ? हमरा सभ के केवल और केवल अप्पन प्रोडक्ट इस्तेमाल करै के अय।
#standwithmithila
#हींग_टू_हल्दी
#मिथिला_निर्मित
Please support this revolution..!
#respect_local_brand
Contact us if you want to buy our product-
📲+91 87004 60084…..